मैथिली एसोसिएशन नेपालक चारिम वार्षिक साधारण सभा सम्पन्न

विराटनगर, २४ दिसम्बर २०२३ । मैथिली जिन्दाबाद!!

चयन कयल गेल १५ सदस्यीय नव कार्यसमिति

मैथिली एसोसिएशन नेपालक चारिम वार्षिक साधारण सभा पुस ७ गते होटल रंगी विराटनगरक सभागारमे सम्पन्न भेल। मैथिली भाषा, साहित्य आ संस्कृतिक संरक्षण, संवर्धन व प्रवर्धन करबाक लेल छाता संगठनक प्रारूपमे स्थापित एहि एसोसिएशनक नया कार्यसमितिमे अध्यक्ष सहित कुल १५ गोटे पदाधिकारी लोकनिक चयन कयल गेल अछि।
अध्यक्षमे मैथिली भाषा अभियन्ता प्रवीण नारायण चौधरी आ उपाध्यक्षमे वरिष्ठ समाजसेवी आभा अनुपमा आ पंकज वर्मा, महासचिवमे राकेश देव, सचिवमे भाष्कर चौधरी आ अजय कर्ण, कोषाध्यक्षमे मीरा देव आ सदस्यसबमे प्रकाश प्रेमी, पूनम सिंह, वन्दना चौधरी, विरेन्द्र कुमार झा, दिपेन्द्र स्वर्णकार, रोजी झा, सरिता साह आ मन्जू मिश्र निर्वाचित भेल छथि।
निर्वाचन समितिक संयोजक शिव नारायण पण्डित सिंगलद्वारा निर्वाचित पदाधिकारीसभक नामकेर घोषणा करैत मैथिलीभाषाक वरिष्ठ अभियन्ताद्वय रामरिझन यादव तथा डा. योगेन्द्र प्रसाद यादवद्वारा नव कार्यसमितिकेँ बधाई ज्ञापन कयल गेल आ हुनकहि लोकनिक रेखदेखमे संचालक किसलय कृष्ण द्वारा पदाधिकारीसबकेँ शपथग्रहण सेहो कराओल गेल।
वार्षिक साधारण सभाक उद्घाटन प्रमुख अतिथि संविधान सभा सदस्य एवं पूर्व मंत्री (कोसीप्रदेश) माननीय जयराम यादवजी कएने रहथि। तहिना कार्यक्रममे हनुमाननगर-कंकालिनी नगरपालिकाक मेयर वीरेन्द्र माझी विशिष्ट अतिथि रहथि। अतिथिसबमे युवा राजनीतिकर्मी उमेश यादव, रंजीत झा, कादिर अली, कन्हैयालाल साह आ राजेश गुप्ता, मिथिला चित्रकलाक वरिष्ठ चित्रकर्मी शीला चौधरी, महिला अधिकारकर्मी तथा मैथिली अभियन्ता संजू साह, मैथिली सेवा समितिक संस्थापक अध्यक्ष डा. सुरेन्द्र नारायण मिश्र आ निवर्तमान अध्यक्ष डा. एस. एन. झा आ उपाध्यक्ष डा. योगेन्द्र प्रसाद यादव, प्रा. डा. नीलाम्बर झा, वरिष्ठ भाषा अभियानी रामरिझन यादवक महत्वपूर्ण उपस्थिति छल।
उद्घाटन सत्रमे प्रमुख अतिथि सहित विशिष्ट अतिथि आ अतिथिसब मैथिली भाषा आ भाषिक अधिकार सम्बन्धित अनेकौं ध्येय विषयवस्तुमे एसोसिएशनद्वारा अभियान संचालित करय लेल ध्यानाकर्षण कयलनि। नेपालक नया राजनीतिक परिदृश्य आ खास कयकेँ संघीयता लागू भेला पश्चात स्थानीय निकाय आ प्रदेश सरकारक कामकाजक भाषाक रूपमे कोसी प्रदेश आ मधेश प्रदेशक संग अन्य प्रदेशसबमे सेहो मैथिलीभाषीसभक हकहित, मैथिली भाषा-साहित्यक शिक्षामे समावेश आ सामाजिक-सांस्कृतिक व्यवहारमे मैथिली भाषाक प्रयोग व सम्वर्धन कराबक आवश्यकता उपर जोर दैत मैथिली एसोसिएशन नेपाल सम्पूर्ण भाषाभाषीकेँ संगठित कय सकबाक सम्भावना प्रति मार्गदर्शन कयल गेल छल। स्थानीय पाठ्यक्रम जेहेन विषयसब मैथिलीभाषी छात्र-छात्राकेँ मैथिलीयेमे हेबाक चाही आर ताहि कार्यक लेल विभिन्न पालिकासभक अवस्था अध्ययन करबाक जरूरी पहल एसोसिएशनद्वारा होयत से शुभकामना दैत उद्घाटन सत्रकेँ समापन घोषणा कयल गेल। दोसर बन्द सत्र कार्यक्रमक सत्रद्वारा निर्वाचन प्रक्रिया आगू बढबैत पूर्ण लोकतांत्रिक पद्धतिसँ नव कार्यसमितिक चयन कयल गेल।
निर्वाचन समितिक संयोजक शिव नारायण पण्डित सिंगल तथा सदस्य कर्ण संजय – दुनू गोटे मैथिली भाषाक वरिष्ठ साहित्यकार आ कविद्वारा सम्पन्न कयल गेल छल। नव कार्यकारिणीकेँ कार्यक्रम संचालक किसलय कृष्ण द्वारा दुइ वरिष्ठ अभिभावक रामरिझन यादव एवं डा. योगेन्द्र प्रसाद यादवक सान्निध्य-उपस्थिति-निर्देशनानुसार आ निर्वाचन समितिक उपस्थिति मे कराओल गेल छल। संगहि समस्त अभिभावकगण द्वारा नव कार्यसमितिकेँ ऊर्वावान् बनि समस्त कार्य पूरा करबाक जिम्मेदारी व बधाई ज्ञापन कयल गेल छल।