अमित आनन्द, सहरसा। अगस्त १७, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

बिहारक परिप्रेक्ष्य आ राष्ट्रीय राजनीति मे विपक्षक भूमिका पर सेहो प्रधानमंत्रीक भाषण मे संबोधन होएबाक अपेक्षा कैल जा रहल अछि। प्रधानमंत्री द्वारा बिहार मे पूर्व मे दुइ चुनावी सभा मे एहि बातक संकेत सेहो कय देल गेल छल।
रैली क्षेत्र एखन पुलिस छावनी मे परिणति पाबि चुकल अछि। शहरक चारूकात सुरक्षा बन्दोवस्त चाक-चौबंद कय देल गेल अछि। नेपाल सँ सटल सीमा रहबाक कारण सुरक्षा व्यवस्था पड़ोसी जिला सब मे सेहो हाई एलर्ट पर राखल गेल अछि। सभा मे लाखों लोकक जमावड़ा होयबाक संभावना देखि समुचित इन्तजाम कैल गेल अछि।
कुसहा तटबंधक ध्वस्त भेल बीत गेल ७ वर्ष: सातम वर्षी पर प्रधानमंत्रीक रूप मे मोदीक यात्रा
भीमनगर कोसी बैरेज सँ उत्तर नेपालक्षेत्र मे कुसहा मे २००८ मे टूटल बाँध, ताहि सँ आयल जलप्रलय आ सहरसा क्षेत्र मे भेटल लाखों शरणार्थी केँ जीवन बचेबाक आश्रय – अनेको प्रकारक गाथा-संस्मरणक संग प्रधानमंत्री मोदी एहि अवसर पर अपन यात्रा बनौलनि अछि। बिहार सरकार द्वारा राहत कार्य मे कैल गेल कोताही आ असमानता सँ लैत पूर्वाधारक विकास आ बाढि नियंत्रणक स्थायी समाधान धरिक विषय पर रहत प्रधानमंत्रीक ध्यान। पनबिजली निर्माण सँ जल यातायात आ नदी-जुड़ाव सहित पूर्वी आ पश्चिमी मिथिला बीच सड़क तथा रेल सम्पर्क लेल राजग सरकार पहिनहि सँ सजग रहल अछि। प्रधानमंत्रीक एहि यात्रा सँ नव घोषणा होएबाक अपेक्षा सेहो कैल जा रहल अछि।
प्रधानमंत्रीक स्वागत ओहिना जेना रावणबध कय लंका जीति राम अयोध्या आयल छलाह: भाजपा कार्यकर्ता
प्रधानमंत्रीक होर्डिंग सँ पूरे सहरसा नगर पटि गेल अछि। जगह-जगह तोड़ण-द्वार केर निर्माण कैल गेल अछि। चारू तरफ मोदी-मोदी चर्चा मे अछि। सड़क केर कोनो चौक वा चौराहा सजावट सँ चूकल नहि अछि। समस्त जनमानसक मस्तिष्क मे बस प्रधानमंत्री मोदीक छवि समाहित अछि। एहि क्षेत्रक लोक मे मोदीक अपूर्व जीत सँ मानू आब नया उत्साह पसरल अछि। एहि बेर जाति या धर्म केर आधार नहि, मोदी एकमात्र आधार आ विकास टा मुद्दा होयत – एहि तरहक चर्चा सरेआम चलि रहल अछि।
सुरक्षा इन्तजाम कैल गेल चाक-चौबंद
पटेल मैदान केँ तीन-तह सुरक्षा घेरा मे राखल गेल अछि। बिना वैलिड परिचय पत्रक कियो एहि क्षेत्र मे प्रवेश नहि कय सकैत अछि। एयरपोर्ट प्रवेश पर समाचार संवाददाता सब पर सेहो रोक लगा देल गेल अछि। एयरपोर्टक दिवाल केँ श्वेत वस्त्र सँ कवर कय देल गेल अछि।
शहर मे ट्रैफिक व्यवस्था सेहो पूर्ण चौकस कय देल गेल अछि। मोदीक प्रशंसक जे गाड़ी लय केँ कार्यक्रम स्थल धरि जेबाक प्रयास करता तिनका लेल कनेक दिक्कतक सामना करय पड़तैन, कारण ४ किलोमीटर पूर्वहि सँ गाड़ी आवाजाही पर रोक लगा देल गेल अछि।
महिषीक गौतम कुमार चौधरी कहैत छथि जे यदि एतेक रास व्यवधान पार करबाक बाद प्रधानमंत्रीक दर्शन होयत तऽ टेलिविजन पर देखब बेसी पसिन करब।