नेपालक प्रधानमंत्रीक पहिल विदेश यात्रा भारत सँ आरम्भ

दिल्ली, फरबरी २०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

modi oli meetingकाल्हि १९ फरबरी नेपाल केर प्रजातंत्र दिवस केर उपलक्ष्य नेपाली प्रधानमंत्री आ नेकपा एमाले केर बहुचर्चित नेता खड्ग प्रसाद शर्मा ओली भारत केर एक सप्ताह धरिक राजकीय यात्रा पर दिल्ली पहुँचि गेला अछि।

एहि बीच दिल्लीक इन्दिरा गाँधी अन्तर्राष्ट्रीय हवाई अड्डा पर हुनका स्वागत करबाक लेल पुरान परंपरा अनुरूप कोनो राज्यमंत्री पठेबाक बदला स्वयं विदेश मंत्री सुषमा स्वराज केर पहुँचब नेपालक कूटनीतिज्ञ द्वारा सकारात्मक रूप मे लेल गेल अछि, मुदा एयरपोर्ट सँ राष्ट्रपति भवन मे अतिथिक तौर पर रहबाक इन्तजाम अनुरूप प्रधानमंत्री ओलीक टोली निकैलते रस्ता मे मधेसी छात्र सब द्वारा कारी झंडा देखाओल जेबाक समाचार सेहो भेटल अछि।

विदित हो जे विगत पाँच मास सँ असन्तोष आ अराजक बनल मधेस केर आन्दोलनक एकटा मुख्य कारण ओली जी केर बोली केँ मानल जाएत रहल अछि।

पुनः ओली जी द्वारा नेपाली राजदूतावास मे आयोजित प्रजातंत्र दिवसक उपलक्ष्य कार्यक्रम मे सहभागी बनय लेल जेबाक कार्यक्रमक समय फेर सँ मधेसी छात्र सब द्वारा राजदूतावास केर समीप सेहो हुनका कारी झंडा देखाओल गेल। ओहि ठाम तैनात सुरक्षाकर्मी द्वारा ओहि विरोध कएनिहार छात्र केँ पकड़ल जेबाक समाचार सेहो नेपाल सद्भावना पार्टीक नेता अनिल झा केर फेसबुक स्टेटस सँ ज्ञात भेल अछि। ओ अपील करैत ओहि सब शान्तिपूर्ण ढंग सँ विरोध प्रदर्शन कएनिहार छात्रक रिहाई केर अपील सेहो कएने छथि।

आइ राष्ट्रपति भवन मे समारोहपूर्वक नेपाली प्रधानमंत्री केँ राष्ट्रीय अतिथिक तौर पर सम्मान देल गेल अछि, एहि समारोह मे भारतीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी सेहो उपस्थित छलाह। बाद मे हैदराबाद हाउस मे दुनू प्रधानमंत्री आ दुनू देशक प्रतिनिधि मंडल बीच औपचारिक भेंटवार्ता सेहो संपन्न भेल अछि।

बाद मे दुनू नेता प्रेस केँ सेहो वक्तव्य दैत अपन-अपन बात रखलैन अछि। के पी ओली कहलैन जे हुनक यात्रा सँ दुनु देशक मैत्रीपूर्ण सम्बन्ध मे आयल खटास आ आपसी असमझदारी केँ दूर करबाक प्रयास कैल जायत। ओत्तहि प्रधानमंत्री मोदी द्वारा नेपाल मे संघीयता तथा संविधान बनेबाक महत्वपूर्ण कार्य मे उल्लेखनीय प्रगतिक प्रशंसा करैत ७००० मेगावाट बिजली उत्पादन करबाक परियोजना पर कार्य चलि रहबाक जानकारी देबाक संग ट्रान्सपोर्ट कोरिडोर एवं अन्य विकासोन्मुख कार्यक चर्चा कैल गेल।