वडोदरा गुजरात मे मैथिली साहित्य सम्मेलन मे विमर्श-विमर्शकार

वडोदरा गुजरात मे वैदेही मिथिलाधाम द्वारा आयोजित मैथिली साहित्य सम्मेलन मे लगभग 20 विषय पर महत्वपूर्ण व्यक्तित्व सभकेँ विमर्शकार रूप मे आमंत्रित कय उच्चकोटि के विमर्श आ कवि सम्मेलन संग सांस्कृतिक आयोजन व नाटक मंचन सेहो राखल गेल अछि। एखन धरिक प्रस्ताव पारित भेल अनुसार निम्न विवरण के आयोजन होबय जा रहल अछि। 17 आ 18 फरवरी 2024 केँ भिनसर 10 बजे सँ राति 11 बजे धरि के शेड्यूल मे कार्यक्रम सब राखल गेल अछि।

सत्र १ (१० बजे सँ ११ः१५ बजे)

१. पुस्तक विमोचनः श्री रमेश, दीपिका झा, श्रीमती बिभा रानी

सत्र २ (११ः२० बजे सँ ०१ः३० बजे)

२. मैथिली कथाक उद्भव-विकासः श्रीधरम
३. प्रो. हरिमोहन झाक कथाक वाचन – कथा नाम तथा – श्रीमती विभा रानी – हरिमोहन झा
४. श्री रमेशक कथायात्रा पर विमर्श – श्री रमेश, डा. योगानन्द झा, श्री परमेश्वर प्रहरी, डा. चन्द्रमणि, श्री अरविन्द ठाकुर

सत्र संचालकः अरविन्द ठाकुर

सत्र ३ (०२ः२० बजे सँ ०३ः१० बजे)

५. मैथिली भाषा-साहित्यक संरक्षणक आवश्यकता एवं उपादेयता – डा. अरविन्द अक्कू, श्री प्रवीण नारायण चौधरी, श्री हिरेन्द्र झा, श्री रौशन झा, डा. आभा झा

सत्र संचालकः श्री प्रवीण नारायण चौधरी

सत्र ४ (०३ः२० बजे सँ ०४ः२० बजे)

६. मैथिली भाषाक मानकीकरणक प्रयोजन आ स्थिति – डा. रमानन्द झा रमण, प्रो. अशोक मिश्र, श्री अरविन्द ठाकुर, प्रो. सचिन केतन, डा. महेन्द्र नारायण राम

सत्र संचालकः

सत्र ५ (०४ः२० बजे सँ ०५ः१० बजे)

७. मैथिली भाषा-साहित्यक विकास आ संरक्षण मे प्रवासी मैथिल संस्थाक योगदान – श्री हर्ष झा, डा. अरविन्द अक्कू, श्री संजीव सिन्हा, श्री प्रवीण नारायण चौधरी, डा. प्रकाश झा

सत्र संचालकः श्री संजीव सिन्हा

सत्र ६ (०५ः२० बजे सँ ०६ बजे)

८. मैथिली कविताक विकास यात्राः ऐतिहासिक एवं सम्प्रतिक स्थिति – श्री अजित आजाद, डा. अरुणाभ सौरभ

सत्र संचालकः डा. अरुणाभ सौरभ

सत्र ७ (०६ः१० बजे सँ ०८ः२० बजे)

९. काव्य गोष्ठी

सत्र संचालकः अजित आजाद

सत्र ८ (०८ः३० बजे सँ १०ः३० बजे)

१०. मैथिली नाट्य मंचन

सत्र संचालकः डा. प्रकाश झा

दोसर दिन

सत्र १ (१० बजे सँ ११ बजे)

११. मैथिली उपन्यासक विकास यात्रामे समाजक बदलैत चित्र – प्रो. कमलानन्द झा, डा. श्रीधरम, श्री हिरेन्द्र झा

सत्र संचालकः श्री हिरेन्द्र झा

सत्र २ (११ः१० बजे सँ १२ः१० बजे)

१२. मैथिली अनुवाद साहित्यक प्रयोजन आ स्थिति – श्री भाष्करानन्द झा भाष्कर, श्री शैलेन्द्र मिश्र, श्रीमती बिभा रानी, डा. चन्द्रमणि, डा. योगानन्द झा

सत्र संचालकः श्री शैलेन्द्र मिश्र

सत्र ३ (१२ः२० बजे सँ ०१ः२० बजे)

१३. मैथिली सिनेमा के वित्तीयन, गुणवत्ता आ प्रचार-प्रसार – श्री उमाशंकर सिंह, श्री कल्पना झा, डा. प्रकाश झा, श्री जितेन्द्र जितू, श्री नीरज मिश्र, श्री समीर मिश्र, श्री किसलय कृष्ण

सत्र संचालकः श्री किसलय कृष्ण

सत्र ४ (०२ः१० बजे सँ ०३ः१० बजे)

१४. मैथिली आलोचना साहित्य पर विमर्श – डा. रमानन्द झा रमण, हितनाथ झा, प्रो. कमलानन्द झा, आर एन झा

सत्र संचालकः प्रो. कमलानन्द झा

सत्र ५ (०३ः२० बजे सँ ०४ः१० बजे)

१५. मैथिली मे प्रकाशन, पत्र-पत्रिकाक आ पत्रकारिता-व्यवसायक स्थिति – मनोज मिश्र, प्रतिभा ज्योति, विनीत उत्पल, संजीव सिन्हा, दीपक झा, रौशन झा

सत्र संचालकः श्री रौशन झा

सत्र ६ (०४ः२० बजे सँ ०५ः२० बजे)

१६. मातृभाषाक माध्यम सँ शिक्षाः विषय आ माध्यम – प्रो. अवधेश मिश्र, डा. अरुणाभ सौरभ, डा. आभा झा, श्री नीरज कुमार, श्रीमती दीपिका झा

सत्र संचालकः डा. अरुणाभ सौरभ

सत्र ७ (०५ः३० बजे सँ ०६ः३० बजे)

१७. मैथिली लोककला आ लोकसाहित्यक महत्व आ संरक्षण – महराई गायन – डा. महेन्द्र नारायण राम, डा. योगानन्द झा, डा. चन्द्रमणि, श्रीमती आभा झा

सत्र ८ (०६ः३० बजे सँ १०ः३० बजे)

सांस्कृतिक कार्यक्रम

उपरोक्त सूची मे स्थानीय विमर्शकार के नाम समावेश नहि भ सकल अछि। प्राप्त जानकारी मुताबिक परमेश्वर झा प्रहरी स्वास्थ्य कारण सँ उपस्थित नहि भ सकताह।