बुटवल, नेपाल। फरबरी २९, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
समाजक अध्यक्ष एवं आजीवन सदस्य श्रीमुखीलाल चौधरीक सभापतित्व तथा समाजक आजीवन सदस्य एवं नेपाल विद्युत प्राधिकरण, बुटवल क्षेत्रीय कार्यालयक निर्देशक श्रीकाशेन्द्र प्रसाद यादवक प्रमुख आतिथ्य में दिनाड़्क 2072/11/07 गते शुक्रदिन मैथिल समाज नेपाल रुपन्देही, बुटवलक 9 वम् वार्षिक साधारण सभा सम्मपन्न कएल गेल अछि ।
समाजक इएह 9 वम् वार्षिक साधारण सभाक किछु बिशेषता रहल अछि जे निम्न प्रकारक अछि । पहिल बेर समाजक कार्य योजना (work plan) बनाएल गेल छल जाहि में अनेको कार्यक्रम सभ करबाक लेल प्रस्तावित कएल गेल छल । वएह प्रस्तावित कार्यक्रम सभ में सँ किछु निम्न कार्यक्रम सम्पादित कएल गेल अछि।
1) जिल्ला सिरहा सुखीपुर न•पा• – 10 क रहनिहार श्रीरामश्रेष्ठ ठाकुरक सुपुत्र श्रीचन्द्रशेखर प्रसादद्वारा प्रदत्त रु• 10,000/- ( रु• दश हजार मात्र ) क चेक “अनाथ तथा असहाय महिला कल्याण समाज रुपन्देही, नेपाल ( मणिग्राम ) क अध्यक्ष श्रीमती मैनादेवी भण्डारी कें प्रदान ।
2) लुम्बिनी क्षेत्र में 2071क S.L.C. परीक्षा में मैथिल छात्रा में सर्वाधिक अंक 93.13% प्राप्त कयनिहारि निधी सिंह ( सुपुत्री- श्रीअजय कुमार सिंह) आऔर मैथिल छात्र में सर्वाधिक अंक 79.75% प्राप्त कयनिहार जय किशन शर्मा (सुपुत्र- श्रीकैलाश शर्मा ) कें सम्मान पत्र संगहि ” विद्यापति स्मृति पुरस्कार- 2072″ सँ सम्मानित ।
3) बुटवल में समाजद्वारा पहिल बेर 2072 अगहन 9 गते मनाओल गेल ” सामा चकेवा ” कार्यक्रम में अपन-अपन नृत्य सँ सभ कें मन्त्रमुग्ध कयनिहारि रचना मिश्रा ( सुपुत्री- मैथिल महिला समाज एवं आजीवन सदस्य श्रीमती अनिता झा) आ हर्षिता कर्ण (सुपुत्री- मैथिल महिला समाजक कोषाध्यक्ष श्रीमती स्वेता कर्ण ) कें ” स्नेहक प्रतिक” प्रदान ।
4) मैथिल समाज नेपाल रुपन्देही , बुटवलक सम्बन्ध में मिथिलाबासी कें जानकारी कराबयक उद्देश्य सँ प्रकाशित कएल गेल ” लघु पुस्तिका (Brochure) कें बिमोचन ।
5) सभा में अध्यक्ष संगहि सचिव तथा कोषाध्यक्षद्वारा क्रमश: प्रगति प्रतिवेदन तथा आर्थिक प्रतिवेदन सेहो प्रस्तुत कएल गेल छल ।
स्वागत मन्तव्य:
समाजक आजीवन सदस्य एवं उपाध्यक्ष श्रीबिजयकुमार झा
शुभकामना मन्तव्य:
1) सक्रिय सदस्य श्रीरामबरण यादव
2) अनाथ तथा असहाय महिला कल्याण समाज रुपन्देही, नेपालक अध्यक्ष
श्रीमती मैनादेवी भण्डारी
3) आजीवन सदस्य श्रीगणेश मण्डल
4) आजीवन सदस्य श्रीअमरेन्द्र कु. सिंह
5) आजीवन सदस्य एवं सल्लाहकार बिद्यासागर झा
6) आजीवन सदस्य एवं मैथिल महिला
समाजक अध्यक्ष श्रीमती अनिता झा
धन्यबाद ज्ञापन :
आजीवन सदस्य एवं मैथिल महिला
समाजक उपाध्यक्ष श्रीमती ममता सिंह
उद्घोषक :
आजीवन सदस्य एवं समाजक
सचिव श्रीनागेन्द्रराय यादव
रिपोर्टः श्री मुखीलाल चौधरी जी केर फेसबुक वाल सँ साभार