मैथिल महिला समाज बुटवल द्वारा ‘ओठघन’: नागेन्द्रराय यादव केँ सम्मान लेल बधाई ज्ञापन

मुखीलाल चौधरी, बुटवल। अक्टुबर ६, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

othghan butwalदिनाड़्क 2072/06/16 गते शनिदिन मैथिल महिला समाजक अध्यक्ष एवं मैथिल समाज नेपाल रुपन्देही, बुटवलक कोषाध्यक्ष श्रीमती रीताकुमारी साहक सभापतित्व में मैथिल महिला समाज तथा मैथिल समाज नेपाल रूपन्देही, बुटवलद्वारा नेपाल अपाड़्ग आश्रम, देबीनगर, बुटवल (उप महानगरपालिका-13) में “मैथिल महिलाक महान ब्रत जीतिया”क पावन अवसर पर अपाड़्ग तथा मैथिल महिलाक लेल आयोजित कएल गेल “ओठगन (दर खुवाउने)” कार्यक्रम। विदित हो जे ओठघन एकटा ऐतिहासिक परंपरा अनुसार कैल जाइत रहल अछि। वर्तमान समय अपन पहिचान केँ आरो दर्हगर स्थापित करबाक लेल एहि पारंपरिक पर्व सबकेँ सामूहिक रूप मे समारोहपूर्वक मनायल जा रहल अछि, जाहि सँ मैथिलजन मे स्वाभिमान आ नव पीढी मे अपन महत्वपूर्ण संस्कृति सँ परिचय भेटैत छन्हि। 

maithil samaj butwal2दिनाड़्क 2072/06/16 गते शनिदिन रत्न राज्य क्याम्पस, काठमाण्डू में आयोजित नेकपा एमाले रौतहट-काठमाण्डू सम्पर्क मंचक 11 म् (एगारहम्) अधिवेशन में माधवकुमार नेपालवद्वारा एहि मैथिल समाज नेपाल रूपन्देही, बुटवलक सचिव एवं नेकपा एमाले रौतहट-काठमाण्डू सम्पर्क मंचक संस्थापक सदस्य श्री नागेन्द्रराय यादव सम्मानित कएल गेला अछि। मैथिल समाज नेपाल रूपन्देही, बुटवल तथा मैथिल महिला समाजक समस्त पदाधिकारी, कार्यकारी सदस्य तथा सल्लाहकार सभहक तरफ सँ हार्दिक बधाई ज्ञापन कैल गेल अछि ।