लेख विचार
प्रेषित: आभा झा
श्रोत: दहेज मुक्त मिथिला समूह
लेखनी के धार ,बृहस्पतिवार साप्ताहिक गतिविधि
विषय : – मानव जीवन आ भ्रमण
मानव जीवन स्वयं एक यात्रा छी – एहन यात्रा जे जन्म सँ मृत्यु धरि चलैत अछि। एहि यात्रा मे अनगिनत अनुभव, शिक्षा, संघर्ष आ उपलब्धिक संग संग भिन्न-भिन्न रंग-रूपक दर्शन होइत अछि। एहि यात्रा केँ आरो समृद्ध, सरस आ सजीव बनेबाक हेतु “भ्रमण” विशेष महत्व रखैत अछि।
भ्रमण केवल गाम-शहर छोड़ि क’ दोसर ठाम जेबाक नाम नहि अछि, ई तऽ एक संपूर्ण अनुभव थिक, जे जीवन केँ नव दृष्टिकोण दैत अछि। भ्रमण स’ मनुष्य ने केवल भौगोलिक सीमासँ बाहर अबैत अछि, बल्कि मानसिक, सांस्कृतिक आ आत्मिक रूप सँ सेहो विस्तार पबैत अछि।
जीवनमे भ्रमणक महत्व
प्रकृति सँ मनुष्यक संबंध चिरकाल सँ रहल अछि। पर्वत, नदि, जंगल, सागर – एतेक रूप रंगक प्राकृतिक छटा मानव हृदय केँ आकर्षित करैत अछि। जखन हम एहन स्थल पर भ्रमण करैत छी, त’ केवल दृश्य सौंदर्य नहि, बल्कि आंतरिक शांति सेहो अनुभव करैत छी।
उदाहरणस्वरूप, यदि अपने के हिमालयक पर्वत पर उगैत सूर्यक दर्शन होय, वा कोनो नदीक तट पर गोधूलिक दृश्य – त’ हृदय स्वयंमे शांति आ आनंद स’ भरि जाइत अछि। एहिसँ जीवनक आपाधापी मे जे तनाव उत्पन्न होइत अछि, ताहि सँ मुक्ति भेटैत अछि।
शैक्षणिक आ बौद्धिक लाभ
भ्रमण केवल आनंदक हेतु नहि, बल्कि ई शिक्षा लेल सेहो अत्यंत उपयोगी अछि। बच्चा जखन कोनो ऐतिहासिक स्थल, संग्रहालय वा विज्ञान केंद्र केर भ्रमण करैत अछि, त’ ओ पाठ्यपुस्तक सँ बाहर निकलि क’ प्रत्यक्ष ज्ञान प्राप्त करैत अछि।
विद्यार्थीक लेल भ्रमण नव-नव जानकारी ल’ क’ अबैत अछि। एहन अनुभव ओ भविष्यक निर्णय मे प्रयोग करैत अछि। ग्रामीण जीवन देखब, पहाड़ी संस्कृति बुझब, वा शहरी व्यवस्था केँ निरीक्षण करब – सभटा मानवक सोच मे गाम्भीर्य आ लचीलापन दैत अछि।
मानसिक आ आत्मिक लाभ
आजुक समय मे जतेक तेजी स’ जीवन दौड़ि रहल अछि, ताहि मे मनुष्य भीतरहि भीतर थाकि रहल अछि। भ्रमण एहन समय मे ताजगीक स्रोत बनि क’ अबैत अछि। प्रकृति संग बिताओल गेल क्षण मन केँ शांति दैत अछि।
धार्मिक यात्रा सेहो मानसिक आ आत्मिक उत्थान लेल जरूरी अछि। चाहे वैष्णो देवी हो, जगन्नाथपुरी हो, या मिथिलाक सीतामढ़ी – एहन स्थान पर यात्रा मनुष्य केँ आस्था आ आत्मबल सऽ जोड़ैत अछि।
पारिवारिक आ सामाजिक लाभ
परिवार संग यात्रा करब संबंध केँ मजबूत करैत अछि। एक संग बिताओल समय मे हँसी, संवाद आ समझ बढ़ैत अछि। खास कऽ बच्चा लोकनि केँ नव-नव ठाम देखब, नव भाषा बुझब, अलग भोजन चाखब – ई हुनकर समग्र विकास मे मदैद करैत अछि।
समूहक भ्रमण मे सहयोग, अनुशासन, निर्णय क्षमता आ नेतृत्वक गुण विकसित होइत अछि। कतेक बेर यात्रा मे एहन परिस्थितिक सामना होइत अछि जाहि मे साहस आ धैर्यक परीक्षा होइत अछि।
संपूर्ण रूप सँ देखल जाय त’ भ्रमण मानव जीवनक एक अनिवार्य अंग छी। ई केवल मनोरंजनक साधन नहि, बल्कि ज्ञान, अनुभव आ आत्म-विकासक माध्यम छी। भ्रमण जीवन केँ विस्तारित करैत अछि, सोच केँ गहिंर बनबैत अछि, आ हृदय केँ कोमलता स’ भरि दैत अछि।
एकटा प्रसिद्ध कहावत अछि – “जतबे देखब, ततबे सीखब।”
एहि लेल जीवन मे यथासंभव भ्रमण करबाक चाही – चाहे ओ प्रकृतिक गोद मे हो, ऐतिहासिक स्थल, वा सांस्कृतिक रंगभूमि पर। भ्रमणक माध्यम सँ हम बाह्य संसारक संग संग अपन अंतरात्मा सँ सेहो भेंट करैत छी।
अंततः ई कहल जा सकैत अछि –
“जीवन एक यात्रा छी, आ भ्रमण ओहि यात्राक आत्मा।” जय मिथिला, जय मैथिली।
