Search

नहि रहलाह बटुक भाइ: रेडियो संसार के बेताज बादशाह केँ श्रद्धांजलि

383 भ्यूज

16 सितम्बर 2022, मैथिली जिन्दाबाद!!

साभार: सतीरमण झा, उजान, दरभंगा।

नहि रहलाह छत्रानन्द सिंह झा, आकाशवाणी पटनाक ‘बटुकभाइ ‘ । आइ 1-30 मध्याह्न पटना स्थित पाटलिपुत्रा काॅलोनीक न्यू रोड नम्बर तीन, वसुंधरा अपार्टमेंट, 222 (पाटलीपुत्र गेस्ट हाउस लग)मे 77 वर्षक आयु मे अन्तिम श्वास छोड़ि देल ।

ज्ञातव्य जे छत्रानन्द सिंह झा प्रसिद्ध बटुकभाइ क जन्म 05 अप्रैल 1946मे दरभंगा जिलाक मनीगाछीक चनौर गाममे भेल छल । 1968सॅ 2006तक आकाशवाणी पटना मे स्टाफ उद्घोषक तथा कम्पीयर’क रूपमे कार्यरत रहथि ।
अपने आकाशवाणी पटनाक लोकप्रिय दैनिक कार्यक्रम चौपाल क स्थायी पात्र बटुकभाइ उपनाम सॅ प्रसिद्ध रंगकर्मी रहल । मैथिली रंगमंच सुप्रसिद्ध एवं सुसंगठित रंग संस्था भंगिमा, पटना क संस्थापक सदस्य ओ अध्यक्ष रहल । अपने युवा अवस्थहिसॅ रंगकर्ममे योगदान दैत रहलहुॅ ।
अपनेक साहित्यिक कृति प्रकाशित अछि – काॅट कूश, डोकहरक ऑखि, एक गुलाबक लेल, सीताहरण, मैथिली रेडियो नाटक, सुनू जानकी, गौरीकान्त चौधरी कान्त मुखियाजी । किछु अनुवाद सेहो अछि – अन्तिम प्रश्न, गाछा, रामलीला, नट् सम्राट, कबीर आदि । अपनेक सुनू जानकी अत्यधिक चर्चित नाटक अछि ।

अपनेक सम्मान वर्ष 2014 मे ज्योतिरीश्वर सम्मान, मैलोरंग रेपर्टरी सॅ, मिथिला विभूति- विद्यापति सेवा संस्थान दरभंगा सॅ, ज्योतिरीश्वर राष्ट्रीय शिखर सम्मान- भारतीय साहित्यकार संसद्, समस्तीपुर सॅ, किरण मैथिली साहित्य शोध संस्थान, उजान सॅ, चेतना समिति पटना सॅ सम्मानित रहियैक ।
विभूति आनन्दक शब्द मे – ” छत्रानन्द वेशीकाल राजनीतिक व्यङ्ग्य लिखथि , आ जे तुंरत साप्ताहिक मिथिला मिहिर मे सेहो आबि जाइ । ओ व्यङ्ग्य चुट्टी नहि, घोरनक दंश दैक, बिढ़नी जकां संबंधित प्रवृत्ति कें तुम्मा फुला दैक ” ।

बटुकभाइ पत्नीक शोकसॅ एकदम टुटि गेलाह आ रहल आश सेहो छोट पुत्र सुनील क निधन सॅ जेना एकदम शून्य क’ देलक । आइ एकमास सॅ अस्पतालक आसियू आदि मे संघर्ष कएल किन्तु आइ एक पुत्र पत्रकार श्री अनिल कुमार सिंह झा, एक पुत्री श्रीमती पुतुल, पौत्र श्री प्रणव, श्री चैतन्य, श्री शुभम् तथा दौहित्र तथा सहोदर जेठ – छोट भाइ ओ बहिन छोड़ि चल गेलाह ।

हमर एकमात्र समधि छत्रानन्द सिंह झा प्रसिद्ध बटुकभाइक अभाव हमरा डेग डेग पर खटकत । किरण मैथिली साहित्य शोध संस्थानक समस्त पदाधिकारी, अमरनाथ झा, विघ्नेश मिश्र, मणिकान्त झा आदि अनेक पत्रकार, साहित्यकार शोकोद्गार व्यक्त क’ रहल छथि ।

सादर नमन आ विनम्र श्रद्धाञ्जलि भावकुसुमाञ्जलि 🙏🙏

Related Articles