ब्रह्मदेव पासवान, सुलइ, रियाध, सउदी अरब। अक्टुबर २१, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
ओना तऽ छैठ महापर्व १७-१८ अक्टुबर केँ छल, मुदा सउदी अरब मे रहयवला हजारों मिथिलावासी प्रवासी लोकनि छुट्टीक अभाव मे काल्हि २० अक्टुबर केँ विधिवत् छैठ पर्व मनौलनि।
विदित हो जे अरब देश मे ईस्लाम छोड़ि दोसर धर्मक कोनो आयोजन सार्वजनिक रूप मे नहि मनायल जा सकैत अछि, ताहि बंधन केर कारण मिथिला एकता समाज, सउदी अरब द्वारा सुलइ केर एकटा स्वीमिंग पूल पर एहि महापर्व केँ मनायल गेल।
पूरी-पकवान-फल-फूल सहित सब आस्थावान छैठ पूजारी लोकैन स्वीमिंग पूल केर महार पर पूरे सजावट संग प्रस्तुत भेलाह। समय भेला पर उदयांचल सूर्य केँ अर्घ्यदान देबाक लेल कुल पाँच गोटे व्रतधारी जल मे प्रवेश करैत छैठ महापर्व मनौलनि।
एहि अवसर पर मिथिला एकता समाज, सउदी द्वारा अपन संस्थागत प्रयास मे सौंसे सउदी अरब सँ आस्थावान व सहयोगी नेपाली मिथिलावासी सहित अन्य गणमान्य अतिथिकेँ बजौने छल।
अपन मूल संस्कृतिक रक्षा प्रवासहु मे करैत आबि रहल आर सामूहिक एकजुटता बनाकय एकता मे बल होएबाक प्रमाण सहित ईस्लामिक राष्ट्र मे सेहो हिन्दूत्वक रक्षा करबाक अपन तरीका सँ मिथिला एकता समाज सेवारत अछि – अध्यक्ष सुनील गुप्ता बतौलनि। हर वर्ष एहि तरहक आयोजन कैल जाएत अछि। हालहि एकटा अष्टयाम संकीर्तनक आयोजन सेहो कैल गेल छल। अप्पन लोक केँ जोड़िकय रखबाक आर अप्पन संस्कार केँ बचाकय रखबाक उद्देश्य पर सदैव कार्यरत मिथिला एकता समाज सउदी सदिखन चर्चा मे रहैत अछि आर प्रशंसा सेहो पबैत आबि रहल अछि।