दिल्ली सरकारक सुखद आलोचना आ प्रशंसा दुनू: मैथिल अभियानी श्रीचंद कामत केर संस्मरण

श्रीचंद कामत, नई दिल्ली। अगस्त २०, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

bihar sammaan samaarohदिल्ली सरकार केर द्वारा दिल्लीक मावलंकर हॉल मे “बिहार सम्मान समारोह” आयोजित कैल गेल । जाहि तरहें एहि समारोह केँ राजनीतिक रंग देल गेल, से देखिकय दंग रहि गेलहुँ । सच कहू तऽ एक बेर तऽ हमरा लागल जे कतहु कोनो चुनावी सभा मे तँ नहि बैसल छी । आलोचना करब हमर प्रवृति नहि रहल अछि, तखनहु कहियो-कहियो मजबूर भऽ जाइत छी । लगैत अछि जेना केकरहु बिहार सँ कोनो सरोकार नहि रहि गेल अछि, बस बिहार और बिहारी केँ इस्तेमाल करनाय टा बखूबी जानैत अछि ।

माननीय मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जी कहलनि जे यदि चाँद पर सेहो कोनो वैकेन्सी निकलत तऽ बिहारे चुनल जायत । हम माननीय मुख्यमंत्री जी सँ पूछय चाहैत छी जे अहाँ 3 साल मे बिहार एसएससी या बिहार लोक सेवा आयोग केर तहत बहाली कियैक नहि करबा पाबि रहल छी । कि अहाँ अही सँ खुश भऽ जाइत छी जे दिल्ली मे बिहारी भाई लोकनि केँ बखूबी सम्मान भेटति छन्हि, तऽ अहाँ बिहार मे रोजगार देबाक लेल कल-कारखाना कियैक नहि खुलबावैत छी या जे बंद पड़ल अछि ओकरा कियैक नहि चालू करबावैत छी । हम पूछैत छी जे कि हमरा जेहेन बिहारी जे दिल्ली, मुंबई, कलकता आदि जेहेन शहर मे रहिकय ओकरा आर्थिक रूप सँ सम्पन्न बनेबा मे मदद करैत छी, कि हम सब अपन राज्य मे सेवा नहि दय सकैत छी?

एहि मे कोनो शक नहि जे कि केजरीवाल जी हम सब बिहारी केँ राजनीति मे अयबाक लेल प्रेरित केलनि, एकरे नतीजा छैक जे पूर्वाञ्चल सँ 11 विधायक चुनल गेल छथि, सच मे ई बिहारीक ताकत थीक । केजरीवाल जी सँ पूछय चाहैत छी जे एतेक बड़ा मैथिल केर जमातक लेल दिल्ली मे अलग “मैथिली अकादमी” नहि स्थापित कय सकैत छी । कम सँ कम हमरा सबलेँ जमीन तऽ उपलब्ध करा देल जाउ । दिल्ली सरकार केर एहि बात लेल धन्यवाद देबय चाहैत छी जे हमर परम आदरणीय गुरुदेव श्री कुंजबिहारी मिश्रा जिनका सँ हम 5 साल धरि संगीतक शिक्षा- दीक्षा लेलहु हुनका सम्मानित केलक और मैथिली मे गेबाक मौका देलक और हमर परम मित्र भाई प्रकाश झा जी, मैलोंरंग केर निर्देशक व एनएसडीक चर्चित कलाकार केँ अहाँ ‘बिहारी सम्मान’ सँ सम्मानित केलहुँ । श्री गंगेश गुंजन जी, हिन्दी, मैथिली केर महान साहित्यकार और श्री महेंद्र प्रताप सिंह, मूर्धन्य साहित्यकार केँ सम्मानित केलहुँ।