काठमांडु, २९ भादव यानि १५ सितम्बर । मैथिली जिन्दाबाद!!
संविधानसभाक आजुक बैसारमे ‘नेपालक संविधानकेर परिमार्जन विधेयक, २०७२’ आगामी आसिन ३ गते यानि २० सितम्बर, २०१५ केँ संविधान जनता समक्ष प्रारम्भ हेबाक घोषणा करबाक तारीख निर्धारण सम्बन्धी प्रस्तुत प्रस्ताव सर्वसम्मति सँ पारित कैल गेल अछि ।
बैठक मे प्रमुख तीन दलक तर्फ सँ ‘नेपालक संविधान नेपाली जनता समक्ष प्रारम्भ हेबाक घोषणा करबाक तारीख निर्धारण सम्बन्धी प्रस्ताव’ प्रस्तुत कैल गेल छल ।
नेपाली काँग्रेसक प्रमुख सचेतक चीनकाजी श्रेष्ठ प्रस्तावक रहल ओहि प्रस्ताव मे नेकपा एमाले केर प्रमुख सचेतक अग्निप्रसाद खरेल आर एमाओवादीक प्रमुख सचेतक गिरिराजमणि पोखरेल समर्थक रहल छलाह ।
ई प्रस्ताव निर्णयार्थ प्रस्तुत भेलापर सर्वसम्मति सँ पारित भेल ।
ओहि तारीख मे संविधान घोषणा करबाक कार्यक्रम बारे सभाध्यक्ष सुवास नेम्वाङ आइ भोरे राष्ट्रपति डा. रामवरण यादव केँ औपचारिक निमन्त्रण दय चुकल छथि ।
पारित प्रस्ताव मे ‘संविधानसभा नियमावली, २०७० केर नियम ११० केर उपनियम ९३० मुताबिक संविधानसभा सँ पारित करैत अध्यक्षद्वारा प्रमाणित भेल संविधान मे संविधान प्रारम्भ होयत से कहैत निर्धारण कैल गेल तारीख मे संविधानसभा द्वारा औपचारिक राष्ट्रिय समारोह केर आयोजना करैत पारित संविधान केर प्रति अध्यक्ष द्वारा राष्ट्रपतिक सोझाँ पेस कैल जायत आर ओही समारोह मे नेपालक संविधान नेपाली जनताक सोझाँ संविधान प्रारम्भ होयबाक घोषणा होयबाक बात उल्लेख अछि ।
ओ समारोह आसिन ३ गते अपराह्न ५ बजे संविधानसभा भवन मे होयत ।
बैठक मे एखन ‘नेपालक संविधानकेर परिमार्जन विधेयक, २०७२’ केर एक सय सँ बादक धारा सब पारित करबाक क्रम जारी अछि ।
(समाचार स्रोत: राष्ट्रीय समाचार समिति – टुडे खबड़)