अहमदाबाद, २६ जनवरी २०२६ । मैथिली जिन्दाबाद !!
शाश्वत मिथिला एवं माँ जानकी सेवा समिति अहमदाबाद केर संयुक्त आयोजना मे आगामी १ फरवरी २०२६ रवि दिन २ः३० बजे सँ अबेर सन्ध्या धरि भव्य “शाश्वत मिथिला महोत्सवर २०२६” केर आयोजन होयत ।
परम्परानुसार उद्घाटन सत्रक संग ‘कतेक जिबैए मैथिली’, सम्मान समारोह, पोथी विमोचन एवं साहित्यिक तथा सांस्कृतिक कार्यक्रम कयल जायत । एहि सन्दर्भक बैसार आइ शाश्वत मिथिला भवन मे आयोजक संस्थाक सदस्य लोकनि सम्पन्न कयलनि अछि ।
विदित हो जे भारतक सर्वथा सभ्य आ भव्य आयोजन लेल प्रसिद्ध अछि शाश्वत मिथिलाक आयोजन, जे नहि केवल अहमदाबादक मैथिल समुदाय केँ एकजुट बनाकय सब कार्य करैत अछि अपितु सम्पूर्ण गुजरातक संग-संग भारत आ नेपाल धरिक ओतबेक ऊर्जा आ प्रेरणाक संचरण करैत वृहत् स्तरक सहभागिता मे आयोजन सब करैत आबि रहल अछि ।
एहि आयोजनक एकटा आर खासियत ई रहैछ जे हरेक वर्ष ‘कतेक जिबैए मैथिली’ नामक क्विज प्रतियोगिता सेहो कयल जाइछ तथा विजेता सब केँ आकर्षक इनाम सब देल करैछ । एहि तरहें मिथिलाक लोकसंस्कृति आ परम्परा सँ सम्पूर्ण प्रवासी मैथिल परिवार केँ जोड़िकय राखय मे महोत्सव नीक सन्देश देल करैछ ।
एकटा आर सन्दर्भक उल्लेख करब जरूरी बुझाइछ जे शाश्वत मिथिलाक आयोजन द्वारा गुजरातक अलावे मूल मिथिलाक विषय-सन्दर्भ सँ जुड़ल महत्वपूर्ण लक्ष्य सभक सन्धान सेहो होइत आबि रहल अछि । यथा पुनौराधाम (सीतामढ़ी) मे जानकी प्राकट्य भूमि पर भव्य जानकी मन्दिरक निर्माण केर घोषणा भारतक गृहमंत्री अमित शाह द्वारा शाश्वत मिथिलाक भवन उद्घाटन कार्यक्रम मे कयल गेल छल गत वर्ष आर एहि लेल बिहार सरकार द्वारा आवश्यक प्रक्रिया तथा बजट आबन्टन कार्य तक पूरा कयल जा चुकल अछि ।
तहिना शाश्वत मिथिलाक संलग्नता मे गठित ‘ग्लोबल मैथिल’ द्वारा बिहार सरकार सँ विद्यापति जन्मस्थली विस्फी मे भव्य राष्ट्रीय स्मारक निर्माणक प्रस्ताव राखल गेल छल तथा एहि दिशा मे सेहो सुसंयोग सँ बिहार सरकार द्वारा समुचित आदेश व बजट आबन्टन धरिक कार्य कयल जा चुकल अछि ।
शाश्वत मिथिलाक वरिष्ठजन सब एहि वर्ष सेहो तेहने किछु महत्वपूर्ण घोषणा करता से अपेक्षा कयल जा रहल अछि । संस्थाक प्रगतिपथ पर अग्रसर कयनिहार चर्चित व्यक्तित्व संगहि वर्तमान अध्यक्ष राज किशोर झाक कथनानुसार एहि वर्ष गुजरात सरकार सँ “मैथिली अकादमी” केर स्थापनाक माँग आ तेकरा लेल स्वीकृतिक कार्य कयल जायत से अपेक्षित अछि ।
शाश्वत मिथिलाक कोषाध्यक्ष संतोष मिश्र आजुक बैसार सम्बन्ध मे फेसबुक अपडेट मार्फत वृहत् सहभागिता लेल सब केँ आमंत्रित कयलनि अछि ।एहि संस्था एवं आयोजकवर्गक दर्जनों व्यक्तित्व सभक सङ्गोर मे आइ डाभोरिया स्थित शाश्वत मिथिला भवन मे बैसारक फोटो सेहो सार्वजनिक कयलनि अछि । मैथिली जिन्दाबाद तरफ सँ कार्यक्रमक सफलता लेल शुभकामना अछि । मैथिलीक झंडा चारू दिश फहराइत रहय !! आजुक बैसार मे सहभागी नेतृत्वकर्ता लोकनि मे ललित झा, प्रवीण झा, शिवशंकर झा, प्रकाश झा सहित आर बहुते लोक शामिल छलथि । आयोजनक सन्दर्भित तथा अतिथि सत्कार सँ लैत अन्यान्य व्यवस्थापनक जिम्मेदारी सेहो बाँटल जेबाक कार्य आजुक बैसार द्वारा कयल गेल ।
संस्था द्वारा प्रस्तावित कार्यक्रमक व्योरा सहितक आमंत्रण पत्र, सहभागी कलाकार-उद्घोषक-साहित्यकार लोकनिक पोस्टर आ कतेक जिबैए मैथिली क्विज प्रतियोगिताक नियमावली सहितक पोस्टर सब सेहो सोशल मीडिया द्वारा पोस्ट कयल गेल अछि जे एहि समाचारक संग संलग्न अछि । मैथिली भाषा-साहित्य, संस्कृति व समाजक उत्थान मे एहि तरहक व्यवस्थित आयोजनक अनुकरण सब ठाम हो यैह कामना कयल जेबाक चाही ।
