काठमांडु, सितम्बर १६, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
एखनहि कनेकाल पहिने रातिक लगभग ९ बजे नेपालक संविधानसभाक बैसार मे वोटिंग कराओल गेल। कुल ५९८ सभासद मे सँ ५०७ सभासद द्वारा संविधानक वर्तमान परिमार्जित मस्यौदाक पक्ष मे वोट देल गेल आ २५ विरोध मे। विदित हो जे मधेशवादी दल केर लगभग सब सभासद प्रक्रियाक बहिष्कार कयने छथि।
एहि सँ पूर्व संविधान मे प्रस्तावित कुल ३०२ धारा पर एक-एक करैत बहुमत सँ पारित कैल गेल छल। ओहि सब धारा मे दर्ता करायल गेल संशोधन पर सेहो वोटिंग करबैत पक्ष या विपक्ष मे निर्णय करैत संपूर्ण धाराक अन्तिम रूप निर्धारित कैल गेल छल। आइ संध्याकाल धरि कुल धारा पास कैल जा चुकल छल।
अन्त मे दुइ-तिहाई बहुमत सँ संविधान जारी करबाक विषय पर हस्ताक्षर सहित अनुमोदन करबाक व्यवस्था मे वोटिंग कराओल गेल छल जेकर परिणाम घोषणा करैत सभाध्यक्ष सुभाष नेम्वांग रवि दिन संध्याकाल ५ बजे राष्ट्रपतिक हाथ सँ संविधान देशक जनता केँ सौंपबाक घोषणा करैत किछु तकनीकी खानापूर्ति हेतु समुचित मार्ग-निर्देशन तय करैत बैसार केँ स्थगित करबाक घोषणा केलनि।