जनकपुरधाम, २७ दिसम्बर २०२३ । मैथिली जिन्दाबाद!!
शौर्य मिथिला लोक चित्रकला प्रतियोगिता सम्पन्न
शौर्य सिमेन्टक आयोजन आर विजय लक्ष्मी मिडिया फाउन्डेशनक सहकार्यमे मिथिला लोक चित्रकला प्रतियोगिता भव्यता सँ सम्पन्न भेल । मिथिला चित्रकला मधेशक शान, एहिके उजागर करब शौर्यक अभियान – यैह मूल नाराक संग शुरू कयल गेल एहि प्रतियोगिताक तेसर चरणक कार्यक्रम समापन करैत तीन चित्रकारकेँ विजेता आर बारह चित्रकारकेँ सान्त्वना पुरस्कार प्रदान कयल गेल अछि ।
शौर्य सिमेन्टक प्लान्ट हेड श्री गुरु दयाल सिंहजीक अध्यक्षता आर मधेश प्रदेशक उद्योग तथा पर्यटन मन्त्री सुनीता यादवक प्रमुख आतिथ्यमे सम्पन्न भेल उक्त कार्यक्रममे मिर्चैया नगरपालिकाक नगर प्रमुख श्रवण यादव, कर्जन्हा नगरपालिकाका नगर प्रमुख भोला पोखरेल, वरिष्ठ साहित्यकार राजेन्द्र बिमल, लोकगायिका रश्मि रानी सहित विभिन्न वार्डक वार्ड अध्यक्षलोकनिक सेहो सहभागिता छल ।
एहि प्रतियोगितामे पहिल भेनिहाइर सप्तरी जिलाक मिथिला चित्रकार रूबी कर्ण, दोसर भेनिहाइर महोत्तरी जिलाक नेहा कुमारी, तेसर भेनिहाइर धनुषा जनकपुरधामक बीणा कर्ण छथि। प्रतियोगितामे प्रथम पुरस्कार स्वरूप नगद ७५ हजार टका, दोसर पुरस्कार नगद ५० हजार टका आर तेसर पुरस्कार नगद २५ हजार टका संग-संग १२ गोटाकेँ सान्त्वना पुरस्कार नगद ११ हजार टका सहित सम्मान पत्र प्रदान कयल गेलनि ।
तेसर चरणक कार्यक्रममे सहभागी १५ पुरस्कृत चित्रकारद्वारा शौर्य सिमेन्ट उद्योगक चहारदिवाली पर मिथिला चित्रकला बनायल गेल छल । कार्यक्रममे शौर्य सिमेन्टक ब्रान्ड म्यानेजर अनुज कुमार महतद्वारा स्वागत मन्तव्य रखलन्हि । तहिना कार्यक्रमक संचालन सन्तोष लाल दासद्वारा कयल गेल छल । उक्त प्रतियोगितामे निर्णायकक भूमिकामे मिथिला चित्रकार शयाम सुन्दर यादव, मिथिला चित्रकार सुनैना ठाकुर आर मिथिला देवी छलीह ।