काठमांडु, जुलाई १४, २०१५ ।
मंगल दिन भारत भ्रमण मे जाइतकाल एमाओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड राजनीतिक भेटघाट मे दिल्ली आर भूकम्प उपरान्तक पुनर्निर्माण केँ अवलोकन करबाक वास्ते गुजरात धरि पहुँचता। प्रचण्डक अपनहि शब्द मे पाँच एजेन्डा :
त्रिदेशीय साझेदारी
०६४ (२००६ ई.) केर निर्वाचन बाद प्रधानमन्त्रीक रूप मे भारत भ्रमण मे गेल समय हम नेपाल केर तरफ सँ पहिल बेर त्रिदेशीय साझेदारी मार्फत विकास केर एजेन्डा उठेने रही, हालहि भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी चीन भ्रमण मे गेल समय त्रिदेशीय साझेदारी मार्फत विकास आगू बढेबाक औपचारिक समझदारी सेहो केलनि अछि । भारत आर चीन केर समझदारी केँ स्वागत करैत एकरा कार्यान्वयन करेबाक पहल करब हमर भारत भ्रमण केर प्रमुख एजेन्डा होयत ।
नेपाल–भारत सम्बन्ध
नेपाल आर भारत बीच ऐतिहासिक सद्भाव आर मित्रता केँ आरो मजबुत बनेबाक विद्यमान किछु असमझदारी सम्बोधन होयब जरुरी छैक । एखन लिपुलेक केर प्रसंग आयल अछि, एहेन विषय केँ तत्काल सल्टेनाय दुनू देशक हित मे छैक । हम एहि विषय मे ओतुका नेता सब संग बात करब ।
संविधान निर्माण
संविधान बनेबाक प्रक्रिया मे नेपाल केर संविधानसभा बहुत आगाँ बढि गेल अछि, नेपालक राजनीतिक दल सब जे बृहत् राष्ट्रिय सहमति सहित जनता लेल संविधान लिखबाक प्रक्रिया केँ अन्तिम–अन्तिम मे पहुँचा चुकल अछि । ई महान् आर ऐतिहासिक प्रक्रिया मे एकटा असल छिमेकीक रूप मे भारतक सेहो सद्भाव आर समर्थन आवश्यक अछि । संविधान निर्माण भेला पर नेपाल द्रूत विकास मे आगाँ बढत । विकासक एजेन्डा मे सेहो हम बात करब ।
भूकम्प बाद गुजरात
नेपाल मे विनाशकारी भूकम्प सँ करिब नौ हजार केर जान गेल अछि, आठ लाख घर क्षतिग्रस्त भेल अछि । आब एहि देश केर पुनर्निर्माण करब हमरा लोकनिक प्रमुख चुनौती अछि । पुनर्निर्माणक बात करबाक लेल गुजरातक उदाहरण बेर-बेर अबैत रहैत अछि । ताहि समयक मुख्यमन्त्रीक रूप मे गुजरातक नेतृत्व करनिहार नरेन्द्र मोदी एखन भारतक प्रधानमन्त्री भऽ गेल छथि । हुनकर अनुभव हमरा सबहक लेल महत्त्वपूर्ण भऽ सकैत अछि । तहिना, गुजरातक स्थलगत अवलोकन करब आर नेपालक लेल सान्दर्भिक भेला पर किछु सीखब सेहो हमर योजना अछि ।
दलीय सम्बन्ध
एकीकृत नेकपा माओवादी आर पड़ोसी भारतक दल सबहक बीच केर राजनीतिक सम्बन्ध सेहो महत्त्वपूर्ण छैक । सरकार मे रहल आर नहि रहल दलक नेता सब संग भेटैत दलीय तथा राष्ट्रिय हितक विषय मे बातचीत होयत ।
स्रोत : नयाँ पत्रिका
– See more at: http://www.nepalese.org/article/2015/07/14/18387/#sthash.mo5ApIdr.dpuf