आइ ईद केर मिलनक दिन थीक

आलेख
– रंजित कुमार चौधरी
eid mubaarakईद आ ईद-उल-फितर, सब मुस्लिमजन आय मना रहल छथि। ई पुरा एक महिना रमजानक बाद एकटा मजहबी-खुशीक लेल आ आपसी मेल-मिलाप, भाईचारा, सुख-शांति एवं सबटा झगडा-झंझट के निबटेबाक लेल ईद मनाओल जाइत अछि। ईद एकटा गुड संदेशक पर्व थिकैक जेकरा बहुत नीक ढंग सऽ मुस्लिम समुदाय मनाबति छथि। आपसी केहनो विवाद होय तेकरा बिसरि अपन खुशीक इजहार करति एक-दोसर सऽ विशेषत: गला मिलति एकत्र होइत छथि जतय सब फेर एकटा सिद्धांत पर चलि आ फेर झगडा-झंझट नहि होय तेकर कसम लति अल्लाह सऽ दुआ मांगैय छथि।ओना मुख्य रुपेन ईद दुटा मनाओल जाइत छैक; एकटा “ईद उल फितर” आ दोसर जेकरा “ईद उल जोहा/बकरीद” कहैत छियैक। आय ईद उल फितर अछि जे इस्लामी कैलेंडरक मुताबिक दसवें महिनाक पहिल दिन केर मनाओल जाइत छैक। ओना ईद मनएबाक लेल चाँद देखबाक परम्परा रहलैक जेकरा रमजानक अंतिम दिन चाँद डुबलाक बाद ओकर दोसर दिन ईदक पहिल चाँद देखलाक बाद मनाबैत छथि। पहिल ईद “पैगम्बर मुहम्मद” सन ६२४ ईसवीं मेँ जंग-ए-बदरक बाद मनेने छलाह। आजुक दिन सब मुस्लिम भाई-बंधु खुदाक शुक्रियादा करति छथि कियैक तऽ हुनका ओ तीस दिन पुरे नियमानुसार उपवास रखवाक लेल शक्ति प्रदान केल्खिन। आय दिनक पहिल नमाजक समय भिक्षाक देबाक सेहो परम्परा रहलैक जाहि भिक्षा मेँ २ केजीक कोनो खाद्य-पदार्थ दय सकति छी, जेकरा “जकात-उल-फितर” कहल जाइत छैक।

आय बहुत खुशी तहवार छैक कारण रमजानक बाद पहिल दिन एहेन होयत जे दिन मेँ खान-पान ग्रहण करताह तैं निश्चिते हुनका सबलेल एक खुशीक पल बनैय से तय छैक। आजुक दिन सब नीक-नीकुत पकवान खाइत छैक मुदा ओहु पकवान मे सिवैया बहुत जरुरतमंद खाद्य-पदार्थ केर मानल गेल छैक तैं इ मुख्य रुप सँ बहुत प्यार सऽ एहि सिवैयाक मज़ा लति छथि। अपन दोस्त सबकेर सेहो निमंत्रण दैत छथि आ एकटा दावत पार्टी रखैत छथि। दुर-दुर सँ सब भाई-बंधु एहि तहवार में शामिल हेबाक लेल घर आबैत छथि।

ओना हरेक पर्व-तहवार केर किछु खास मकसद छैक जहिक कारण सब धर्मक लोग उत्साहपुर्वक मनाबैत आबि रहल छथि। आ चाँद देखि कय तहवार मनाबैक रीति-रिवाज सब धर्म मेँ छैक जेना “चोरचन” हिन्दु मे आ ईद मुस्लमान मेँ मनाओल जाइत छैक। जौं सबहक भगवान एक्के तखन हम कियैक दुइ आ हमर सोच कियैक दुइ?? हम हिन्दु छी तऽ हमहुँ चाँद के देखि पावैन करैत छी आ अहाँ मुस्लमान छी तैं अहुं करैत छी, तखन फेर कियैक…..??

फेर एकबेर सम्पुर्ण देशवासी केर ईदक शुभ-अवसर पर अनेकानेक शुभकामना, मंगलकामना!!

जय मिथिला जय मैथिल जय मैथिली…..!!!