नारायण मधुशाला, लहान, सिरहा। नवम्बर २९, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

काल्हि संपन्न प्रथम बैसारक अध्यक्षता मैथिलीक युवा कवि दिनेश रसिया केलनि। तहिना मैथिलीक चर्चित कवि अर्जुन प्रसाद गुप्ता ‘दर्दिला’ केर विशिष्ट उपस्थिति रहल छल।
मैथिली भाषाक अन्य स्रष्टा तथा युवा छात्र समूह मे तेजु मैथिल, रितेश मैथिल, हृदय नारायण, गायत्री सिंहा, सृजना गजमेर, अमरेश महतो, अनिल महतो, रामदेब यादब, नारायण मधुशाला, गजेन्द्र गजुर आ नरेश बर्बरीया सहभागी छलाह ।
एहि बैसार मे मैथिली भाषा आर संस्कृति केर विकास व संरक्षण करबाक उद्देश्य सँ छोट-छोट जागृतिमूलक कार्यक्रम सभ आयोजन करैत रहबाक नियार कैल गेल । अहिबेरक नियार अनुसार मदरल्याड स्कूलमे “हम आ हमर पहिचान” शिर्षक पर वक्तृत्वकला आयोजन कएल जेबाक निर्णय लेल गेल।