प्रथम विद्यापति स्मृति व्याख्यानमालाक अध्यक्षता करती गोआ राज्यपाल महामहिम मृदुला सिन्हा

मैथिली साहित्य महासभा दिल्ली केर आयोजन 'प्रथम विद्यापति स्मृति व्याख्यानमाला' केर अध्यक्षता हेतु गोआक राज्यपाल महामहिम डा. मृदुला झा औती

दिल्ली । जुलाई २१, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

Mridula_Sinhaमैथिली साहित्य महासभा दिल्ली मैथिली साहित्य केँ प्रोन्नतिशील बनेवाक हेतु अग्रसर संस्था अपन स्थापना वर्षक छहो महीना स’ कम समयक अंतराल मे प्रस्तुत करय जा रहल अछि ‘पहिल विद्यापति स्मृति एकल व्याख्यानमाला’ जाहि मे विषय अछि ‘मिथिलाक नारी: नै छथि बेचारी’ । उपरोक्त विषयक एकल व्याख्यान पद्मश्री स’ अलंकृत मैथिली तथा हिन्दी साहित्यक सम्मानित हस्ताक्षर डॉ उषा किरण खाँ द्वारा कयल जायत।

संस्थाक सह-संस्थापक अमर नाथ झा जानकारी दैत कहला जे सबसँ महत्त्वपूर्ण बात जे एहि गरिमामयी कार्यक्रम जे मिथिलाक नारी केन्द्रित विषय आ वक्ताक संग आयोजित अछि तेकर अध्यक्षता सेहो मिथिलाक ओ सशक्त नारी करती जे वर्तमान मे गोआक महामहिम राज्यपाल थिकी। डा. मृदुला सिन्हा मैथिली सँ एतेक स्नेह रखैत छथि जे हुनका कार्यक्रमक जानकारी देलाक तुरंत बाद अयबाक लेल हाँ कहि देली, संगहि विषयक गंभीरता देखि स्वयं समस्त मैथिलानी महिलाक प्रेरणास्रोत डा. सिन्हा सदिखन पूर्ववत् अपन मातृप्रेम सँ सींचित रखनिहाइर मातृसदृश महान् मैथिलानी अपन दायित्व सेहो बुझलीह जे एहि कार्यक्रमक गंभीरता हुनकर अध्यक्षता सँ आरो बढतैक आ देश भरिक मैथिल महिला मे प्रगतिशील बाट पर चलबाक प्रेरणा भेटतैक।

सह-संस्थापक झा हालहि गोआक यात्रा पर पंकज झा समान प्रखर राष्ट्रवादी पत्रकार एवं वक्ताक संग डा. मृदुला सिन्हा संग भेल भेंट आ ओतहु भेटल मातृप्रेम केँ स्मृति मे आनि विशेष भावुक बनैत एहि कार्यक्रम मे अयबाक पुष्टि प्रति बेर-बेर आभार प्रकट करैत कहला जे आब विश्वास अछि जे मेहनत सफल होयत। जाहि तरहें राष्ट्र-स्तरीय कार्यक्रम करबाक सपना दिल्ली मे देखने रही, तहिना सब किछु संभव भऽ रहल अछि। डा. उषा किरण खाँ समान प्रखर व्याख्यान वक्ता आ डा. मृदुला सिन्हा समान अध्यक्षता – पूर्णरूपेण विषय केँ सजीव बना देलक। ‘मिथिलाक नारी – नहि छथि बेचारी’ – ई दुइ सशक्त महिला हस्ताक्षरक उपस्थिति अपने आप मे विषय केँ पूर्ण कय रहल अछि। लेकिन मैथिली साहित्य महासभा कृतसंकल्पित अछि जे हिनके लोकनि समान समस्त नारीवर्ग मे प्रगतिशीलताक पथ पर अग्रसर होयबाक प्रेरणा भेटय। मैथिली साहित्य मे सेहो मैथिलानी सब बढि-चढि कय भाग लैथ।

कार्यक्रमक २ अगस्त २०१५ समय ३:३० बजे अपराह्न सँ ६:३० बजे संध्या धरि स्पीकर हॉल, कांस्टीच्यूशन क्लब, रफ़ी मार्ग, नई दिल्ली मे आयोजित अछि।

अध्यक्षता करवाक स्वीकृति भेटल सुप्रसिद्ध मैथिल साहित्यकार महामहिम राज्यपाल गोआ श्रीमती मृदुला सिन्हाजीक जे संभवतः स्वयं में एकटा साहित्यिक वटवृक्ष सदृश छथि। आमंत्रित अतिथि मे समस्त प्रवासी मैथिल प्रशासनिक अधिकारीगण, वरिष्ठ साहित्यकार लोकनि आ गणमान्य व्यक्तित्व, आ देश-विदेशक प्रमुख मैथिल अभियानी लोकनि संगहि मिथिला मैथिली प्रेमीजन सब छथि – कहैत छथि अमर नाथ झा। संगहि ओ सबकेँ जानकारी दैत आमंत्रित सेहो करैत छथि जे प्रवेश नि:शुल्क अछि, लेकिन प्रथम आगत – प्रथम स्वागत केर तर्ज पर सीमित सीट केर अतिरिक्त देरी सँ आयल लोक केर प्रवेश संभव नहि होयत, अत: समय सँ आबि एहि महानतम् कार्यक्रमक लाभ उठाबी। नारी शक्ति सँ विशेष अनुरोध जे अपने लोकनि एहि कार्यक्रम मे अवश्य भाग ली आ नवतुरिया पीढीक मिथिलाक नारी केँ सेहो बैढ-चैढकय भाग लेबाक ओ अपील करैत छथि।