सहरसा विधानसभा सँ अभामिपा उम्मीदवार निर्मल झा द्वारा नामांकन करायल गेल

रजनीश शेखर, सहरसा। अक्टुबर १५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

nirmal jha abmp bangao1सहरसा विधानसभा क्षेत्र सँ मिथिलावादक उपस्थिति दर्ज करैत आइ अखिल भारतीय मिथिला पार्टी उम्मीदवार निर्मल नेताजी नामांकन देलनि ।

समर्थक गण संग मिथिला जिन्दाबाद, मैथिली जिन्दाबाद केर नारा संग हुजूम सहरसा समाहरणालय पहुँचि मिथिला राज्य केर सपनाकेँ उजागर करैत एकर आवश्यकता पर बल देलनि ।

हरदम हँसैत-मुस्कुराइत रहय बला व्यक्तित्व निर्मल जी आइओ हँसि रहल छलाह । जीत हारक आकलन होइत रहत, मुदा एतबा तय अछि जे सहरसाक प्रांगणमे मिथिला राज्य केर मुद्दा गरमा रहल अछि।

विदित हो जे मिथिलाक हृदयविन्दु कहियो दरिभंगा आ मधुबनी कहाएत छल, लेकिन मिथिलाक मध्य सँ कोसीक अविरल निर्मल धारा आब मिथिलाक हृदयकेन्द्र सहरसा मे स्थापित कय देलक अछि। विगत केर समय मे निरंतर सहरसा मे मैथिली भाषा, संस्कृति आ पहिचानक विशेषताक रक्षा संग बिहारी राजसत्ताक उपेक्षा विरुद्ध अनेकानेक जागृतिमूलक कार्यक्रम करैत आबि रहल अछि जाहि सँ अभियानी लोकनि एकर नामकरण तक ‘क्रान्तिभूमि सहरसा’ सँ करय लगला अछि।

काल्हि स्वतंत्र उम्मीदवार विमलकान्त झा द्वारा मिथिला राज्य केर नारा बुलंद करैत नामांकन कराओल गेल छल आर आइ निर्मल झा द्वारा नामांकन करायल गेल अछि। सहरसा जिला प्रशासन मे ई शब्द गुंजायमान होएत देखि चर्चाक केन्द्र मे मिथिला राज्य आयब अपने आप मे गर्वक विषय छैक।