अमित आनन्द, महिषीधाम। जुलाई ८, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

मयंक स्वयं मेकेनिकल ईन्जिनियरिंग एन आइ टी जमशेदपुर सँ बीटेक पूरा केलाक बाद टाटा मोटर्स लिमिटेड मे सहायक प्रबंधक पद पर कार्यरत सेहो छलाह। मयंक अपन ईन्जिनियरिंग कालेज केर ओहि दलक सदस्य सेहो रहलाह अछि जेकरा नासा द्वारा यूएवी (unmanned aerial vehicle) डिजाइन बनेबाक लेल सम्मानित कैल गेल छल। मातृभाषा मैथिली सँ सहज अन्य भाषा नहि भऽ सकैत अछि आ निश्चित रूप सँ रैंकिंग नीक आनय मे एकर मार्क्स सहायक हेबाक भावना मयंक रखैत छथि। मयंक केर मूलग्राम हरिपुर बक्शीटोल अछि आर एहि गामक माटि – पानि मे सरस्वतीक विशेष कृपा होयबाक बात काफी प्रचलित अछि।
विदित हो जे एहि बेर सिविल सर्विसेज परीक्षा मे कुल १५ छात्र ऐच्छिक विषय मैथिली सँ सफलता प्राप्त केलनि अछि। मैथिली भाषाभाषी लेल ई एकटा उत्साहक विषय भेल जे भाषाक भविष्य सुरक्षित रखबा मे रोजगारक प्रमुख भूमिका केँ वर्तमान सकारात्मक परिणाम जोगा सकल अछि। मैथिली जिन्दाबादक तरफ सँ समस्त सफल अभ्यर्थी आ भविष्य मे सेहो जे एहि लेल प्रयास करता, तिनका सबहक लेल विशेष प्रशंसाक संग शुभकामना सेहो बेर-बेर देल जा रहल अछि। मैथिली जिन्दाबाद!!