किसलय कृष्ण, समाचार संपादक, मैथिली जिन्दाबाद!
सहरसा, अगस्त १७, २०१५.
सोझे सभास्थलसँ!!

मोदीजी सँ क्षेत्रक जनताकेँ अनेकों आशा:
सहरसा मे एम्स – कोसी पनबिजली उद्योग योजनाक विस्तार – सिंचाई लेल समुचित नहर विस्तार – किसान केँ राहत लेल व्यवस्था – कोसीक्षेत्र सहित समस्त मिथिला क्षेत्र मे पूर्वहि समान औद्योगिक विकास – रोजगारक समुचित अवसरक निर्माण – मधेपुरा मे प्रस्तावित रेल कारखाना – निर्मली सँ फारबिसगंज धरिक बड़ी रेल लाइन केर शुरुआत - कोसी तटबंध केर सुरक्षा आ बाढिक स्थायी निदान – जुट सहित अन्य नकदी फसल केर संवर्धन लेल क्षेत्र केँ विशेष कृषि विकास एवं कल्याण पैकेज – कोसी-गंगा केर बाट सँ कोलकाता बंदरगाह धरि पनिया जहाज आ जल-परिवहन केर महात्वाकांक्षी योजना पर कार्यारंभ, जलकृषि मे मत्स्य आ मखान पर विशेष ध्यान – एहेन तरहक सैकड़ो विकासक परियोजना पर केन्द्र सरकार समय-समय पर किछु न किछु घोषणा करैत आयल अछि, कतेक रास काजो शुरुआत भऽ चुकल अछि। मुदा राज्यक उपेक्षा सँ त्रस्त एहि क्षेत्रक जनता केँ वर्तमान मोदी सरकार सँ अत्यधिक अपेक्षा छैक।
मिथिला परंपरा सँ प्रधानमंत्री मोदीक होयत स्वागत:

मैथिली जिन्दाबाद केर प्रतिनिधिक तौर पर समाचार संपादक किसलय कृष्ण केँ भेटल स्पेशल प्रेस-पास:
आयोजक एवं प्रशासनक विशेष सिफारिश पर ‘मैथिली जिन्दाबाद’ केर प्रतिनिधिक तौर पर समाचार संपादक किसलय कृष्ण केँ प्रधानमंत्रीक एहि महत्वपूर्ण कार्यक्रम मे प्रतिनिधित्व करबाक अवसर देल गेल अछि। मात्र चुनित पत्रकार केँ एहि सुविधाक लाभ देल गेल अछि। मैथिली जिन्दाबाद एहि लेल आभार सहित धन्यवाद ज्ञापन करैत अछि आ अपन गुणस्तर सदैव निरपेक्ष एवं निर्भीक राखि राष्ट्र एवं राष्ट्रीयताक हित मे रखबाक वचनबद्धता प्रकट करैत अछि।