जनकपुर मे मिनाप द्वारा नुक्कर नाटक: अधिकारक बिगुल

मनीष कर्ण, जनकपुर। अक्टुबर ९, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

minap nukkar aandolanआइ जनकपुर केर जनक चौक पर मिथिला नाट्य कला परिषद् (मिनाप) द्वारा सड़क नाटक प्रस्तुत कएल गेल। पछिला ५५ दिनसं मधेसमे भ’ रहल मधेसक आन्दोलन केँ आरो बेसी उर्जान्वित करबाक हेतु “अधिकारक बिगुल” नामक सड़क नाटक सैकड़ों दर्शक बीच मंचन कैल गेल छल।

नाटक मे मधेस आन्दोलन मे पुलिस सब द्वारा आन्दोलनकारी ऊपर गोली प्रहारक दृश्य आबिते बहुत गोटेके आंखि नोर सं भिजल छ्ल। विदित हो जे मिथिलाक ऐतिहासिक राजधानी मे नेपाली पूलिस द्वारा आन्दोलनकारी आ कतेको निर्दोष जनसमूह पर बर्बरताक संग गोली चलायल गेल छल जाहि मे दर्जनों लोक शहादत प्राप्त केलक, सैकड़ों लोक घायल सेहो भेल। ई घाव जनकपुर कदापि नहि बिसैर सकैत अछि। नाटकक एहि दृश्य सँ जनमानस मे एक बेर फेर वैह भयावह दृश्य नाचि उठल छल।

संगहि व्यंग्यात्मक ढंग सं शीर्ष नेता सभक अभिनय प्रस्तुत कायल गेल छल। मधेस आन्दोलन आ ताहि प्रति सरकार रवैया – कोनो बाट नहि सुझायब आ मधेस आन्दोलन सेहो निरंतरता मे रहब, एहि द्वंद्व केँ सुस्पष्ट ढंग सँ प्रदर्शन केने छल।