दरभंगा मे ३० अप्रैल केँ रोजगार मेला, मिथिलहि मे रोजगार भेटय सेहो प्रयास होयतः दीपक झा

२१ अप्रैल २०२३ । मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिल समन्वय समिति मुम्बई के तत्त्वावधान मे ३० अप्रैल दरभंगाक नागेन्द्र झा स्टेडियम मे रोजगार मेला लगायल जायत । एहि मेला सँ लगभग १० हजार बेरोजगार मैथिल लोक केँ महाराष्ट्रक विभिन्न कम्पनी मे रोजगार उपलब्ध कराओल जेबाक लक्ष्य राखल गेल अछि । मैथिल समन्वय समिति मुम्बई द्वारा प्रत्येक वर्ष नव-नव प्रयोग सहितक कार्यक्रम आयोजित कयल जाइत रहल अछि । ई जानकारी मैथिली जिन्दाबाद केँ मुम्बई सँ मैथिली मासिक पत्रिकाक प्रकाशन करैत मातृभाषा प्रति अहर्निश सेवा कयनिहार व्यक्तित्व दीपक झा करौलनि ।

मैथिली जिन्दाबाद केर सम्पादक प्रवीण नारायण चौधरी संग कयल बातचीतक अंश निम्न अछिः

प्रवीण नारायण चौधरीः मैथिल समन्वय समिति मुम्बई केर आयोजन ‘मिथिला रोजगार मेला २०२३’ के केहेन तैयारी चलि रहल अछि ?

दीपक झाः मैथिल समन्वय समिति हमेशा नव आइडिया के आयोजन करैत अछि, एहि मे रोजगार मेला लेल बड़ा जोर-शोर सँ तैयार कयल जेबाक जानकारी भेटि रहल अछि । लगभग १००-२०० रोजगार उपलब्ध करबयवला कम्पनीक एचआर टीम द्वारा एहि मेला मे स्टाल लगायल जायत । लगभग १० हजार आदमी केँ दक्षता आ विज्ञता अनुसार रोजगार देबाक योजना अछि ।

प्रवीण नारायण चौधरीः ई योजना केना बनल ?

दीपक झाः बेरोजगारी मिथिलाक बड पैघ समस्या थिकैक । आजुक अर्थ प्रधान युग मे रोजगार पहिल जरूरत होइत छैक लोकक । मैथिल समन्वय समिति मुम्बई लोकक हित करबाक लेल विभिन्न कार्यक्रम सब करैत आबि रहल अछि । छात्र सब केँ छात्रवृत्ति, वर-वधू परिचय सभा, मैथिल उद्योगपति सभक औद्योगिक उत्पादक प्रदर्शनी आदि अनेकों कार्यक्रम सामान्य मैथिली-मिथिला संस्थादिक द्वारा कयल जायवला लीक सँ थोड़ेक हंटिकय कयल जा चुकल अछि । जाहि गति सँ मिथिला सँ लोक सब रोजगारक खोजी मे दर-दर भटकैत अछि से देखैत रोजगार उपलब्ध करेबाक लेल एकटा संगठित प्रयासक आवश्यकता छलैक । एहि तरहें समितिक पदाधिकारी लोकनि आ एकर मार्गदर्शक वर्गक विभिन्न प्रबुद्धजन ई निर्णय कयलनि ।

प्रवीण नारायण चौधरीः कि मिथिला मे रोजगारक अवसर के बदला बाहरे मे रोजगार सँ पलायन केँ बढावा देबाक आरोप नहि लागत समन्वय समिति पर ?

दीपक झाः ई हमर मोनक बात अहाँ कहलहुँ । हम स्वयं मुम्बई मे रोजी कमाइत छी मुदा परदेश मे काज करब कतेक कठिन आ दुरूह होइत छैक से खूब बुझैत छी । व्यक्तिगत सिद्धान्त हमर यैह अछि जे मिथिला मे रोजगारक अवसर बनय ताहि लेल मैथिल उद्योगपति व पूँजीपति सब केँ प्रेरित करैत आगू बढ़ी । लेकिन बेरोजगारीक समस्याक तत्काल निदान लेल प्रवासे क्षेत्रक सहारा उपलब्ध रहबाक कारण समितिक निर्णय सँ सहमति अछि । निकट भविष्य मे हमरा लोकनि मिथिलहि मे रोजगार उपलब्ध करेबाक दिशा मे सेहो जरूर सोचब आ समुचित डेग उठायब । मैथिल पूँजीपति आ आनो राज्यक पूँजीपति लोकनि केँ मिथिला मे लगानी करबाक दिशा मे राज्य सरकार के तरफ सँ किछु पैकेज घोषित करबेबाक मांग आ आन्दोलन सेहो करब, यैह बात हमरा राजनीतिक क्षेत्र प्रवेश करेलक । हम जे चुनाव लड़ल रही तेकर मुख्य उद्देश्य यैह छल । पलायन रोकबाक लेल मिथिलाक आर्थिक विकास आ औद्योगिक विकास बहुत जरूरी छैक ।

प्रवीण नारायण चौधरीः जे सब कम्पनी केँ रोजगारदाताक रूप मे एहि मेला मे आनल जायत, कि हुनका सब केँ मिथिला मे औद्योगिक प्रतिष्ठान लगेबाक लेल प्रेरित नहि कयल जा सकैत अछि?

दीपक झाः निश्चिते टा! हम त आग्रह करबनि मैथिल समन्वय समिति आ पदाधिकारी लोकनि सब सँ जे एतेक रास रोजगारदाता केँ मिथिलाक हृदयस्थली दरभंगा लय जा रहल छथि त हुनका सब केँ मिथिला मे उपलब्ध कच्चा पदार्थ, कृषिजन्य वस्तु, पशुधन, जड़ी-बूटी, पर्यटन, आदि विभिन्न सम्भावित क्षेत्र मे लगानी करबाक लेल सेहो प्रेरित करथि । मेला मे सेमिनार सेहो होयत त एहि तरहक मार्ग प्रशस्त होयबाक सम्भावना जरूर बनत ।

बहुत-बहुत शुभकामना दैत उपरोक्त वार्ताक अन्त भेल छल । संगहि, एहि आयोजन सँ बेसी स बेसी लोक लाभान्वित भ’ सकथि ताहि लेल सेहो शुभकामना आ संचारकर्मक सहयोगक वचनबद्धता प्रकट कयल गेल छल ।

**