जुलाई २०, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
संविधानक प्रारम्भिक मस्यौदा ऊपर देशभरि सुझाव संकलन भऽ रहल अछि। विभिन्न स्थान मे विरोध आ झड़प भेलाक बादो अत्यधिक मात्रा मे सुरक्षा घेराक बीच सुझाव संकलन कार्य कैल जा रहल अछि।
रौतहट केर गौर मे एमाले नेता माधव नेपाल सहभागी कार्यकम्र मे विवाद उग्र रूप लेला सँ हवाई फायर सेहो कैल गेल। भीड़ नियन्त्रण करबाक लेल प्रहरी द्वारा आँसूगोला सेहो प्रहार कैल गेल।
तहिना जनकपुर, महोत्तरी, दाङ लगायता केर ठाउ मे सेहो अवरोध बीच सुझाव संकलन कैल जा रहल अछि। एम्हर राजधानी काठमांडु, विराटनगर आर पोखरा लगायत मे प्रमुख शहर मे सेहो राप्रपा नेपाल, मधेसवादी दल आर माओवादी द्वारा विरोध प्रदर्शन करबाक कारण सुझाव संकलन मे अवरोध पहुँचि रहल अछि।
सरकार द्वारा संविधान मे सुझाव संकलन कार्य प्रभावकारी बनेबाक बात कहि आइ आ काल्हि सार्वजनिक छुट्टी सेहो देलक अछि।
मुलुक भरि नेपालक संविधान, २०७२ ऊपर जनता द्वारा प्रत्यक्ष रुप मे सुझाव देल जा रहल समय संविधानसभा सचिवालय मे विभिन्न माध्यम सँ करीब ११ हजार सुझाव प्राप्त होयबाक समाचार अछि । संविधानसभा सचिवालय अनुसार अपराह्न १ बजे तक इमेल द्वारा तीन हजार ५६७, वेभसाइट द्वारा छ हजार, फ्याक्स द्वारा एक हजार सुझाव प्राप्त भेल अछि । तहिना प्रत्यक्ष रुप मे आबिकय संस्थागत रुप मे ४९ टा सुझाव देल गेल अछि । संस्थागत रुप मे सुझाव देबयवला अख्तियार, सशस्त्र, नेपाली सेना, महालेखा परीक्षक नियन्त्रण कार्यालय, निर्वाचन आयोग, भूपू सैनिक लगायत केर संस्था सब अछि । इमेल, बेभसाइट द्वारा सुझाव देनिहार मध्य अधिकांश लोक प्रत्यक्ष निर्वाचित कार्यकारी प्रमुख केर व्यवस्था नव संविधान मे होयबाक सुझाव देलक अछि ।
(समाचार स्रोत: सेतोपाटी)