संपन्न भेल पहिल चरणक बिहार विधानसभा चुनाव, ५७% मतदान रिकार्ड कैल गेल: चुनाव आयोग

पटना, अक्टुबर १२, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

संपन्न भेल पहिल चरणक बिहार विधानसभा चुनाव

bihar poll
फोटो साभार: बिबिसी वर्ल्ड

आइ १२ अक्टुबर, २०१५ केँ बिहारक कुल १० जिला मे पहिल चरणक बिहार विधानसभा चुनाव शान्तिपूर्ण ढंग सँ संपन्न होयबाक विज्ञप्ति बिहार चुनाव आयोग द्वारा जारी कैल गेल अछि। कुल ४९ विधानसभा क्षेत्र मे कुल ९३०१ मतदान केन्द्रस्थल पर कुल १३२१२ मतदान केन्द्र पर कुल ५७% मतदान कैल जेबाक समाचार देल गेल अछि। समस्तीपुर, बेगुसराय, खगड़िया, भागलपुर, बांका, मुंगेर, लखीसराय, शेखपुरा, नवादा आर जमुइ मे पिछला बेर कैल गेल ५०.८५% मतदान केर अपेक्षा एहि बेर उल्लेख्य बढोत्तरीक संग मतदान खसेबाक रेकर्ड सेहो बनेलक अछि। आइ कुल ५८३ विधायक उम्मीदवार केर भाग्य इलेक्ट्रानिक वोटिंग मशीन मे बन्न भऽ गेल। भाजपा २७, जदयू २४, राजद १७ लोजपा १३ आर काँग्रेस ८ ई छल अलग-अलग दल केर उम्मीदवारक संख्या।

एहि बेर पुरुष केर मतदानक संख्या ५४.५०% केर तूलना मे महिला द्वारा खसायल गेल मतदानक संख्या ५९.५% रहल विज्ञप्ति मे जानकारी कराओल गेल अछि। तहिना कुल ९ मतदान केन्द्र मे मतदान-बहिष्कार केर बात सेहो कहल गेल अछि। भागलपुर, बांका आर लखीसराय केर एहि ९ मतदान केन्द्र पर विकासक विभिन्न मुद्दा पर मतदाता द्वारा मतदानक बहिष्कार कैल गेल अछि। प्रथम चरणक सब जिला मे शान्तिपूर्ण मतदान संपन्न होएबाक समाचार देल गेल अछि, जखन कि एहि चरण मे किछु क्षेत्र नक्सल प्रभावित सेहो रहल छल। आजुक वोट मे परिवर्तन केर मुद्दा आ जातीय स्वाभिमानक महागठबंधन केर मुद्दा बीच कड़ा संघर्ष मानल जाएत अछि। एहि सँ पूर्व २००० मे ६२% मतदान होयबाक रेकर्ड दर्ज अछि, ओहि समय झारखंड अलग नहि भेल छल।