भारतक ६९म स्वतंत्रता दिवस: प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीक ऐतिहासिक संबोधन

दिल्ली, १५ अगस्त, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

namoभारतक ६९म स्वतंत्रता दिवस पर अपन कार्यकाल मे दोसर बेर लालकिला सँ संबोधित करैत नरेन्द्र मोदी राष्ट्र सँ भ्रष्टाचार केँ उन्मूलन करबाक सपना देखलनि। लेकिन ई सपना देखबाक लेल ओ यथास्थिति सँ नीक जेकाँ परिचित ईहो जोड़ि देला जे जहिना ‘दीमक’ लागल मकान सँ दीमक साफ करबाक लेल निरंतर उपाय करय पड़ैत अछि, किछु तहिना एहि देश सँ भ्रष्टाचार हँटायल जा सकैत अछि।

स्वतंत्रता दिवस केर अवसर पर प्रधानमंत्री केर भाषण (स्रोत: अल ईन्डिया रेडियो) केर मैथिली अनुवाद:

प्रधानमंत्री कहलनि जे 15 अगस्त केर ई भोर साधारण भोर नहि थीक। ई विश्व केर सबसँ पैघ लोकतंत्र केर भोर थीक, सवा सौ करोड़ देशवासीक सपना और संकल्पक भोर थीक। ओ आजादी पेबा लेल अपन जीवन बलिदान करनिहार समस्त स्वतंत्रता सेनानी केँ नमन केलनि। ओ कहलनि जे स्वतंत्रता केर वास्ते महापुरुष लोकनि अपन जवानी जेल मे गुजारि देलनि लेकिन संकल्प नहि छोड़लनि।

namo gandhiप्रधानमंत्री कहलनि जे अपन देश केर गणमान्य नागरिक, साहित्यकार, और समाजसेवी विश्व भरि मे भारतक सिर ऊंच केलनि अछि। संबोधन केर आरंभ मे देशवासी केँ शुभकामना दैत प्रधानमंत्री भारत केर विविधताक चर्चा केलनि और कहलनि जे भारतक जनजन केर सरलता और एकता देशक शक्ति थीक।

प्रधानमंत्री संबोधन केर शुरूआत मे देशक समृद्ध पुरातन परम्परा केँ स्मरण करैत एकता और सरलता केँ देशक पूंजी बतौलनि। ओ आह्वान केलनि जे जातिवाद केर जहर केँ पनपय सँ रोकय पड़त।

प्रधानमंत्री सवा सौ करोड़ लोक केँ टीम इंडिया बतबैत कहलनि जे यैह सवा सौ करोड़ लोकक टीम जखन एक संग आबि जाइत अछि तऽ ओ राष्ट्र केँ बनबैत अछि, बढ़बैत अछि और बचबैत सेहो अछि। ओ कहलनि जे आइ जे किछु अछि, आर जे प्रयास कैल जा रहल अछि, ओ सवा सौ करोड़ टीम इंडिया केर कारण टा सँ अछि। प्रधानमंत्री टीम इंडिया मे जन भागीदारी केर मुख्य भूमिका पर सेहो जोर देलनि अछि।

शासन व्‍यवस्‍थाक सार्थकता एहि बात मे अछि जे हमरा लोकनिक योजना गरीबक कल्याण मे कोना काज लागि सकत। गत वर्षक संबोधन केँ स्मरण करैत ओ कहला जे एक वर्ष बाद आइ पवित्र ध्वज केँ साक्षी रखैत हम ई कहय चाहैत छी जे एक वर्ष मे टीम इंडिया सवा सौ करोड़ देशवासीक परिश्रमक संग सपना केँ साकार करय मे जुटि गेल अछि।

प्रधानमंत्री बैंक सबहक राष्‍ट्रीयकरण केर सेहो चर्चा केलनि और कहलनि जे तहियो गरीब, बैंक खाता सँ वंचित रहय और हमर प्रयास यैह रहल जे प्रत्‍येक व्‍यक्तिक बैंक मे अपन खाता हो।

