सहरसा मे क्रान्तिक बिहाड़ि सँ पहिने जेकाँ गुम्मी बनि गेल, आब जल्दिये बिहाड़ि आयत: युवा एकता

राहुल झा, बनगाँव, सहरसा। जुलाई ५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

aiims aandolan latestआइ युवा एकता सहरसाक संग अल ईन्डिया इस्लाहे अंजुमन सिद्दिकी तथा पतंजली योग संस्थान एकटा संयुक्त बैसार सहरसाक संजय पार्क मे केलक। एहि बैसार मे अखिल भारतीय मिथिला पार्टीक सहरसा अध्यक्ष सुभाषचंद्र झा द्वारा अध्यक्षता कैल गेल। सुभाषचंद्र झा युवा एकताक भरपूर प्रयास सँ सहरसा मे एम्स केर स्थापना लेल सभा केँ आस्वस्त करैत निवेदन केला जे एहि लेल एकटा वृहत् हस्ताक्षर योजना चलबैत लाखों आदमीक हस्ताक्षर सहित ज्ञापन पत्र राज्य तथा केन्द्र सरकार तक पठायल जाय। जोश सँ भरल नव युवा समूह आ सहयोगी समस्त संस्था एहि बातक अनुमोदन केलक आ आगामी सप्ताह धरि हस्ताक्षर अभियान जोर-शोर सँ चलेबाक लेल संकल्प केलक।

युवा एकता व समस्त आन्दोलनी लोकनि बैसार शुरु होय सँ पूर्वे जोर-जोर सँ नारा लगबैत सहरसाक विकास लेल एक डेग बढेबाक बात कहैत रहला। सभाध्यक्ष सुभाषचंद्र झा कहलैन जे जेना बिहाड़ि एबा पूर्व गुम्मी होइत छैक, तहिना सहरसाक जनमानस अपन विकास लेल गुम्मी लदने अछि, मुदा ई गुम्मी आब आरो नहि चलत। आब युवा एकता सबकेँ अन्तर्मनकेँ झकझोरिकय जगा रहल अछि।

युवा एकताक अध्यक्ष दीपनारायण ठाकुर राज्य सरकार तथा केन्द्र सरकार केँ सहरसाक भौगोलिक संरचना कोन तरहें बिपत्तिक समय मे लोकमानसक प्राणरक्षक बनैत अछि – कोना एहिठामक अस्पताल आ संरक्षण १०० किमी परिधिक विशाल जनसंख्या लेल काजक होइत छैक, ताहि लेल नेपाली कोसीक्षेत्रक कुसहा तटबंध २००८ मे टूटलाक बाद आयल जलप्रलय सँ सहरसा द्वारा लाखों लोक केँ बचेबाक उदाहरण दैत ध्यानाकर्षण करौलनि आ एम्स स्थापना केर आवश्यकता पर जोर देलनि।

एहि आन्दोलन मे युवाक भूमिका सँ अत्यन्त प्रभावित होइत अभाविप केर छात्रनेता मयंकजी युवा एकताक प्रयासक सराहना करैत कहला जे सहरसा महाविद्यालयक छात्र सब सेहो एहि आन्दोलन मे सहभागिता जनेबाक लेल तैयार अछि। अपन जिलाक मुख्यालय मे एम्स केर स्थापना सँ आरो पड़ोसी जिला आ नेपाल धरिक लोक लेल कल्याणकारक होयत। पटना आ दिल्ली जेबाक झंझटि सँ मुक्ति भेटत। आवश्यकता पड़ला पर समूह मे पटना तक यात्रा कय राज्य सरकारक सम्बन्धित मंत्रालय केर घेराव करबाक लेल सेहो हमरा सबकेँ तैयार रहबाक चाही, मयंकजी एहि बैसार मे समस्त आन्दोलनी केँ संघर्ष तेज करबाक दिशा मे सोचय लेल अपील केलनि।

आजुक सभा मे रोशन कुंवर, राहुल बनगाँव, बिनोद झा, संतोष झा, आलोक पिंकू झा (पूर्णिया), चन्द्रेश्वरी प्रसाद ( मंडल प्रभारी, पतंजली योग समिति, सहरसा), कमलेश वर्मा, सूर्य नारायण यादव, लखन कुमार, शिवनारायण यादव, डाक्टर वीणा कुमारी, धर्मेन्द्र कुमार, विनोद कुमार सिंह, विजय बसंत, रणवीर कुमार यादव, निर्मल यादव, मो. मन्नान, दिपक कुमार, संजीत आशिष मिश्रा, नितेश मिश्रा, मो. शाहनवाज शाहीद, मो. चांद आलम, मो. मसकर आलम, सुशील कुमार, कंचन कुमारी, दिपक कुमार झा, विकाश राय, सज्जन कुमार चौधरी, सहित अनेको युवा तथा गणमान्य आन्दोलनी सहभागी भेल छलाह।