Search

अनेसास-नवोदित (कतार) केर ४८म साहित्यिक श्रृंखला बैसार संपन्न

विन्देश्वर ठाकुर, दोहा-कतार । अगस्त १५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!! 

anesaasaकतारमे स्थापित साहित्यिक संस्था सब जाहि मे मुख्य नाम अन्तरार्ष्ट्रीय नेपाली साहित्य समाज, कतार च्याप्टर तथा नवोदित साहित्यिक
वाचनालय, कतारक संयुक्त आयोजना मे हरेक महिनाक दोसर शुक्र दिन विगत ४ बर्ष सँ नियमित रुप मे सञ्चालन होइत आबि रहल वाचन श्रृंखलाक ४८म डबली १४ अगस्त २०१५ शुक्र दिन माने काल्हि दोहाक टपफर्म रेष्टुरेन्ट मे सफलतापूर्वक सम्पन्न कयल गेल । हरेक कार्यक्रम मे फरक संयोजक तथा भिन्न-भिन्न विशिष्ट श्रोतावर्ग रहैत आबि रहल एहि कार्यक्रमक कौल्हका दिन विशिष्ट श्रोताक लेल नेपाली दलित सन्जालक अध्यक्षा सुश्री इन्दु लोहार जी केँ आमन्त्रित कएल गेल छल ।
तहिना कार्यक्रम संचालन नवोदितक अध्यक्ष श्री रबीन्द्र कुमार श्रेष्ठ जी केने छलथि । कार्यक्रम मे दोहा मे अपन श्रम केर बावजूदो साहित्य दिस कलम चला रहल रेगिस्तानी कवि तीर्थ संगम राई, सीताराम थापा, प्रवीण राई, तहिना गजलकार सब मे श्यामराज राणाभाट, लेख कार्की, दीप मिलन, इनोसेन्ट राजन लगायत दर्जनौं सँ बेसी नेपाली तथा मैथिली सर्जक सबहक उपाथिती छल । सबगोटे अपन-अपन गीत, गजल, कविता आ आन-आन रचना वाचन केलनि । एहि कार्यक्रम मे विन्देश्वर ठाकुर, मो. असरफ राइन, प्रणव झा तथा अब्दुल रजाक जी द्वारा विभिन्न रसगर मैथिली रचना केर वाचन कैल गेल छल ।
कतारक समय ३ बजेसँ ५ बजेधरि चलल ई कार्यक्रम नेपालक रेडियो http://www.nabinnepal.com/live-radio/ पर प्रत्यक्ष प्रशारण सेहो भेल छल । 

Related Articles