सुच्चा मैथिल केर बढ़ैत डेग
– प्रकाश कमती
दिनांक – 03/01/2016 दिन – रविवार, दिल्ली सुच्चा मैथिल टीमक बैसार दिल्लीक साकेत में सम्पन भेल जाहि में मिथिला आ मैथिलक विकास केर विभिन्न पहलू पर विचार-विमर्श भेल संगहि मिथिलाक युगपुरुष जिनका हम सब कियो कुनो ने कुनो रूपे अखनो याद करै छी जेना राजा सलहेस, कारीख महाराज, धर्मराज आदिक गौरवमयी इतिहास पर चर्चा भेल ।
बैसार में निम्नलिखित भाई उपस्थित भेलाह :-
श्री अमलेश मंडल जी, लव किशन जी, अरुण कुमार शर्मा जी, विनोद यादव जी(बीरबल जी), सरोज कुमार शर्मा जी, मुकेश कुमार शर्मा जी, अनिल कुमार जी, ललन कुमार जी, शम्भु कुमार जी, विनोद शर्मा जी, पप्पू शर्मा जी, गुड्डू कुमार जी, अर्जुन कुमार जी, ब्रीजेश कुमार जी आ भाई अश्वनी कुमार जी।
सुच्चा मैथिल संस्थाक पहिल आ सबसँ उपयुक्त उद्देश्य अछि जे अहि तबका केर पिछड़ल आ अशिक्षित समाज केँ शिक्षित कोना कैल जाय… मैथिली आंदोलन में अहि तबकाक लोकक सामूहिक भागीदारी कोना बढायल जाय…, मिथिला विभूति में बाबा विद्यापति केर आलावा राजा सलहेस, वीर लोरिक सन योद्धा केँ सेहो कोना यैद कैल जाय…, अहि तरहक विभिन्न मुद्दा पर आपसी मंथन कैल गेल आर अहि में सब सक्रीय सदस्य अपन हर तरहक सहयोग देबाक शपथ लेलैन।
बैसारक बाद कार्यक्रम मार्फत उद्देश्य केँ मूर्तरूप मे परिणति लेल सेहो सब सदस्य संकल्पित भेलाह आर सदस्यता बढेबाक लेल एक-दोसर पर भार सौंपैत ‘सुच्चा मैथिल – पिछड़ा वर्गक आवाज’ नामक नाराकेँ बुलन्दी पर पहुँचेबाक योजना बनल।
2 Comments
dhanyvad jindavad
Thanks