Search

मजगूत राष्ट्रीय एकता लेल कोन जरूरीः एकल भाषा या बहुभाषा ?

612 भ्यूज

यूरोप मे भाषाई सह-अस्तित्व: एक सँ अधिक आधिकारिक भाषा वला देश

(Article is for introspection by the politicians of Nepal not following the constitutional aspiration of Nepal’s new constitution proclaimed in 2015)

दुनियाक कतेको देश एक सँ अधिक भाषा केँ ‘आधिकारिक भाषा’ यानि ‘सरकारी कामकाजक भाषा’ रूप मे मान्यता देने अछि । एहि मे अफ्रीका मे २४ देश, एशिया मे ९ देश, अमेरिका मे ३, यूरोप मे १० आर ओशिनिया मे 9 देश शामिल अछि । एकर विपरीत, संयुक्त राज्य अमेरिका और ऑस्ट्रेलिया जेहेन किछु देश मे कोनो एक गोट भाषा केँ आधिकारिक भाषाक रूप मे मान्यता नहि देल गेल अछि ।

आधिकारिक भाषा ओ भाषा होइत अछि जेकरा कोनो देश मे अन्य भाषा आ बोली सभक तुलना मे एक अलग कानूनी आर राजनीतिक दर्जा देल गेल होइ । संक्षेप मे, आधिकारिक भाषा ओ भाषा होइछ जेकर उपयोग सरकारक संरचना सब मे, कार्यकारी, विधायी और न्यायिक तीनू निकाय मे संचार ओ पत्राचार केर वास्ते कयल जाइछ । आमतौर पर कोनो देश मे, कोनो भाषा तखन आधिकारिक भाषा बनैत अछि जखन ओहि भाषा केँ बाजयवला लोकक ओहि भाषा केँ आधिकारिक भाषाक रूप मे मान्यता देबाक आ ओकर रक्षा करबाक लेल पर्याप्त राजनीतिक प्रभाव रहैत छैक । उदाहरण लेल, स्पेन मे केवल एक्के टा आधिकारिक भाषा (कास्टेलानो) अछि; जखन कि ओकर १७% सँ ज़्यादा नागरिक कैटलन भाषा बजैत अछि । यैह कारण छैक जे कखनहुँ-कखनहुँ कोनो देशक मुख्य भाषा ओहि देशक निवासी लोकनिक बजाय ओहि देशक अधिवासी लोकनिक भाषा होइत अछि । (एतय अधिवासीक अर्थ भेल जे स्थानीय वासी केँ अपन अधीन रखने हो, शासन-प्रशासन अपन हाथ मे हथियेने हो ।)

एकर अलावे, राजभाषा आर राष्ट्रभाषा बीच अन्तर अवश्य कयल जेबाक चाही । जखनहुँ राष्ट्रभाषाक बात होइत अछि, त भूमि व भाषाक बीच सम्बन्धक ज़िक्र तुरंत उठैत अछि; अर्थात, कोनो देल गेल क्षेत्र (जो एकटा राष्ट्र-राज्य हेबाक दावा कय सकैछ) केर लोक सब द्वारा प्रयुक्त भाषा । एहि कारण, राजभाषा ओहि देशक राष्ट्रीय भाषा मे सँ एक भए सकैत अछि ।

यूरोपीय संघ केर २७ सदस्य देश मे सँ छह देश मे कम सँ कम दुइ गोट आधिकारिक भाषा अछि ।

ई देश अछि: बेल्जियम जेकर तीन टा आधिकारिक भाषा सब (डच, जर्मन, फ़्रेंच), लक्ज़मबर्ग जेकर तीन आधिकारिक भाषा सब (लक्ज़मबर्ग, फ़्रेंच, जर्मन), माल्टा जेकर दुइ टा आधिकारिक भाषा सब (माल्टीज़, अंग्रेज़ी), आयरलैंड जेकर दुइ टा आधिकारिक भाषा सब (आयरिश, अंग्रेज़ी), फ़िनलैंड जेकर दुइ गोट आधिकारिक भाषा सब (फ़िनिश और स्वीडिश) तथा साइप्रस जेकर दुइ टा आधिकारिक भाषा सब (तुर्की और ग्रीक) अछि ।