प्रधानमंत्री कहलनि जे देश केर गरीब सँ गरीब व्‍यक्तिक आर्थिक गतिविधि केँ मुख्‍यधारा सँ जोड़य पड़त। बैंक खाता खोलनाय एकटा प्रारंभिक बिंदु थीक। सत्रह करोड़ लोक प्रधानमंत्री जनधन योजनाक अंतर्गत खाता खुलवौलक अछि। गरीब सबहक अमीरी केर आभार प्रकट करैत ओ कहलैन जे जीरो बैलेंस अकाउंट खोलबाक बावजूद ई गरीब सब बीस हज़ार करोड़ खाता मे जमा करौलनि अछि। यैह गरीब केर अमीरीक बलबूता सँ टीम इंडिया आगू बढ़त।

बैंक कर्मचारीगण, अधिकारीगण और बैंक केर अभिनंदन करैत ओ कहला जे हरेक व्यक्तिक लेल आब अपन द्वार खोलि देल गेल अछि।

आर्थिक चिंतनधाराक संदर्भ मे प्रधानमंत्री पिरामिड केर उदाहरण दैत कहलनि जे जहिना सबसँ निचुलका सतह सबसँ बेसी चौड़ा होइत छैक, तहिना देश मे विकास लेल पिरामिड मे शोषित, दलित और बंचित व्यक्ति बैसल अछि, हमरा लोकनि केँ ओकरे मज़बूत करबाक अछि। आर्थिक मज़बूतीक ई पिरामिड अगर सबकेँ साथ लऽ कय ठाढ होयत तऽ ओकरा कोनो संकट नहि आबि सकैत छैक।

प्रधानमंत्री अपन सम्‍बोधन मे सामाजिक सुरक्षा पर बल देलनि। ओ कहलनि जे करोड़ों लोकक पास सुरक्षा कवच नहि छैक। प्रधानमंत्री सुरक्षा बीमा योजना, प्रधानमंत्री जीवन ज्‍योति बीमा योजना और अटल पेंशन योजना केर माध्यम सँ एकटा नव संस्‍कृति बनायल गेल अछि। ओ कहलनि जे एहि योजनाक अंतर्गत प्रीमियम राशि बहुत कम अछि।

प्रधानमंत्री स्पष्ट केला जे एक सरकार केर कसौटी अही बात पर होइत छैक जे ओ अपन वादा केँ कतेक पूरा केलक अछि। देश केर सवा सौ करोड़ देशवासी केँ समय पर निर्धारित कार्य केँ पूरा करबाक कार्यक चर्चा केलनि। टीम इंडिया केर स्वच्छता अभियान केर प्रशंसा करैत ओ देशवासी सब केँ बधाई देलनि और कहलनि जे देशक विभिन्न वर्ग और विभिन्न क्षेत्र मे काज करयवला लोक द्वारा स्वच्छता वास्ते जन सामान्य केँ प्रशिक्षित करबाक बीड़ा उठायल गेल।

प्रधानमंत्री देशक बच्चा सबहक प्रशंसा करैत कहलनि जे स्वच्छ भारत अभियान केर सबसँ पैघ ताकत देशक छोट-छोट बच्चा थीक। 2019 मे महात्मा गांधी केँ देश केर सच्चा श्रद्धांजलि तहिये होयत जहिया हम स्वच्छ भारत केर सपना साकार करब।

2 लाख 62 हज़ार विद्यालय मे सवा चारि लाख शौचालय बनेबाक पैघ काज कैल गेल आर आब हम राज्‍य सरकार, सरकारी अधिकारिगण और ओहि नीति-निर्धारक केँ अभिनंदन करैत छी जे एहि कार्य केँ करबा मे आत्‍मविश्‍वास केर शक्ति और प्रेरणा सँ कार्य केलनि अछि।

प्रधानमंत्री देशवासी सँ नया संकल्‍प और सपना केर पूर्ति करबाक आह्वान केलनि और कहलनि जे श्रमेव जयते केर नाराक संग गरीब मज़दूर केर प्रति दृष्टिकोण केँ मनक संकल्‍प सँ बदलू। श्रमिकवर्गक सम्मान, ओकर गौरव राष्ट्रीय कर्तव्य थीक और यैह जन-जन केर सोच होयबाक चाही। असंगठित क्षेत्र केर लोकक पसीनाक कमाई सँ 27 हजार करोड़ रुपया सरकार केर खाता मे पड़ल अछि। श्रमिक सबकेँ आब एकटा विशेष पहचान कार्ड देल गेल अछि, जाहिसँ हुनका लोकनिक तबादला होयब वा हुनकर कोनो आर दोसर नौकरी मे जयबाक स्थिति बनलो पर ओ नंबर हुनकर संग रहत आर हुनकर कमाई सेहो हुनकहि पास रहत।

