जनकपुरधाम, २५ जून २०२४ । मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिला सौन्दर्य प्रतियोगिताक औडिशन कार्यक्रम जनकपुरधाम मे सम्पन्न भेल । एहि मे कुल ६० प्रतियोगी लोकनि मिथिला पहिरन-ओढ़न मे आ मैथिली भाषा व शैलीक विशेष प्रतिभाक प्रदर्शन करैत सहभागिता जनौलीह ।
शनि दिन ८ गते आषाढ़ (२२ जून २०२४) क्राउन प्लाजा जनकपुर मे आयोजित भेल एहि औडिसनक निर्णायक मण्डल मे पुष्पा यादव, परमेश्वर कापड़ि आ प्रगति झा रहथि । विशेष उपस्थित विशिष्टजन लोकनि मे जनकपुर उपमहानगरपालिकाक उपमेयर किशोरी साह, शिवराम मिश्र, प्रजापति झाक उपस्थिति रहनि । आयोजक पी. आर. जेड. ग्रुप एण्ड इवेन्ट कम्पनी प्रा. लि. परिवार द्वारा एकर निष्पादन भव्य आ सभ्य ढंग सँ सम्पन्न कयल गेल ।
निर्णायक मण्डल सदस्य श्री कापड़ि अपन भावना व्यक्त करैत कहलनि अछि “‘मिथिला सौन्दर्य प्रतियोगिता’क औडिसन प्रोग्राम मे लगभग ६० टा एकछाहा युवा-युवतीसभक अपन मिथिलाक पहिरन-ओढन मे छहाछैह-थहाथैह देखनहुस सहभागिता आ करीब डेढ़-दुइसय दरसनियाँ सभक उपस्थितिमे ई कार्यक्रम सुसम्पन्न भेल रहए । अपन मिथिलाक सांस्कृतिक निजत्वक पहिचानबला पहिरन ओ आभरन/गहना-गुड़िया मे बनि-ठनिक’ ठाठ मर्यादास’ विद्यार्थी सबहक उपस्थित रहए । ततबे नहि, सहभागीसभक मूल्यांकनक आधारो मिथिलाक भाषा-साहित्य-संस्कृति, कला-सौन्दर्य, लोकजीवन आ मूल्यमान्यता, रीति-नीति, आदि रहल बात उच्च मूल्यक ओ उल्लेख्य रहल छल ।”तहिना चर्चित संचारकर्मी एवं मूल-मौलिकताक पृष्ठपोषण करनिहार युवा अभियानी घनश्याम मिश्र कहलनि, “‘मिथिला सौन्दर्य प्रतियोगिता’ नाम अनुसारक काज कयलक अछि। फैशनक नाम पर जनकपुरधाम मे बहुतो कार्यक्रम सभ भेल आ भ’ रहल देखल गेल मुदा पहिल बेर संभवतः जनकपुरधाम मे PRZ Group and Event Company Pvt. Ltd द्वारा आयोजन भ रहल “मिथिला सौन्दर्य प्रतियोगिता”क ऑडिसन केँ अप्पन मिथिला-मैथिली प्रति के जिम्मेवारी बोध करैत सुन्दर आयोजनक तैयारी भ’ रहल प्रसन्नता के विषय थिक । आयोजनकर्ता आ सम्बद्ध समस्त युवा-युवती भाइ-बहिन सबकेँ अग्रिम बधाई । एहि सुन्दर आयोजनक सफलताक कामना सेहो । ई सभक लेल अनुकरणीय हो ।”
ओना त सौंसे सोशल मीडिया मे एखन जेम्हर देखू तेम्हर एहि प्रतियोगिताक चर्चा भेटत । एहि क्रम मे नवीन झा लिखने छथि, “PRZ Group & Envent Co. Pvt. Ltd द्वरा मिति ८ गते शनि दिन सम्पन्न मिथिला सौन्दर्य प्रतियोगिता औडिसन कार्यक्रम मे ६० जना किशोर तथा किशोरी सब मिथिलाक अद्भुत पहिरन-ओढन लगाकय विभिन्न मिथिला कला सब प्रस्तुत कयलनि । ई प्रतियोगिता मिथिलाक पहिचान आ युवा युवती सब मे हेराइत जा रहल अपन गरिमामयि इतिहास प्रति जिम्मेदारी बोध करबैत भविष्य मे मैथिल पहिचान केँ आर मजगूत बनेबाक काज भेल अछि । जनकपुरधाम मिथिलाक राजधानी रहल मान्यता अछि आ एहि तरहक गतिविधिक आयोजन स्वयं मे महत्वपूर्ण अछि । आयोजक केँ विधेष धन्यवाद एवं शुभकामना दियए चाहब आ मिथिला सम्बन्धी एहने कार्यक्रम सब केँ निरन्तरता देबाक लेल अग्रिम शुभकामना सेहो देब ।”
