मुंबई, जुलाई १६, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
धर्मेन्द्र झा – दहेज मुक्त मिथिलाक महाराष्ट्र अध्यक्ष जानकारी करौलनि अछि जे मिथिलाक सहरसा जिला – बनगाँव निवासी संजय खाँ जे हाल सरायकेला (आदित्यपुर) मे नौकरी करैत छथि, जिनकर करीब ८-९ वर्षक बच्चा ल्युकोमिया (ब्लड कैन्सर) सँ पीड़ित छन्हि, ओहि कैन्सर पीड़ित बच्चाक संग टाटा कैन्सर अस्पताल मे इलाज करेबाक लेल मुंबई आयल छथि, आर्थिक रूप सँ निर्बल परिवार आ ताहि पर सँ पुत्रक खतरनाक बीमारी – एहेन विपत्तिक समाचार भेटिते ‘दहेज मुक्त मिथिला – मुंबई’ केर समस्त सक्रिय सदस्य स्वैच्छिक योगदान करबाक लेल उद्यत् भेलाह। एखन धरि स्वैच्छिक घोषणा सँ करीब ५० हजार रुपयाक संकलन हेबाक आश्वासन भेट गेल अछि आ आइ पीड़ित परिवार तक ओ सहयोग राशिक संग दहेज मुक्त मिथिलाक अधिकारी लोकनि भेंटघांट करैत इलाज मे कोनो तरहक कोताही नहि करबाक लेल अनुरोध करत। ई जानकारी धर्मेन्द्र झा मैथिली जिन्दाबाद केँ करौलनि।
दहेज मुक्त मिथिला केर राष्ट्रीय अध्यक्ष पंकज झा एवं संरक्षक पंडित धर्मानन्द झा अपन संस्थाक समस्त सक्रिय सदस्य केँ धन्यवाद करैत सदिखन एहि तरहक एकजुटता सँ मैथिली तथा मिथिलाक सेवाक करबाक आह्वान कएलनि। संस्थाक महासचिव राजेश राय जे एक दयालू हृदयक मालिक रूप मे सेहो जानल जाइत छथि, ओ सोशियल नेटवर्क फेसबुक, व्हाट्सअप आदि द्वारा संचालित मुहिम वास्ते सब नवतुरिया केँ हृदय सँ धन्यवाद करैत स्वयं सेहो कैन्सर पीड़ित मैथिल बच्चाक जान बचेबाक लेल जुटि गेल छी से जानकारी देलनि। एहि मुहिम मे रौशन मिश्र, सगुन मिश्र, मनीष झा, प्रकाश कमती ‘सुच्चा मैथिल’, राम नरेश शर्मा आदि सब कियो सक्रिय छथि। जानकारी ईहो भेटल अछि जे मिथिला-मैथिली लेल जान-प्राण एक करबाक जुनून सँ कोनो हद तक सहयोग वास्ते उपाय निकालल जा सकैत अछि। जरुरत पड़त तऽ चैरिटी शो केर सेहो इन्तजाम होयत जाहि मे मैथिल कलाकार लोकनि नि:शुल्क अपन कलाक प्रदर्शन करता आ एहि मैथिल बच्चाक जान बचेबाक लेल अपन सहयोग देता। मैथिली जिन्दाबाद हिनका लोकनिक प्रयास केँ बेर-बेर सलाम ठोकैत अछि। ओना तऽ आरो लोक सब एहि बच्चा केँ सहयोग लेल आगाँ बढल छथि, मुदा सांगठनिक स्वरूप कमजोर हेबाक कारणे हुनका लोकनिक सहयोगक बारे कोनो विस्तृत जानकारी मैथिली जिन्दाबाद तक नहि पहुँचि सकल अछि। एहि अभियान मे हाफ मर्डर फिल्म केर निर्माता-निर्देशक रमानाथ झा, बेरोजगारी मुक्त मिथिलाक निरज मिश्र मुन्नू, अखिल भारतीय मिथिला पार्टीक सर्वेसर्वा माननीय रत्नेश्वर झा, मिथिला आन्दोलनक भीष्म पितामह डा. बैद्यनाथ चौधरी बैजु तथा गोटेक फेसबुकिया फूकास्टर व्यक्ति तथा संस्था आदिक नाम सेहो सुनबा मे आयल अछि। पुष्ट जानकारी लेल मैथिली जिन्दाबाद प्रयासरत अछि।
मैथिली जिन्दाबाद सेहो एहि बच्चाक जीवनरक्षा लेल ईश्वर सँ प्रार्थना करैत बच्चाक पिता सँ सहयोग वास्ते संपर्क करबाक लेल अपील करैत अछि। बच्चाक पिता संजय खाँ केर फोन नंबर: ८०९७१८५१९९ अछि। यदि अहाँ दहेज मुक्त मिथिलाक माध्यम सँ सहयोग पहुँचाबय चाहैत छी तऽ जरुर सम्पर्क करू: पंकज झा, राष्ट्रीय अध्यक्ष, दहेज मुक्त मिथिला – फोन: ९८२१४०५१६४ आ ९३२०४०५१६४.