कर्ण कायस्थ महासभा केर द्विदिवसीय ‘कर्णकुम्भ-तृतीय’क समापन
नई दिल्ली। कर्ण कायस्थ समाज परंपरा आ आधुनिकतामे समन्वय करैत स्वयंकेँ समर्थ बनाबैत राष्ट्रकेँ सशक्त बनाबए, एहि आह्वानक संग कर्णकुंभ-तृतीय केर रविदिन समापन भs गेल। एहि द्विदिवसीय कार्यक्रमक आयोजन नई दिल्ली स्थित कांस्टीट्यूशन क्लबमे कयल गेल छल।
दोसर दिनक प्रथम सत्रक विषय छल— कला क्षेत्र एवं कर्ण कायस्थ। एहि सत्रक अध्यक्षता इतिहासकार भैरब लाल दास केलैन्ह आ संचालन बिभा लाल केलैन्ह। वक्ता छलाह— चित्रकार रवीन्द्र दास, लेखिका चंदना दत्त, तकनीकी विशेषज्ञ विजय बाबू अओर संपादक मुकेश दत्त। दोसर सत्रक विषय छल —प्रवासी कर्ण कायस्थ : समस्या एवं समाधान। एहि सत्रक अध्यक्षता कुमार कनक किशोर केलैन्ह आ संचालन केके कर्ण केलैन्ह, जाहिमे वक्ता छलाह— शिवभूषण लाल, जीवेन्दु प्रसाद कर्ण, मदन चौधरी आ अमर कुमार दास। तेसर सत्रमे कोहबर पर केंद्रित मिथिला चित्रकलाक मादे निभा लाभ आ अलका दास अपन विचार राखलैन्ह।
कर्णकुंभमे बिहार सरकारसँ बापू मंडपमे दांडी यात्री कारोबाबू आ मैथिली दधीचि भोलालाल दास जीक प्रतिमा लगाबय के लs कs सर्वसम्मतिसँ प्रस्ताव पारित भेल। कर्ण कायस्थ महासभाक राष्ट्रीय अध्यक्ष सीएमएल दास ई प्रस्ताव रखलैन्ह, जकर अनुमोदन राष्ट्रीय उपाध्यक्ष संजीव सिन्हा आ राष्ट्रीय महासचिव आशीष नीरज केलैन्ह।
एहि कार्यक्रममे कर्ण कायस्थ समाजक आधारस्तंभ गोपेश्वर लाल दास (राजनीति), अश्विनी कुमार दास (समाजसेवा), ध्रुव नारायण लाल (शिक्षा), मिथिला चौधरी (राजनीति) आ शम्भू सौरभ (गीतकार) केँ कर्णश्री सम्मान सँ सम्मानित कयल गेल। एहि संगे, राजीव रंजन दास (चिकित्सा), संजय लाभ (चिकित्सा), प्रबुद्ध सौरभ (साहित्य), प्रकाश चंद्रा (शिपिंग), नवीन चंद्रा (माइनिंग), राजीव कुमार कंठ (शिक्षा), मनीष रित्विक (सॉफ्टवेयर), संतोष कुमार कर्ण (फिजिक्स), ज्योति सिन्हा (मिथिला चित्रकला) एवं आशा दास (क्रिकेट कोच) केँ कर्ण अचीवर सम्मान सँ सम्मानित कयल गेल।
साहित्यिक सत्र मे केकेएम केर राष्ट्रीय कोषाध्यक्ष आनंद दासक संयोजनमे युवा कवि प्रबुद्ध सौरभ काव्य पाठ कए सभ केँ आनंदित केलैन्ह।
सांस्कृतिक सत्रमे केकेएमक राष्ट्रीय सचिव इरा मल्लिकक संयोजनमे महिला लोकनि द्वारा विभिन्न मांगलिक अवसर पर गाबय जाएवाला मैथिली पारंपरिक गीतक सामूहिक प्रस्तुति भेल। रंजीत लाल आ हिमांशु कर्णक संचालन आ विशाखा प्रसूनक संयोजनमे मिथिला चित्रकला सँ सज्जित परिधान पहिर कए महिला लोकनि द्वारा कएल रैम्पवाक समा बान्हि देलक। कर्नाटक प्रदेश अध्यक्ष विकास लालक संयोजनमे बॉलीवुड गायिका स्तुति सिन्हा मैथिली आ हिंदी गीत गाबि श्रोतागणकेँ मंत्रमुग्ध कs देलैन्ह।
अंतमे, केकेएम दिल्ली प्रदेशक पूर्व अध्यक्ष अनिल दास द्वारा धन्यवाद ज्ञापन कयल गेल।