स्विट्ज़रलैंड, जे शेंगेन क्षेत्रक सदस्य अछि लेकिन यूरोपीय संघ सँ बाहर अछि, केर चारि टा आधिकारिक भाषा सब छैक: जर्मन, फ़्रेंच, इतालवी और रोमांश ।

एहि सब देश मे, आधिकारिक भाषा सब केँ समान दर्जा, अधिकार आर विशेषाधिकार प्राप्त छैक । आर – जाहि क्षेत्र मे पैघ संख्या मे लोक भाषाई अल्पसंख्यक अछि, ओतुका नगरपालिका आर प्रांतीय अधिकारी लोकनि द्वारा प्रशासनिक और सामाजिक सेवा मे ओहिठामक भाषा मे प्रदान कयल जाइत अछि ।

शिक्षाक क्षेत्र मे, छात्र सब आमतौर पर कोनो एकटा आधिकारिक भाषा मे अध्ययन करैत अछि आर यदि ओ चाहय, त ओ दोसर भाषाक रूप मे कोनो अन्य आधिकारिक भाषा केँ सिखब शुरू कय सकैत अछि; बेशक, ई देश-दर-देश थोड़ेक भिन्न भ’ सकैत अछि । ऐगला भाग मे, हम एहि संघ मे दुइ देश, अर्थात् बेल्जियम और लक्ज़मबर्ग, केर “भाषाई सह-अस्तित्व” केर उच्चतम स्तर द्वारा शासित हेबाक तरीका पर गौर करत ।

बेल्जियम: एक सँ अधिक आधिकारिक भाषा कियैक ?

पश्चिमी यूरोप मे स्थित, जर्मनी, नीदरलैंड आर फ्रांस केर सीमा सँ सटल बेल्जियम केर आबादी द्विभाषी अछि । लगभग ६०% बेल्जियमवासी (ज्यादातर देशक उत्तरी भाग मे) डच या एकरहि कोनो एक रूप, फ्लेमिश (बेल्जियम डच) बजैत अछि । लगभग ४०%% आबादी फ्रेंच भाषी अछि । बेल्जियम केर राजधानी ब्रुसेल्स मे, सरकारी संस्थान सब मे फ्रेंच आ डच केर व्यापक रूप सँ आधिकारिक भाषाक रूप मे उपयोग कयल जाइत अछि ।

जर्मन, जे लगभग १% बेल्जियमवासी द्वारा बाजल जाइत अछि, देशक तेसर आधिकारिक भाषा अछि । जर्मन भाषी लोक जर्मनीक सीमा सँ लागल लीज प्रांतक ओस्टबेल्जियन नामक क्षेत्र सँ अबैत अछि । ई भाषा देश मे डच आर फ्रेंचक तुलना मे कम प्रचलित छैक, कियैक तँ जर्मन भाषी क्षेत्र मुख्यतः प्रथम विश्व युद्धक बाद बेल्जियम मे शामिल कयल गेल छल ।

बेल्जियम मे यैह तीन टा भाषा केँ मान्यता एहेन समय मे भेटल छैक जखन फ्रेंच और फ्लेमिश भाषीक बीच हमेशा सँ राजनीतिक तनाव रहल छैक ।

यैह कारण अछि जे हालक वर्ष मे, पहिने सँ कतहु बेसी, कानून निर्माता एहेन कानून पारित कय रहल अछि जे दुनू भाषा बजनिहार लेल समान कार्य आर सामाजिक अवसर प्रदान करैत अछि ।

एहि तीन भाषाक अलावे, अंग्रेजी, लक्ज़मबर्गिश, पिकार्ड आर वालून (फ्रेंचक बोली सब) आर यिडिश (बेल्जियमक यहूदी समुदाय केर भाषा) जेहेन अन्य भाषा सेहो एहि देश मे आम छैक ।

बेल्जियम केर स्कूल सब मे कोन भाषा पढ़ायल जाइछ ?

