विराटनगर, दिसम्बर ४, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
स्वतंत्र मधेसी समाज केर तत्त्वावधान मे काल्हि विराटनगर केर महावीर चौक पर एकटा ‘नागरिक खबड़दारी सभा’ केर आयोजना कैल जा रहल अछि। एहि मे राष्ट्रीय राजनीति केर चर्चित विश्लेषक डा. सी. के. लाल संग चर्चित नेपाली लेखक एवं विश्लेषक खगेन्द्र संग्रौला सहभागी बनता। संगहि काल्हिक सभा मे अधिवक्ता सुरेन्द्र महतो तथा डा. प्रवीण मिश्र विशिष्ट वक्ताक रूप मे सहभागी बनता।
उपरोक्त जानकारी कार्यक्रम संयोजक ई. फूल कुमार देव मैथिली जिन्दाबाद केँ बतौलनि आर आग्रह केलनि जे हर स्रोत सँ आमजनक सहभागिता लेल विशेष अनुरोध करैत छी। निश्चित रूप सँ आइ करीब चारि मास सँ नेपाल मे मधेस तथा मधेसी केँ समान अधिकार लेल आन्दोलन जारी अछि, लेकिन विभिन्न बहन्ना आर आशंका-उपशंका आदि थोपैत माँग प्रति संबोधन करबाक बदला अन्य-अन्य कलंक लगबैत राज्य पाछू पड़ि रहल अछि। एहेन अराजक अवस्था मे दर्जनों लोक शहादति दय चुकल अछि। नित्य झड़प सँ सैकड़ों लोक घायल भऽ गेल अछि। सरकार प्रति विश्वास कम भेल जा रहल छैक। अतः एहि तरहक खबड़दारी सभाक आयोजन राज्य पक्ष एवं आन्दोलनी पक्ष दुनू केँ सचेत करबाक लेल जरुरी अछि।
आयोजन मे मुस्लिम संघर्ष समित सहित विराटनगर केर मैथिली सेवा समिति एवं अन्य संस्थाक सहयोग अछि। स्वतंत्र मधेसी समाज द्वारा निरंतर ई प्रक्रिया चलैत रहत जाबत धरि सरकार एहि आन्दोलन केँ संबोधन नहि करत, ई जानकारी समाजक थिंक टैंक भगवान् झा बतौलनि। कहला जे सभाक शुरुआत मैथिलीक भैरवि वन्दना सँ तथा अल्लाह-ताला केँ सुमिरैत कुरानक किछु पवित्र कलमा पढैत करब। तहिना मैथिली गायक विरेन्द्र झा सहित उद्घोषिका राधा मंडल केर उपस्थिति सँ सभाकेँ बान्हल जायत। विराट मैथिल नाट्यकला परिषद् द्वारा एकटा छोट नुक्कड़ नाटक केर प्रस्तुति सेहो कैल जायत। एकर अतिरिक्त स्थानीय विभिन्न भाषाक कवि लोकनि द्वारा कविता वाचन सेहो कैल जायत।