मुखीलाल चौधरी, बुटवल, नेपाल। नवम्बर २७, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिति 2072/08/09 गते बुधदिन कार्तिक मास शुक्लपक्ष पूर्णिमाक दिन सझुका पहर 06:00 बजे सँ ल’ कय 07:30 बजे धरि बुटवल नगर पालिका-8 स्थित पुष्पलाल पार्क में मैथिल महिला समाज रूपन्देही, बुटवलक आयोजना में झापा सँ ल’ कय रौतहट धरिक मिथिलाञ्चलक महिला सभ द्वारा सामा-चकेवाक पावनि अनेको गीत नाद तथा दुटा बचियाँ हर्षिता कर्ण आ रचना मिश्रा सामा-चकेवाक गीत पर नृत्य द्वारा धुमधाम सँ मनाओल गेल। पुष्पलाल पार्क सँ उठिकय जुलुस संगहि सामा-चकेवा कें तिनाउ खोला( नदि) में जल-प्रवाह कएल गेल ।
विदित हो जे भाइ-बहिन केर आपसी प्रेम केँ झलकाबयवला पावनिक रूप मे सामा-चकेबा मनेबाक विलक्षण परंपरा मिथिला संस्कृतिक एकटा खास पहिचान थीक। वर्तमान युग मे आधुनिकताक मारि पड़बाक कारण ई पावैन लोपोन्मुख अछि, लेकिन संस्थागत प्रयास सँ एकर संरक्षण कैल जा सकैत अछि। एहि क्रम मे मैथिल समाज बुटवल सहित देश-विदेश सब ठाम मैथिलक संस्था एहि दिशा मे डेग बढा रहल अछि ई प्रसन्नताक बात थीक।



2 Comments
मिथिला सँ लोक पलायन के कारन सामा – चकेबा सनक पाबनिक लोप। ने भायक उपलब्धता ने बहिनक। कारन रोजी रोटी लेल भाय आ अपन पतिक संग बहिनक परदेश गमन , एहना स्थति में प्रवासे में इहो पर्व के मनेबा लेल मैथिल भाई – बहिन के आगू आबय पड़तन्हि जाहि सँ अपन सांस्कृतिक के संरक्षण कयल जा सकैक। ह्रिदय सँ धन्यवाद मिथिलाक जामवन्त आदरणीय प्रवीण जी।
मैथिल महिला समाज रूपन्देही, बुटवलक आयोजना में मनाओल गेल सामा-चकेवा पावनि कें अपने अपन वेबसाइट http://WWW.mairhilijindabad.com तस्बीर सहित प्रेषित कय मिथलाञ्चल कें अनेको ठाम सँ आबि लुम्बिनी क्षेत्र में रहनिहार सभ कें जाहि तरहें हौसला बढेलहूँ एकर लेल अपने कें बहुत बहुत धन्यबाद दऽ रहल छ,आभार प्रकट करैत छी ।भबिष्य में एहि तरहें अफजाई करैत रहब से अपेक्षा करैत छी ।