बेल्जियम मे, १८ वर्षक आयु धरि स्कूली शिक्षा अनिवार्य आ निःशुल्क छैक । डच-भाषी क्षेत्र मे शिक्षाक भाषा डच, फ़्रांसीसी-भाषी क्षेत्र मे फ़्रांसीसी आर जर्मन-भाषी क्षेत्र सब मे जर्मन आ फ़्रांसीसी अछि । राजधानी ब्रुसेल्स मे, छात्र सभक शिक्षा केर भाषा फ़्रांसीसी या डच भ’ सकैत अछि ।

बेल्जियमक प्रशासनिक ढाँचा मे आधिकारिक भाषा

देशक इतिहास केर समीक्षा सँ पता चलैछ जे यद्यपि बेल्जियमक संविधान द्वारा हमेशा “भाषाक स्वतंत्रता” केर सिद्धांत पर ज़ोर देल गेल छैक, लगभग सौ साल पहिने तक, सरकारी संस्थान सब मे प्रमुख पद पर व्यावहारिक रूप सँ फ़्रांसीसी भाषी समुदायक लोक, आर एतय तक कि केवल फ़्रांसीसी टा, आसीन छल । आर २०वीं शताब्दी तक एहि देश मे फ़्रांसीसी टा केँ शिक्षाक एकमात्र भाषा मानल जाइत छल ।

एहि देश मे फ्लेमिश-भाषी नागरिक समाज द्वारा आंदोलन प्रयास केँ धीरे-धीरे मान्यता भेटलैक आर १८७३ मे, फ्रेंचक अलावा डच भाषा केँ सेहो आधिकारिक भाषाक रूप मे स्वीकार कयल गेलैक, हालाँकि किछु सरकारी आर न्यायिक गतिविधि सब, जेना अदालत मे मौखिक गवाही आर न्यायपालिका मे आपराधिक कार्यवाही, एहि लेल केवल फ्रेंच भाषा केँ मात्र स्वीकार कयल गेलैक ।

बेल्जियम मे डच मातृभाषाक रक्षा लेल दोसर कानून १८७८ मे पारित कयल गेलैक, जाहि सँ ब्रुसेल्स आ फ्रेंच-भाषी क्षेत्र सब मेे सेहो सरकारी संस्थान सब मे डच भाषा केँ आधिकारिक भाषा बना देल गेलैक । बेल्जियम मे शिक्षाक ढांचा मे डच भाषाक प्रवेश १८८३ मे संसद मे मातृभाषा सभक समर्थन मे तेसर कानून केर पारित भेलाक संग सम्भव भेल ।

१८९८ सँ, “समानताक कानून” केर अधिनियमन संगहि, फ्रेंच आ डच दुनू भाषा केँ समस्त कानूनी, प्रशासनिक, शैक्षिक और एतय तक कि सैन्य गतिविधि सब मे सेहो समान दर्जा देल गेल छैक, तथा स्थानीय अधिकारी सब केँ निवासी सभक मूल भाषा या निवासी सब द्वारा चुनल गेल भाषा मे सेवा प्रदान करबाक व्यवस्था कयल गेल छैक ।

तदनुसार, सबसँ पैघ सँ लय केँ सब सँ विस्तृत प्रशासनिक व कार्यकारी गतिविधि वर्तमान मे पूरे बेल्जियम मे तीनू प्रमुख भाषा मे उपलब्ध छैक । उदाहरणक लेल, बेल्जियम केर रेलव स्टेशन आ हवाई अड्डा सब पर, सम्पूर्ण सूचना डच आ फ़्रेंच दुनू मे उपलब्ध करायल जाइत छैक । आर जर्मन भाषी क्षेत्र मे, एहि दुनू भाषाक अलावे, सूचना सब जर्मन मे सेहो उपलब्ध करायल जाइत छैक ।

लक्ज़मबर्ग: तीन भाषा केँ मान्यता देबाक एकटा अलग तरीका

एहि छोट सन देश मे, जेकर प्रति व्यक्ति सकल घरेलू उत्पाद आब दुनिया मे दोसर स्थान पर छैक, लक्ज़मबर्गिश, फ़्रेंच और जर्मन तीन भाषा केँ आधिकारिक भाषाक रूप मे मान्यता प्राप्त छैक । एकर अलावे, आन यूरोपीय देश सब सँ आयल प्रवासी सभक व्यापक उपस्थिति अंग्रेजी आर पुर्तगाली दुनू भाषा केँ बहुत सामान्य बना देल गेल छैक ।

