सूचनाः
विराटनगर मे आयोजित अनेकों मैथिली कार्यक्रम मे भाषाक विविधता पर तऽ चर्चा होइते अछि, संचाकर्मी तथा युवा तुरक जनमानस मे एकर लेखनकला – पठनशैली आ वाचनकला केँ सेहो चुनौतीपूर्ण मानल जेबाक धारणा सब विभिन्न पक्ष द्वारा राखल जाएत अछि।
तिलासंक्रान्ति केर अवसर पर रेडियो मकालू द्वारा लाइव प्रसारित कैल गेल कार्यक्रम मे एकर लेखन, पठन ओ वाचन लेल विशेषज्ञ द्वारा एकटा कार्यशालाक आयोजन करबाक आग्रह पर मैथिली सेवा समितिक महासचिव प्रवीण द्वारा आयोजन करबाक वचन देल गेल छल।
एकर पहिल कड़ी ऐगला शनि दिन – ३० जनबरी, २०१६ – म. मो. आदर्श बहुमुखी कैम्पस – विराटनगर केर समीक्षालय मे मैथिली संचारकर्मी वास्ते एक दिवसीय कार्यशालाक आयोजन कैल गेल अछि, जाहि मे विभिन्न स्रोत व्यक्ति मार्फत एहि कार्यशाला मे तकनीकी पक्ष – व्यवहारिक पक्ष आदि पर विस्तार सँ वक्तव्य – व्याख्यान देल जायत।
आउ, जँ इच्छूक छी तऽ ससमय १ बजे सँ सभा-स्थल पर उपस्थित रजिस्ट्रेशन काउन्टर पर सहभागिता लेल पंजीकृत होएत एहि मे सहभागी बनू!
– प्रवीण नारायण चौधरी, महासचिव
मैथिली सेवा समिति, विराटनगर।
फोनः ९८५२०२२९८१.