दिल्ली, जुलाई ४, २०१५.
दिसम्बर २०१४ मे संपन्न संघ लोक सेवा आयोग केर परीक्षाक परिणाम आइ प्रकाशित भेल अछि जाहि मे कुल १२३६ उम्मीदवारक चयन कैल गेल अछि। आरक्षणक सिद्धान्त अनुरूप एहि १२३६ मे ५९० सामान्य, ३५४ अति पिछड़ा वर्ग, १९४ अनुसूचित जाति आ ९८ अनुसूचित जनजाति वर्ग सँ उतीर्ण भेल अछि। भारतीय प्रशासनीक सेवा, भारतीय विदेश सेवा, भारतीय पूलिस सेवा आ केन्द्रीय सेवा ग्रुप ए तथा ग्रुप बी लेल उतीर्ण छात्रक लब्धांक मुताबिक चयन कैल जेबाक सिफारिश कैल गेल अछि।
सिविल सर्विसेज एक्जामिनेशन रुल्स २०१४ केर रूल १६(४) आ (५) मुताबिक आयोग द्वारा सामान्य, अति पिछड़ा वर्ग, अनुसूचित जाति एवं अनुसूचित जनजाति बी क्रमश: १२७, १०५, १९ आ ३ केर अनुपात मुताबिक सफल उम्मीदवारक चयन कएने अछि। नौकरी मे रिक्त स्थान मुताबिक I.A.S. केर सामान्य 90 पिछड़ा 51 अनुसूचित जाति 26 अनुसूचित जनजाति 13 कुल 180, I.F.S. केर सामान्य 16 पिछड़ा 08 अनुसूचित जाति 05 अनुसूचित जनजाति 03 कुल 32, I.P.S. सामान्य 75 पिछड़ा 42 अनुसूचित जाति 23 अनुसूचित जनजाति 10 कुल 150 आ Central Services Group ‘A’ सामान्य 363 पिछड़ा 184 अनुसूचित जाति 107 अनुसूचित जनजाति 56 कुल 710 आ Group ‘B’ Services सामान्य 174 पिछड़ा 69 अनुसूचित जाति 33 अनुसूचित जनजाति 16 कुल 292 केर नियुक्ति कैल जेबाक अछि।
संघ लोक सेवा आयोग द्वारा परीक्षा भवन समीप “Facilitation Counter” खोलल गेल अछि जतय सँ सम्बन्धित जानकारी जुटायल जा सकैत अछि। उम्मीदवार द्वारा सब तरहक सूचना, परीक्षा संबंधी स्पष्टीकरण, बहाली आदिक जानकारी १० बजे सँ संध्या ५ बजे धरि कार्य चलबाक दिन मे पता कैल जा सकैत अछि। फोन द्वारा सेहो एहि नंबर सब पर 23385271 / 23381125 / 23098543 सम्पर्क करैत जानकारी लेल जेबाक जानकारी प्रेस वक्तव्य द्वारा देल गेल अछि। वेबसाइट द्वारा परिणाम घोषणाक १५ दिन मे विस्तृत लब्धांक केर प्रकाशन सेहो कैल जायत।