बेल्जियम, स्विट्ज़रलैंड या कनाडा जेहेन कतेक आर बहुभाषी देश सभक विपरीत, जेतय कतेको आधिकारिक भाषाक उपयोगक तर्क “जनसंख्याक भौगोलिक वितरण” मुताबिक छैक, लक्ज़मबर्ग केर दृष्टिकोण “व्यावहारिक” अछि; एकर अर्थ भेल जे भाषाक चुनाव परिस्थिति पर निर्भर करैत छैक ।

१९८४ केर कानून अनुसार, देशक राष्ट्रीय भाषा “लक्समबर्गिश” छैक; कानून “फ़्रेंच” मे लिखल जाइत छैक आ राज्य तीन टा भाषा “लक्ज़मबर्गिश, फ़्रेंच और जर्मन” केर प्रयोग करैत अछि । कानून मे ईहो कहल गेल छैक जे “यदि कियो नागरिक लक्ज़मबर्गिश, जर्मन या फ़्रेंच मे कोनो प्रश्न पुछैत अछि, त प्रशासन केँ यथासंभव वैह भाषा मे उत्तर दियए पड़त जाहि प्रश्न पुछल गेल अछि ।”

लक्ज़मबर्ग केर स्कूल सब मे, सब छात्र केँ तीन टा आधिकारिक भाषा मे अध्ययन करब अनिवार्य छैक; हालाँकि, एहि कार्य लेल छात्रक आयु वर्ग केर सेहो ध्यान मे राखल जाइत छैक । एहि प्रकारे, प्राथमिक विद्यालय सब मे पाठ जर्मन मे होइत छैक, लेकिन व्याख्या लक्ज़मबर्गिश मे होइत छैक, आर जेना-जेना छात्र लोकनिक आयु बढ़ैत छैक, धीरे-धीरे फ़्रेंच भाषाक शिक्षण शुरू भ’ जाइत छैक, जाहि सँ हाई स्कूल मे, सबटा बुनियादी विज्ञान व व्यवसाय एवं प्रशासन सँ सम्बन्धित पाठ पूरापूरी फ़्रेंच मे पढ़ायल जाइत छैक ।

लक्ज़मबर्ग केर संसद मे तीन टा भाषाक प्रयोग होइत छैक, लेकिन कानून पर मतदान फ़्रेंच मे होइत छैक । देशक मीडिया, जाहि मे ऑडियो, वीडियो आर लिखित मीडिया शामिल अछि, ताहि मे तीनू आधिकारिक भाषा सभक व्यापक रूप सँ उपयोग कयल जाइछ ।

एहि सब देश मे कतेको रास आधिकारिक भाषा सब चुनबाक कि औचित्य अछि ?

एहि सब देश मे, एक के बजाय कतेको रास आधिकारिक भाषा हेबाक एकटा मुख्य कारण ई अचि जे ई समाज, अपन ऐतिहासिक उथल-पुथल केर दौरान, आर जेना कि प्रत्येक देश केर “भाषा मानचित्र” सँ स्पष्ट अछि, एहि निष्कर्ष पर पहुँचल अछि जे “साझा भाषा” सँ ओकर राष्ट्रीय एकता सुदृढ़ नहि भए सकैत छैक ।

वास्तव मे, एहि सब देशक भाषा मानचित्र कतेको अलग-अलग भौगोलिक क्षेत्र सब मे कतेको अलग-अलग भाषाई समुदाय सब सँ युक्त एक भूमि केँ दर्शाबैत अछि । हालाँकि एहि समाज सभक बीच आवाजाही होइत छैक आर सब एक्के टा झंडा व विधानक तहत अपन राष्ट्रीय पहचान पर बल दैत अछि, तैयो “साझा भाषा” राष्ट्रीय एकताक कारण नहि होइछ । पैछला दुइ सौ वर्ष मे युद्ध आ व्यापार मे वृद्धिक कारण उच्च स्तर पर प्रवासन, संगहि अंतर-सरकारी समझौता द्वारा नव सीमा निर्माण द्वारा, विभिन्न भाषा आ संस्कृति सभक पैघ आबादी केर एक राजनीतिक इकाई, जेकरा देश कहल जाइत छैक, तेकर सीमा भीतर बसायल गेल अछि ।

