श्यामसुन्दर यादव, राजविराज, २७ असोज ।
(समाचार स्रोत: न्युज टुडे नेपाली सँ अनुवादित)
अपन निजी देवाल नहि तोड़बाक आग्रह करैत बुधवार भोरे सप्तरीक वरिष्ठ पत्रकार, अधिवक्ता तथा मैथिल महासंघ नेपाल केर अध्यक्ष विष्णुकुमार मण्डल अपनहि पड़ोसी द्वारा हमलाक शिकार बनबाक दुखद समाचार भेटल अछि।
निजी देवाल नहि तोड़बाक आग्रह करला पर राजविराज–४ केर यशवन्त सिंह आर सबिता सिंह हुनका पर हिंसात्मक हमला केलनि आर घायल बना देलनि। सिंह दम्पती द्वारा अपशब्द प्रयोग करैत ईटाक टुकड़ा आर हथौडा आदि सँ मारैत हुनक माथ, टाँग आ शरिरक विभिन्न भाग मे गम्भीर चोट लागल अछि। एना मारिपीट सँ घायल भेला मण्डलजी केँ राजविराज स्थित गजेन्द्रनारायण सिंह सागरमाथा अञ्चल अस्पताल मे प्राथमिक उपचार करेलाक बाद घर पठायल गेल अछि।
नेपाल पत्रकार महासंघ सप्तरीक पूर्व सभापति सेहो रहला मण्डलजी देवाल तोड़बाक क्रम मे तुरन्त प्रहरी केँ सेहो खबैड़ केने छलाह। प्रहरीक टोली आयल तैयो देवाल तोड़बाक कार्य नहि रोकल गेल कहला। घटनाक विषय मे सप्तरीक प्रहरी उपरीक्षक भीम ढकाल केँ सेहो जानकारी करेबाक बात ओ कहला। मण्डलजी केर नमरी जमीन मे नक्सा पास करैत बनायल गेल देवाल केँ पड़ोसी सिंह केर पत्नी जन लगाकय अपन छी कहैत तोड़ल गेल छल। अपन निजी जजह मे रहल देवाल नहि तोड़बाक आग्रह करैत गारि-गरौवैल संग अपना ऊपर आक्रमण करबाक बात मण्डलजी जानकारी देलनि।
सिंहक घर नक्सा तक पास नहि अछि आर निर्माण रोक्का करबाक वास्ते सेहो राजविराज नगरपालिका द्वारा पत्राचार कैल जा चुकल अछि, तैयो ओ सब अपनहि मनमानी-जिद्दिपूर्वक कार्य करैत आबि रहला अछि। नगरपालिकाक आदेश विपरित सिंह दम्पति द्वारा छत ढलान समेत कैल गेल अछि।
मधेसक मसीहा गजेन्द्रनारायण सिंह केर क्रान्ति भवन तथा समाधिस्थल धरि जायवाला बाट सहज हेबाक चाही मुदा सिंह परिवार ताहि बाट केँ पर्यन्त अवरोध पहुँचाबैत पुनरावेदन अदालत राजविराजक आदेश केँ सेहो ओ सब कार्यान्वयन नहि कयलनि, ई ओहि ठामक स्थानीय वासिन्दा लोकनिक शिकायत अछि।
अही बीच राष्ट्रीय मीडिया पत्रकार सञ्जालक संयोजक जितेन्द्र खड्ग वरिष्ठ पत्रकार मण्डल पर सांघातिक आक्रमण केनिहार दोषी सब पर कड़ा कार्वाही करबाक माँग कएलनि अछि। तहिना मधेसी पत्रकार संघ सप्तरीक अध्यक्ष श्यामसुन्दर यादव सेहो घटनाक भर्त्सना करैत दोषीपर कानूनी कार्वाही करबाक माँग केलनि अछि।
मैथिली जगत् केर एक वरिष्ठ पुरोधा संग घटल एहि दुर्भाग्यपूर्ण घटना प्रति मैथिली जिन्दाबाद समूह सेहो चिन्ताक संग उचित प्रशासनिक डेग लेल अनुरोध करैत अछि। श्री मंडल केर शीघ्र स्वास्थ्यलाभक कामना सेहो करैत अछि।