Search

बिहारक सब जिलाक सदर अस्पताल मे खुजत आईसीयू तथा एकीकृत जाँच केन्द्र

पटना, ९ दिसम्बर २०२२ । मैथिली जिन्दाबाद!!

बिहारक प्रत्येक जिलान्तर्गत रहल सदर अस्पताल मे बनत ५० बेडक आईसीयू तथा लैबरेटरी

आयुष्मान भारत हेल्थ इन्फ्रास्ट्रक्चर मिशन अन्तर्गत बिहार के प्रत्येक जिला मे स्थित सदर अस्पताल मे ५० बेड के सघन उपचार केन्द्र तथा एकीकृत सार्वजनिक स्वास्थ्य प्रयोगशाला के निर्माण करायल जायत। ई काज पटना एम्स तथा जपाईगो केर संयुक्त रेख-देख मे कयल जायत। विदित हो जे विगत किछु वर्ष सँ जपाईगो द्वारा बिहार मे लोकक स्वास्थ्य केर बेहतरीन देखभाल के वास्ते विभिन्न कार्यक्रम सब संचालन कयल जा रहल अछि। पूर्व मे सेहो एहि सन्दर्भ मे मैथिली जिन्दाबाद द्वारा महत्वपूर्ण समाचार सब सम्प्रेषित होइत आयल अछि।

प्राप्त समाचार मुताबिक सरकारक निर्देश अनुसार एम्स आ जपाईगो द्वारा स्थलगत निरीक्षण कार्य सेहो आरम्भ भ’ चुकल अछि। एहि मे दुइ गोट टीम क्रमशः टीम ए जाहि मे समरिन अब्बासी, अनुभूति, आकांक्षा एन्ड्र्यूज तथा ममता भट्ट एवं टीम बी जाहि मे भव्या गांधी, नीतू पाहुजा तथा रोहित लाकड़ा शामिल छथि। एहि दुनू टीम के नेतृत्व डा. ए. कुमार कय रहल छथि।

एहि समाचारक संग राखल गेल फोटो सँ किछु जिला मे सम्पन्न स्थलगत निरीक्षण आ सदर अस्पताल प्रबन्धन संग भेल मीटिंग के समाचार स्वतः स्पष्ट होइत अछि। सम्बन्धित पदाधिकारी द्वारा निर्धारित मानक सभक जाँच विभिन्न जिला मे कयल गेल अछि, जाँचक प्रतिवेदन (रिपोर्ट) बिहार सरकार केँ देल जेबाक अछि।

पीएम-आयुष्मान भारत हेल्थ इंफ्रास्ट्रक्चर मिशन (पीएम-एबीएचआईएम) के तहत वैशाली सदर अस्पताल मे ५० बेड, मुजफ्फरपुर सदर अस्पताल एवं कृष्णा मेडिकल कॉलेज मे १००-१०० बेड एवं बक्सर सदर अस्पताल मे 50 बेड के क्रिटिकल केयर यूनिट तथा आईपीएचएल यानि एकीकृत सार्वजनिक स्वास्थ्य प्रयोगशाला जतय एक्केठाम पर सब तरहक मेडिकल जाँच केर सुविधा मौजूद होयत, एकर स्थापनाक लेल जपाईगो तथा अखिल भारतीय आयुर्विज्ञान संस्थान पटना फाइनेंशियल ईयर २०२१-२२ व २०२२-२३ लेल एखन धरि कुल २० जिलाक अधिकारीगण सँ जगह उपलब्ध करेबाक लेल, जगह के मूल्यांकन करैत एकटा एसेसमेंट ले-आउट तैयार कय बिहार सरकार केँ सौंपत।

एहि तरहक सेंटर बनेबाक मुख्य उद्देश्य भविष्य मे कोविड-१९ जेहेन महामारी एवं अन्य सार्वजनिक स्वास्थ्य चुनौती सँ सामना करय मे सक्षम होयब अछि। एहि योजना लेल लगभग २० करोड़ रुपया के खर्च प्रत्येक सदर अस्पताल लेल अनुमानित अछि।

प्रधान सचिव प्रत्यय अमृत के निर्देशानुसार मंगल दिन बक्सर मे सदर अस्पताल मे उपयुक्त निर्माण स्थलक निरीक्षण सम्पन्न भेल। जनतब हो जे सदर अस्पताल मे इंटीग्रेटेड डिस्ट्रिक्ट पब्लिक हेल्थ सेंटर आ इंटीग्रेटेड डिस्ट्रिक्ट पब्लिक हेल्थ लैब केर स्थापना कयल जायत। स्वास्थ्य विभाग केँ सहयोग करयवला संस्था जपाईगोक पदाधिकारी आ एम्स पटनाक पदाधिकारी लोकनि निरीक्षण कार्य पूर्ण कयलाक बाद सिविल सर्जन जितेन्द्रनाथ आ डीएम मनीष कुमार संग सेहो बैसक कयला उपरान्त प्रेस केँ ई जानकारी देलनि।

जपाईगो पदाधिकारी डा. ए. कुमार कहलनि जे एम्स के सीसीडब्ल्यूजी टीम के वरीय पदाधिकारी एवं चिकित्सक डा. नीरज कुमार लगातार एहि योजना सन्दर्भित विभिन्न विषय सभक मोनिटरिंग कय रहल छथि। बक्सर मे मीराजुद्दीन अंसारी, नीतू पाहुजा, भाव्या गांधी, रोहित पाल एवं सदर अस्पताल प्रबन्धक दुष्यन्त सिंह सेहो रहथि।

सिविल सर्जन सिंह बतेलनि जे आब स्वास्थ्य जाँच सम्बन्धी सब बात एक्के ठाम उपलब्ध होयत, लोक केँ एहि लेल अलग-अलग जगह दौड़-बरहा नहि करय पड़त। इंटीग्रेटेड डिस्ट्रिक्ट पब्लिक हेल्थ लैब द्वारा पैथोलोजी, एक्सरे, सीटी-स्कैन, आदि जाँचक सुविधा उपलब्ध करायल जायत। प्रधानमंत्री आयुष्मान भारत योजना अन्तर्गत ई महत्वपूर्ण कार्य होबय जा रहल अछि।

बुझल बात अछि जे स्वास्थ्य सम्बन्धी जाँचक लेल खुलल बाजार मे बहुत बेसी जाँच केन्द्र सब खुजि गेल अछि, लोक केँ सदर अस्पताल आ सरकारी व्यवस्थाक अभाव मे ओहि निजी जाँच केन्द्र सब मे जाय पड़ैत छैक जतय जाँच फीस के नाम पर लूट सेहो मचल हेबाक शिकायत बेर-बेर उठैत रहैत छैक।

आब सरकार के तरफ सँ जाँच सम्बन्धी सुविधा संग सघन उपचार केन्द्र (आईसीयू, सीसीयू) बनि गेलाक बाद बड पैघ आफियत भेटतैक आ स्वास्थ्य रक्षाक नाम पर पसैर रहल धरकट व्यवसाय सेहो शिथिल पड़बाक सम्भावना छैक।

Related Articles