मधेशी शहीदक आश्रितजन लेल सहयोग पठेबाक क्रम जारी: प्रवासी मिथिला समाज कल्याण

264
मिथिला प्रवासी समाज - दोहा (कतार) द्वारा मधेशी शहीद केर आश्रितजन केँ आर्थिक सहयोग पठेबाक क्रम जारी।

विन्देश्वर ठाकुर, दोहा, कतार। सितम्बर १५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

shahid raj kishore thakurप्रवासी मिथिला समाज कल्याण दोहा – कतारक नेपाल मे आन्दोलित मधेश केर शहीद सबहक आश्रितजन केँ स्वैच्छिक सहयोग करबाक दोसर पहल शुरु भेल अछि ।

एहि संस्थाक सदस्य सब द्वारा मधेश आन्दोलनक दोसर चरणमे शहादत प्राप्त केनिहार शहीद राजकिशोर ठाकुर केर पीडित परिवार लेल राहत संकलन कार्य प्रारम्भ कएल अछि । ज्ञातव्य अछि किछु दिन पूर्वसँ कतारमे रहल मैथिल/मधेशीसब मधेश आन्दोलन मे अपन जान केर आहुति देनिहार वीर शहीद सबहक पीडित परिवार लेल चन्दा संकलन करबाक अभियान शुरु केने अछि । जाहि अनुरुप बितल शुक्र दिन (सेप्टेम्बर ४ तारीख) मधेश आन्दोलनक क्रममे पहिल चरणमे प्रहरीक गोली लागि शहादत प्राप्त केनिहार शहीद राजीव राउतक पीडित परिवार लेल १,११,१११ ने.रु सीधा शहीदक पत्नीक खाता मे पठाओल गेल छल।

तहिना दोसर चरणमे प्रहरीक दमन सँ अपन प्राण तेजनिहार शहीद स्व. राजकिशोर ठाकुर लेल चन्दा संकलन शुरु कएल गेल अछि आर जल्दिए हिनको परिवार सब लेल एहि संस्थाद्वारा आर्थिक सहयोग पठाओल जाएत । जानकारी कराबी जे शहीद राजकिशोर ठाकुर कोनो प्रदर्शनकारी नै भ’ एकटा सर्वसाधारण छलाह । रौटहट जिल्लाक मटिया ६ निवासी ठाकुर हेटौडामे अनामिका नामक सैलुनसँ जीवन-जिबिका चलबैत छलाह । किछु घरायसी कारण आ स्वास्थ स्थिति खराब भेलाक कारणे घर गेल छलथि । एहि क्रममे दुपहरक समय मे गौर जाइत काल प्रहरी आ प्रदर्शनकारी बीच झड़प होइत गोली चलैत दृश्य देखलाक बाद हताशा आ त्रास मे डूबि कोहुना अपन जान जोगाबय लेल भागय चाहल ठाकुर केँ प्रहरी सब द्वारा नै केवल गोली मारल गेलैक बल्कि घायल बनेलाक बाद बुटे-बुटे खनल सेहो गेलैक । अन्तत: बेहोश पड़ल ठाकुर केँ देखि सन्चारकर्मी सब द्वारा रेडक्रस केँ जानकारी देल गेलैक आ तकरा बाद युवा सब द्वारा ओतुका अस्पताल पठाओल गेलैक ।

मुदा घायल ठाकुर केँ देखिते गौर अस्पतालक डा. प्रवीण झा कहलनि- “जे आब ई नहि बाँचत । तेँ आगाँ रेफर करी ।” ठीक सेह भेलैक, एम्बुलेन्स मे वीरगन्ज उपक्षेत्रीय अस्पताल लैए जाइत काल अधेबाट मे प्राण छुटि गेलैक । मृतक ठाकुर जी केर बुढ माए-बाबू, पत्नी आर दुधपिबा बच्चा छन्हि ।

नेपाल प्रहरीद्वारा कएल गेल एहन निर्ममतापूर्ण हत्याकेर प्रवासी मिथिला समाज कल्याण दोहा-कतार’ घोर भर्तसना करैत अछि संगे मानवता केर हिसाबे यथासम्भव जते भ’ सकए आर्थिक सहयोग करबाक भरपूर प्रयास कय रहल अछि । आशा अछि जल्दिए अपन लक्ष्य मे सफल होएत । एकटा महत्वपूर्ण जानकारी आरो जे ई संस्था तत्काल मधेशी शहीद सब केँ क्रमिक रुपसँ सहयोगक योजना बनौने अछि तें सबगोटे सँ निवेदन जे मधेश आन्दोलन मे एखन्धरि शहादत प्राप्त केनिहार वीर सपूत सबहक नाम/पता आ खाता न. फोटोसहित मैथिली जिन्दाबाद पत्रिकाक इमेल मे उपलब्ध करा दी । तहिना, कतारमे रहल मैथिल/मधेशीसब जे स्वेच्छा सँ एहिमे अनुदान देबय चाहैत छी तथा एहन पुनित काज मे भाग लेबय चाहैत छी तऽ कृपया प्रवासी मिथिला समाज कल्याण-दोहा-कतार वा इएह अँनलाइन पत्रिका- ‘मैथिली जिन्दाबाद’ सँ सम्पर्क करी । जय मिथिला !!