जितेन्द्र कुमार झा, पूर्वी चम्पारण। जुलाई ६, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
पूर्वी चम्पारण जिला कऽ भी एक टा ललना अंकिता श्री सिविल सर्विसेज परीक्षा मे दू सै चउदहमां स्थान प्राप्त केलखिनऽ. वो पचपकड़ी ओपी कऽ भंडार गांव निवासी पूर्व प्रमुख स्व. त्रियोगी नारायण झा कऽ पौत्री, सुधीर कमार झा ‘चंचल’ आऽ पूनम चंचलक पुत्री छईथ. हुनकर मातामह अक्षयकान्त झा छथि, से हो एडीएम से सेवा निवृत छईथ. हुनकर एहि सफलता से ईकातक मैथिल समाज मे विशेष उत्सवी माहौल कायम अईह.
मैथिली जिन्दाबाद केर सकारात्मक समाचार संचरणक प्रभाव सँ समस्त मैथिल केँ अपन समाचार संप्रेषण एहि पोर्टल द्वारा करेबाक लेल हृदय सँ धन्यवाद – संपादक मंडल!! अपने लोकनि सेहो अपन-अपन क्षेत्रक संपूर्ण समाचार एहि वेबसाइट पर प्रकाशित करबैत रहू, सौंसे मिथिला एक्कहि टोल केर चरित्र केँ जिवन्त बनेने रहू! धन्यवाद आ सबकेँ फेर सँ शुभकामना!! मैथिली जिन्दाबाद!!