ताहि हेतु एहि सब देश मे जातीय तनाव केँ यथासम्भव कम करबाक लेल “शांतिपूर्ण भाषाई सह-अस्तित्व” केर नीति अपनायल गेल अछि; ई नीति आधिकारिक भाषा सब केँ समानता, भाषाक प्रयोग केर स्वतंत्रता आर क्षेत्रीय सिद्धांतक आधार पर क्षेत्र सब केँ अधिक कार्यकारी शक्ति प्रदान करबाक तीन गोट सिद्धांत पर आधारित अछि ।

कि बहुभाषावाद देशक एकताक विरुद्ध अछि ?

एहि सब देश मे भाषाई समुदाय सभक बीच कहियो-कहियो देखाय दयवला सांस्कृतिक तनाव केर बावजूद, एहि बात पर आम सहमति अछि जे भाषाई अलगाव केर अर्थ राष्ट्रीय पहिचान केर खंडन नहि थिक । उदाहरण लेल, स्विस हमेशा एहि बात पर ज़ोर दैत रहल अछि जे नहि त फ़्रांसीसी भाषी स्विस समुदाय फ़्रांसक हिस्सा अछि आ नहिये जर्मन भाषी स्विस समुदाय जर्मनी केर । ओ सब एहि बात पर सेहो जोर दैत अछि जे भाषाई सीमा कैंटन केर सीमा सँ बिल्कुल मेल नहि खाइछ, आर यैह कारण सँ द्विभाषी आर त्रिभाषी दुनू कैंटन अछि ।

स्विट्ज़रलैंड मे, भाषाई सीमा धार्मिक सीमा सँ सेहो मेल नहि खाइत अछि । यैह लेल एहि बातक कोनो प्रमाण नहि अछि जे सब जर्मनिक भाषा स्विस प्रोटेस्टेंट छी आ सब फ़्रांसीसी भाषा कैथोलिक छी । एकर विपरीत, अर्थात्, जिनेवा, वॉड और न्यूचैटेल, ई तीन फ़्रांसीसी भाषी कैंटन द्वारा स्विट्ज़रलैंड मे प्रोटेस्टेंटवाद केँ बढ़ावा दय मे महत्वपूर्ण भूमिका निभेलक अछि ।

एक सँ अधिक आधिकारिक भाषा हेबाक कि लाभ अछि ?

एक सँ अधिक आधिकारिक भाषा हेबाक पहिल लाभ देशक विभिन्न क्षेत्रक निवासी सभक बीच बेहतर सम्बन्ध स्थापित करब, समाज मे “भाषाई आर सांस्कृतिक सहिष्णुता” केर स्तर केँ बढ़ायब आर सामाजिक ध्रुवीकरण केँ कम करब अछि ।

ई सरकार द्वारा एकटा जटिल सामाजिक चुनौती केर जवाब देबाक एकटा प्रयास सेहो थिक; देश मे सबसँ बेसी बाजल जायवला आबादी लेल समान अवसर सृजित कय केँ, ओकरा बीच कानूनी आर प्रशासनिक सुविधा सब केँ बेसी समान वितरण सम्भव अछि । एकर अतिरिक्त, एक सँ अधिक आधिकारिक भाषा भेला सँ कोनो भाषाई अल्पसंख्यक केँ अपन सांस्कृतिक विशेषता सब केँ बनेने रखनाय आर विकसित कयनाय मे मदति भेटैत अछि, देशक आन हिस्साक लोकक संग ओकर समानता आ फलस्वरूप ओकर सेहो बेसी समान होइत अछि; ई राष्ट्रीय एकता केँ मजगूत करैत अछि ।

ई ध्यान राखब महत्वपूर्ण अछि जे देश मे एक सँ अधिक आधिकारिक भाषा हेबाक अर्थ अछि, नागरिक सभक प्रत्येक भाषाक माँग केँ पूरा करबाक लेल आधिकारिक संस्थान सभक “क्षमता” मे वृद्धि, आर एकर अर्थ ई नहि अछि जे “सब केँ सबटा आधिकारिक भाषा सिखइये पड़त” ।

