कृष्ण मोहन चौधरी, सिरहा । असार ३० गते ।
नेपाल पत्रकार महासंघ आर्थिक बर्ष २०७२/७३ केर बजेट मे श्रमजीवी पत्रकारक प्रमुख मुद्दा सब नहि समेटलाक प्रति पत्रकार सब अहि ऊपर असन्तुष्टी जनेलक अछि । महासंघक अध्यक्ष महेन्द्र बिष्ट बजेट ऊपर लिखित प्रतिक्रिया दैत पत्रकारक बिमा, द्वन्द पीड़ित पत्रकार कल्याण कोष स्थापना आ स्वास्थ्य उपचारक बिषयपर सेहो मौन रहबा पर आपत्ति जनौलक अछि ।
पत्रकारिता पेशा मे लम्बा समय सs योगदान देने आ क्रियाशील बरिष्ठ पत्रकारक जीवनवृत्ति समग्र पत्रकारक समाजिक सुरक्षा मुद्दा नहि समेटलक अछि । तहिना श्रमजीवी पत्रकार एेन कार्यान्वयन, मिडिया समावेशीकरण सम्बन्धी प्रतिवेदन आ लैंगिक निर्देशिका जेहन विषय कतहु नहि उल्लेख कैल गेल अछि । संगहि महाभुकम्प केर चपेट मे पड़निहार पत्रकार आ कर्मचारी सभक बिषयमे सेहो किछो नहि समेटल गेनाय पत्रकार सभक उपराग रहल अछि ।
विशेष तराई मधेस क्षेत्र मे जोखिमपूर्ण अवस्था मे कार्यरत पत्रकार सभक विषय मे सेहो किछु नहि उल्लेख करबाक बात सिरहाक क्रियाशील पत्रकार जागेश्वर यादव बतौलन्हि । संगहि यादव कहलन्हि जे क्रियाशील पत्रकार सभक सदस्यताक समस्या यथावत् रहल आ संगे आरो समस्या अहि क्षेत्रक पत्रकार सभक लेल भारी हेबाक हुनक कथन छैन्हि । तराई क्षेत्रमे एखनहु हजारौँ हजार पत्रकार बिना सदस्यता अपन कलम चला रहल अछि जेकरा प्रति सरकार उदासीन रहल जानकार सभक कथन अछि ।