नहि रहलाह साहित्यकार रमाकांत मिश्र: शेक्सपियर केर प्रसिद्ध कृति ‘हैमलेट’ केर मैथिली अनुवादक

नहि रहलाह वरिष्ठ साहित्यसेवी शेक्सपियर रचित हैमलेट, जुलियस सिजर, रोमियो जुलियट समान प्रसिद्ध कृतिक मैथिली अनुवादक रमाकान्त मिश्र - मैथिली जिन्दाबादक तरफ सँ श्रद्धाञ्जलि सुमनक संग महान् आत्माक चीर शान्ति लेल प्रार्थना

दिलीप झा, मधुबनी। जुलाई ४, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!

ramakant mishra

hamlet maithiliमैथिली आ अंग्रेजीक प्रसिध्द साहित्यकार रमाकांत मिश्र नहि रहलाह। मैथिलीक प्रसिद्ध उपन्यासकार, अनुवादक आ आलोचक स्व. मिश्र केँ नहि रहला सँ मैथिली साहित्यकेर अपार क्षति भेल अछि। ‘प्रेतबाधा’ हुनक प्रसिद्ध उपन्यास आ शेक्सपीयरक प्रसिद्ध कृति हैमलेट, जुलियस सीजरक मैथिली अनुवादक रमाकांत मिश्र रोमियो-जुलियट केर सेहो अनुवादकार्य पूरा कएने छथि जे हाल धरि अप्रकाशित अछि। मैथिली साहित्यक त्रिपुण्ड ललित-राजकमल-मायानन्द केर समकालीन अंग्रेजी साहित्यक दिग्गज विद्वान् रूप मे परिचित हस्ताक्षर रमाकांत बाबुक मृत्यु पर मैथिली तथा हिन्दी साहित्यक वरिष्ठ साहित्यसेवी शेफालिका वर्मा दु:ख प्रकट करैत पुण्यात्माक शान्ति लेल प्रार्थना करैत छथि। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ महान साहित्यसेवी रमाकान्त बाबुक आत्माक शान्ति लेल संपूर्ण कार्यसमूह प्रार्थना करैत छी।