क्रान्तिभूमि सहरसा मे होयत ‘सोशियल मिडिया मीट – २०१५’

१६ अगस्त २०१५ केँ सहरसा मे होयत 'सोशियल मीडिया मीट २०१५' - परिचय समारोह, परिचर्चा गोष्ठी तथा कवि सम्मेलन केर आयोजन होयत 'सहरसा ग्रुप फेसबुक' द्वारा

सहरसा, जुलाई २२, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

saharsa group
सहरसा ग्रुप: https://www.facebook.com/groups/saharsamitra/

फेसबुक पर सक्रिय सहरसा ग्रुप केर सम्भ्रान्त सदस्य लोकनि निर्णय लेलनि अछि जे २०१५ केर स्वतंत्रता दिवस केर उपलक्ष्य १६ अगस्त केँ ‘सोशियल मिडिया मीट – २०१५’ मनायल जायत। ग्रुप एडमिन कुमार रविशंकर, लुकमान अली, सोमू आनन्द, अरविन्द श्रीवास्वतव सहित अन्य युवा तथा सक्रिय सदस्य लोकनि बीच अनलाइन चर्चा मार्फत प्रारंभिक निर्णय लेल गेल अछि।

कार्यक्रम मे तीन टा अलग-अलग सत्र राखल गेल अछि। पहिल सत्र मे आभासी दुनिया सँ यथार्थ दुनिया मे भेटबाक उद्देश्य प्रति लक्षित ‘मिलन समारोह’ यानि परिचय सत्र होयत। दोसर सत्र मे विशिष्ट वक्ता व उपस्थित सदस्यक बीच ‘परिचर्चा’ कैल जायत जेकर विषय होयत ‘सोशियल मिडिया आ एकर उपयोगिता’। तेसर सत्र मे कवि सम्मेलन कैल जेबाक निर्णय लेल गेल अछि।

साहित्य सँ प्रेम राखनिहार केँ सहरसा मे साहित्यिक गतिविधि ठप्प हेबाक गंभीर स्थिति पर ध्यानाकर्षण करेबाक सेहो लक्ष्य संधान कैल गेल अछि। हालहि साहित्य सरोकार – सहरसा केर अगुवाई मे संपन्न स्व. राजकमल चौधरी समान महान् सहरसा भूमिक साहित्यकार केर स्मृति उत्सव मनायल गेल छल। एकरा निरंतरता देबाक लेल आ सैकड़ों-हजारोंक संख्या मे सोशियल मिडिया पर एकत्रित मित्र समूह मे कर्म प्रधान गतिविधि सँ समाज केँ सुसंस्कृत बनेबाक मूल उद्देश्य संग ई सोशियल मिडिया मीट २०१५ केर आयोजन कैल जा रहल अचि। एडमिन तथा कार्यक्रम संयोजक कुमार रविशंकर कहैत छथि जे मैथिली तथा हिंदी कवि लोकनि केँ विशेष रूप सँ आमंत्रित कैल जायत आ दुनू भाषाक प्रधानता दैत एहि कार्यक्रम केर आयोजन कैल जायत।

मैथिली जिन्दाबाद केर मार्फत ओ कवि सहित अन्य सहभागिता लेल इच्छूक व्यक्तित्व सबकेँ आमंत्रित सेहो करैत सम्पर्क लेल अपन नंबर 8981621430 आ कार्यक्रमक संबंध मे आरो जानकारी लेबाक लेल सोमू आनंद – 9576034767 तथा लुकमान अली- 9472688786 सँ सेहो बात करबाक अनुरोध करैत छथि।