करुणा झा द्वारा आन्दोलन मे गंभीर घायल बेलचन केँ आर्थिक मदद

बिद्यानन्द बिक्की, राजविराज। जनबरी २४, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

DSC06990२ सौ ५० वरिषसँ राज्य पक्षक नीति आ दमन सँ पीडित रहल मधेश आ मधेशी समुदाय केर अधिकार प्राप्तिक हेतु जारी मधेश आन्दोलन मे पुलिसक गोली लागि गम्भीर घायल भेल सप्तरीक राजविराज नगरपालिका–७ रहनिहार भुवनेश्वर मण्डल ‘बेलचन’ तथा पीडित परिवारकेँ शनिदिन साहित्यकार तथा समाजसेवी करुणा झा द्वारा आर्थिक सहयोग कएल गेल अछि ।

विभिन्न सञ्चार माध्यम मे समाचार सार्वजनिक भेलाक बाद गम्भीर घायल भेल बेलचन केर घर मे पहुँचिकय समाजसेवि झा नगद ११ हजार रुपयाक सहयोग केलनि अछि ।

जारी मधेश आन्दोलनक क्रम मे गत अगहन ५ गते राति प्रहरी द्वारा चलाओल गेल गोली वेलचन केर पेट मे लागि ओ गम्भीर रूप सँ घायल भेल छल । घायल भेलाक बाद बी. पि. कोइराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठान धरान मे ४० दिन धरिक सघन उपचार भेलाक बाद घरहि मे स्वास्थ्यलाभ कय रहल अछि ।

विदित हो जे गोली लगलाक असैर सँ बेलचनक छोटका आँत उपचारक दौड़ान काटल गेल अछि। हाल प्लाष्टिक केर थैलामे दिसा करबाक लेल ओ बाध्य अछि । साउण्ड सिस्टम चलाकय गुजारा चलाबैत आबि रहल बेलचन केँ प्रत्येक हप्ता जाँच करेबाक लेल धरानक बी. पि. कोइराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठान जाय पड़ैत छैक आर हाल धरि सरकार तरफ सँ वा अन्य कोनो भी स्रोत सँ इलाज वास्ते ओकर सहारा केओ नहि बनि सकल अछि। एहेन अवस्था मे सामाजिक सहयोग सँ इलाज करेबाक ओकर बाध्यता रहल अछि ।

अन्तर्राष्ट्रिय मैथिली परिषद्, नेपालक निवर्तमान अध्यक्ष सेहो रहली सञ्चार यात्रा नेपाल केर संस्थापक अध्यक्ष श्रीमती झा संगे नेपाल पत्रकार महासंघक पूर्व केन्द्रीय उपाध्यक्ष एवं वरिष्ठ पत्रकार शिवहरि प्रसाद भट्टराई, मधेशी पत्रकार संघ सप्तरीक अध्यक्ष श्यामसुन्दर यादव, सि एफएम केर स्टेशन मैनेजर भूषण सिंह सहितक टोली द्वारा घायल बेलचनक अवस्थाबारे जानकारी लेल गेल अछि । संगहि हिनकर इलाजक लेल आगुओ मानवीय सहयोग उपलब्ध करेबाक पहल करबाक आश्वासन सेहो देल गेल अछि।