रियाध, १२ जुलाई, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
सउदी अरब स्थित ‘मिथिला एकता समाज’ द्वारा राजधानी रियाध मे होयत राम-नामा संकीर्तनक आयोजन, ई जानकारी करबैत संस्थाक अध्यक्ष सुनील कुमार गुप्ता कहला जे बहुत दिन धरि संस्थाक सदस्य लोकनिक स्वदेश यात्रा पर जेबाक कारणे कार्यक्रम आयोजन मे कनेक देरी भेल। मुदा आब हमरा लोकनि फेर सँ अपन कर्मभूमि अरब देश मे आबि गेल छी। अपन संस्कार आ संस्कृति केँ अक्षुण्ण रखबाक लेल एहि तरहक अनेको आयोजन एहि संस्था द्वारा निरंतर कैल जाइत अछि। हालहि विराटनगर मे आयोजित अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन मे सेहो अध्यक्ष सुनील कुमार गुप्ता विशिष्ट अतिथिक रूप मे सहभागी भेल छलाह जाहि ठाम अपन संस्थाक उद्देश्य आ प्रतिबद्धता पर सभा केँ संबोधन कएने छलाह।
राम-नाम संकीर्तन जुलाई १७ तारीख सँ अष्टयाम पूजाक रूप मे होयत। एहि मे समस्त प्रवासी हिन्दू धर्मावलम्बी केँ आमंत्रित कैल गेल अछि। संगहि नेपाली राजदूतावास केर अधिकारी लोकनिक सेहो उपस्थिति रहत, से जानकारी सुनील गुप्ता करौलनि।

1 Comment
mujhe america main kam chahiye