सीमाक भीतर एक सँ अधिक भाषा केँ मान्यता दय केँ, सरकार ई स्वीकार कय रहल अछि जे देश मे सब सँ पैघ आबादी वला भाषाई अल्पसंख्यक सब केँ अपन मातृभाषा बनाकय राखब आ अपन भाषा मे सार्वजनिक सेवा सब प्राप्त करबाक अधिकार अछि । एकर अर्थ एकटा विविध समाज मे भाषाई और सांस्कृतिक बहुलवादक सम्मान करब सेहो अछि । एहेन नीति केँ लागू करबाक लेल प्रांतीय अधिकारि लोकनि आ केन्द्रक बीच अधिक सहयोगक सेहो जरूरत होयत, जे अन्ततः, आर क्षेत्र सभक संग केन्द्रक बेसी प्रशासनिक आदान-प्रदानक कारण, दूरस्थ क्षेत्र सब मे समस्या सभक समाधानक सम्भावना केँ बढ़ायत ।

देश मे एक सँ अधिक आधिकारिक भाषा भेला सँ निस्सन्देह नौकरशाही तथा प्रशासनिक संस्थान सब, विशेष रूप सँ प्रांतीय आर राज्य स्तर पर, ताहि मे वृद्धि होयत । हालाँकि, “बहु-आधिकारिक भाषा” नीतिक समर्थक सभक तर्क अछि जे सरकार बहुभाषी प्रणाली मे बढ़ैत नौकरशाहीक व प्रशासनिक संस्थानक बढबाक कमजोरी केँ कतेको विभाग सब जे या त समानान्तर काज करैत अछि या फेर अपन कार्य लगभग समाप्त कय चुकल अछि, तेकरा समाप्त कय केँ या विलय कय केँ दूर कय सकैत अछि ।

हालाँकि, एहि सब देश मे कतेको रास आधिकारिक भाषा भेलाक मतलब सांस्कृतिक और सामाजिक चुनौती सभ अन्त नहि थिक । बेल्जियम मे फ्लेमिश और फ्रेंच भाषी सभक बीच एखनहुँ काफी तनाव अछि । लक्ज़मबर्ग मे, २०१६ मे, १५,००० हस्ताक्षर वाली एक ऑनलाइन याचिका तैयार कयल गेल आ संसद केँ पठायल गेल, जाहि मे ज़्यादातर राष्ट्रवादी आर अति-दक्षिणपंथी समूह सब घोषणा कयलक जे “लक्ज़मबर्गिश देशक पहिल आधिकारिक आर राष्ट्रीय भाषा हेबाक चाही ।”

एहि याचिकाक देश मे व्यापक आलोचना भेल; लक्ज़मबर्ग केर कतेको शिक्षाविद सब एहि योजना केँ देश मे लोकलुभावन प्रवृत्ति केँ मज़बूत करबाक प्रतीकक रूप मे देखलनि । हुनकर कहब रहनि जे बहुभाषावाद नहि केवल लक्ज़मबर्गी भाषा लेल ख़तरा नहि छी, बल्कि एहि सँ देश मे आर अधिक विदेशी विशेषज्ञ लोकनि केँ आकर्षित कयलक अछि; जेकर अर्थ ईहो अछि जे प्रवासी सब स्वयं आ ओकर परिवारजन धीरे-धीरे लक्ज़मबर्गी भाषा सेहो सिख लेने अछि ।

ओ सब अहु बात जोर देलनि जे लक्ज़मबर्गी भाषा केँ एकमात्र आधिकारिक भाषाक रूप मे महत्व देला सँ, जखन कि एकर पड़ोसी देश सब मे अन्य अन्तर्राष्ट्रीय भाषा सब बाजल जाइत अछि, ई छोट सन देश अलग-थलग पड़ि जायत, जे कि विदेशी कार्य बल पर निर्भर अछि ।

स्रोत: एंड ऑफ़ मोनोलिंग

Related Articles