सुशासन लेल देश केर कानून मे भ्रम होयब और न्‍यायपालिका पर अनावश्‍यक बोझ डालब ठीक बात नहि होइत छैक, ई कहैत प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी देशवासी केँ विश्वास दियौलनि जे देश भ्रष्‍टाचार सँ मुक्‍त भऽ सकैत अछि। दीमक जेकाँ लागल भ्रष्‍टाचार पर उदाहरण सहित अपन सम्‍बोधन मे श्री मोदी कहलनि जे हमरा सब केँ एकरा मेटेबाक लेल कतेको तरहक प्रयास करय पड़त। भ्रष्‍टाचार सँ मुक्ति लेल कोटि-कोटि प्रयास केर आवश्‍यकता छैक।

प्रधानमंत्री कहला जे प्रत्यक्ष अंतरण योजना तथा आधार नंबर केर माध्यम सँ रसोई गैस केर सब्सिडी सीधा ग्राहक केर खाता मे जमा करायल गेल अछि। 15 हज़ार करोड़ रुपया जे कि गैस सिलेंडर के नाम सँ चोरी होइत छल, ताहि पर रोक लागि गेल अछि और बिचौलिया तथा कालाबाज़ारी दोकान सब बंद भेल अछि। सही दिशा मे प्रयास कयला सँ सफलता भेटैत छैक। प्रधानमंत्री देशवासी सँ सवाल केला जे अगर अहाँ समृद्ध छी तऽ सब्सिडी कियैक लैत छी? ओ सरकार केर एहि अभियानक चर्चा करैत बतौला जे बीस लाख लोक एखन धरि गैस सब्सिडी छोड़ि देलक अछि जे कि बहुत पैघ आंकड़ा थीक।

प्रधानमंत्री कोयलाक चर्चा केँ राजनीति केर तराजू मे नहि तौलबाक अपील केलनि। ओ कहलनि जे टीम इंडिया केर पराक्रम और संकल्‍प यैह छैक जेकर तहत समय सीमा मे कोयलाक नीलामी भेल आर तीन लाख करोड़ रुपया देशक खज़ाना मे आबि गेल।

प्रधानमंत्री एफ एम रेडियो केर नीलामी केर चर्चा करैत कहलनि जे एकरा लेल हुनका पर बहुत दबाव छल, लेकिन एफ एम रेडियो केर नीलामी करायल गेल अछि, जे कि हज़ारों करोड़ रुपया सँ ऊपर चलि गेल अछि।

प्रधानमंत्री अपन संबोधन मे काला धन केर बारे मे विशेष जांच दल गठित करबाक तथा सरकार केर अन्य महत्वपूर्ण कार्य सबहक चर्चा केलनि। 65 सौ करोड़ रुपयाक अघोषित आय सामने आयल अछि। प्रधानमंत्री कहलनि जे काला धन पर हमर कानून सँ लोक परेशान भेल अछि, लेकिन हम काला धन केर खिलाफ कठोरता सँ आगू बढ़ैत रहब। हम जी-20 देश सँ सेहो एहि संबंध में सहयोग मांगलहुँ अछि। प्रधानमंत्री केंद्र सरकार केर प्रशंसा करैत कहलनि जे एहि सरकार पर भ्रष्‍टाचार केर कोनो आरोप नहि अछि।

हिनक सरकार भ्रष्‍टाचार केर खिलाफ अपन अभियान केँ आगाँ बढ़ेलक अछि। श्री मोदी कहला जे हुनक सरकार बनलाक बाद भ्रष्‍टाचार केर करीब अठारह सौ मामला दर्ज कैल गेल अछि।

किसान केर परेशानी केँ बुझैत प्रधानमंत्री सिंचाई योजनाक वास्ते पचास करोड़ रुपया प्रदान करबाक बात कहला। देशक कृषि जीवन केँ एक बहुत पैघ बदलाव केर आवश्यकता बताबैत ओ कहला जे “पर ड्रॉप मोर क्रॉप” ई योजना हम लऽ के आयल छी। प्रधानमंत्री आह्वान केलनि जे हमरा सबकेँ कृषि उत्पादकता बढ़ेनाय जरुरी अछि। एकरा वास्ते किसान केँ बिजली और पानी जरुरत केर मुताबिक भेटबाक चाही। वर्षा कम भेलाक बादो महंगाई कम करबा मे हम सफल भेलहुँ।

