कुर्सों मे १६ नवम्बर केँ आयोजित होयत हिन्दू राष्ट्र संगोष्ठी

११ नवम्बर २०२३, मैथिली जिन्दाबाद!! 

विदित हो जे दरभंगा जिलाक कुर्सों गाम स्थित श्री श्री १०८ श्री सीताराम भगवान् मन्दिरक प्रांगण (कुर्सों हाट फुलबारी) मे भारत केँ हिन्दू राष्ट्र बनेबाक अभियान प्रति समर्पित संगोष्ठीक आयोजन १६ नवम्बर २०२३ तदनुसार वृहस्पति दिन अपराह्न १ बजे सँ आयोजित कयल जायत। एहि आयोजनक संयोजन जगदीश नारायण ब्रह्मचारी स्थान, लगमा (दरभंगा)क महन्थ श्री रामकृपाल दासजी महाराज उर्फ बौआ भगवान् कय रहल छथि। सह-संयोजक कौशल चौधरी सहित प्रस्ताविक रुद्रचण्डी महायज्ञक समस्त कार्यकारी पदाधिकारी लोकनिक सक्रियता मे उपरोक्त राष्ट्रीय संगोष्ठीक आयोजन होयत। एहि महत्वपूर्ण संगोष्ठी मे आदित्य वाहिनीक राष्ट्रीय अध्यक्ष श्री प्रेम चन्द्र झाक विशेष उपस्थिति रहत। तहिना कुर्सों आ आसपासक क्षेत्रक विभिन्न तीर्थक्षेत्र, मठ, मन्दिर, धर्मस्थलीक प्रमुख लोकनि, सन्त, महन्थ, साधु, महात्मा, संन्यासी, गणमान्य विद्वान् व अन्य राष्ट्रभक्त महानुभाव लोकनिक संग सामान्यजनक अद्भुत समागम होयबाक अपेक्षा कयल जा रहल अछि।

मैथिली जिन्दाबाद संग बातचीत मे विशिष्ट अतिथि प्रेम चन्द्र झा जनतब देलनि जे जुलाई २०२१ मे पूज्य जगतगुरु शंकराचार्य (गोवर्धन मठ, पुरी) घोषणा कयने रहथि जे साढ़े तीन वर्षक भीतर भारत ‘हिन्दू राष्ट्र’ बनि जायत, एहि सपना केँ साकार करबाक लेल बौआ भगवान् सहित मिथिलाक्षेत्रक सन्त-महात्मा आ प्रबुद्ध समाज अत्यन्त सचेत छथि आ पूज्य गुरुदेव प्रति समर्पण भाव सँ राष्ट्रीय संगोष्ठीक आयोजन कय रहल छथि। ई परम हर्षक बात भेल जे दरभंगा जिलाक कुर्सों हाट पर वृहस्पति दिन १६ नवम्बर हिन्दू राष्ट्र संगोष्ठीक आयोजन कयल जायत। हमर समस्त इलाकावासीक संग समस्त मिथिलावासी यैह आह्वान कय रहल छी जे एहि संगोष्ठी मे भाग लय भव्य भारतक निर्माण मे सहयोगी बनथि। बेसी सँ बेसी लोकक उपस्थिति लेल सेहो आग्रह कय रहल छी। भारत मे होमय जा रहल ऐतिहासिक परिवर्तन मे सहभागी बनि अपन सौभाग्यवृद्धिक संग राष्ट्र आ समस्त मानव समाजक कल्याण लेल गुरुदेवक वचन केँ साकार करय जाउ हमर हार्दिक निवेदन अछि।