प्रधानमंत्री कहला जे हम किसान केँ नीम युक्‍त यूरिया देनाय शुरू केलहु अछि। किसान सँ आह्वान केलनि जेना बिना नीम कोटिंग वाला यूरिया दुकान सँ नहि ली।

प्रधानमंत्री कहला जे हम पूर्वी भारत पर ध्यान केंद्रित केलहुँ अछि। किसान केर विकासक चर्चा करैत प्रधानमंत्री घोषणा केलनि जे कृषि मंत्रालय आब कृषि और किसान कल्याण मंत्रालय केर नाम सँ जानल जायत। कृषि मंत्रालय केर जतेक महत्व अछि, ओतबे आवश्यकता देश केर जवानक कल्याण केर सेहो अछि।

प्रधानमंत्री वादा केलनि जे एक हज़ार दिन केर अंदर वंचित गाम मे बिजली पहुंचि जायत। राज्‍य और इकाइ केर सहयोग सँ एक हज़ार दिन मे 18 हज़ार पांच सौ गाम मे बिजली पहुंचेबाक काज पूरा कैल जायत।

प्रधानमंत्री देशक युवा सब केँ प्रोत्साहन देबाक बात करैत कहला जे छह हज़ार करोड़ रुपया आदिवासी क्षेत्रक विकास लेल खर्च कैल जायत।

प्रधानमंत्री कहला जे हुनकर सरकार द्वारा पूर्वी भारत केर विकास पर ज़ोर देल गेल अछि। ओ कहलनि जे पूर्वी उत्‍तर प्रदेश, बिहार, पश्चिम बंगाल और पूर्वोत्‍तर केँ ताकतवर बनेबाक लेल ढांचागत सुविधा आदि पर विशेष रूप सँ ध्‍यान देल गेल अछि।

प्रधानमंत्री कहला जे एहि वर्ष बाबा साहेब अंबेडकर केर 125वीं जयंती केर वर्ष अछि। देश मे बैंक सबहक सवा लाख शाखा अछि और बैंक केर हरेक शाखा एक दलित केँ उद्यमी बनेबाक लेल प्रोत्साहन देत। ओ कहलनि जे हम आबयवला दिन मे “स्टार्ट अप इंडिया” केर शुरूआत करब।

प्रधानमंत्री कहलनि जे पूंजी निवेश करयवाला केँ सरकार केर आर्थिक विभाग द्वारा नव-नव योजना सब शुरू कैल गेल अछि। एहि दिशा मे एक नव पहल केँ जोड़ैत कहला जे यदि कोनो उद्योग अधिक सँ अधिक लोक केँ रोजगार देत तऽ ओकरा अलग सँ आर्थिक पैकेज सेहो देल जायत।

प्रधानमंत्री नौकरी मे साक्षात्कार केर आवश्यकता पर सवालिया निशान लगबैत आग्रह केलनि जे राज्य सरकार और सरकारी अधिकारी छोट-छोट नौकरी मे मैरिट केर आधार पर नौकरी दैथ और साक्षात्कार केर सिलसिला केँ समाप्त करैथ।

वन रैंक वन पेंशन केर बारे मे श्री मोदी कहलनि जे सरकार एहि लेल दृढ़ संकल्‍पित अछि। हम वन रैंक वन पेंशन केँ स्‍वीकार कय लेने छी और एकरा ऊपर संबंधित संगठन आदि सँ बातचीत केर दौर चलि रहल अछि।

प्रधानमंत्री सम्‍बोधन समाप्‍त करबा सँ पहिने कहला जे 2022 मे 15 अगस्‍त केर भोर केँ आज़ादीक वीर सैनिक केर आत्‍मा देखत जे कि सवा सौ करोड़ सपना पूरा कय लेल गेल अछि।

प्रधानमंत्री संबोधन केर अंत मे देशवासी केँ शुभकामना दैत कहलनि जे 2022 तक हमरा लोकनि केँ एक श्रेष्ठ, सुसंस्कृत, और स्वाभिमानी भारत केर सपना साकार करबाक अछि। हमरा लोकनिक कृषक- सबल हो, सैनिक- संतुष्ट हो युवा- स्वाबलंबी और बुजुर्ग- सकुशल हो और एहि देश केर हर नागरिक केर अधिकार समान हो।