जम्मू – भाषा समाद। जुलाई १, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
जम्मू कश्मीर केर स्वास्थ्य मंत्री चौधरी लाल सिंह आइ लखनपुर आधार शिविर सँ 5,100 अमरनाथ यात्री केर पहिल जत्था केँ हरा झंडी देखाकय रवाना केलनि।

श्रद्धालु लखनपुर सँ भोरे 10 बजे रवाना भेला, हालांकि कतेको श्रद्धालु वार्षिक तीर्थयात्राक लेल अपन पंजीकरण ओतहि करौलनि, जेकरा वास्ते सरकार विशेष काउंटर केर व्यवस्था केने छल। एहि बीच प्रशासन एवं पुलिस केर अन्य वरिष्ठ अधिकारी लोकनिक अलावा कठुआक जिला विकास आयुक्त अजय सिंह जामवाल सेहो उपस्थित छलाह।
एहि सँ पहिने संवाददाता सब सँ बात करैत लाल सिंह कहलखिन जे सरकार लखनपुर सँ पवित्र गुफा धरिक सुगम यात्राक लेल समुचित बंदोबस्त केलक अछि। एम्हर, दुइ जुलाई सँ शुरू भऽ रहल 59 दिन धरि चलयवला वार्षिक यात्राक लेल सवा दुइ लाख श्रद्धालु अग्रिमे पंजीकरण करौने छथि।
जम्मू कश्मीर केर राज्यपाल एन. एन. वोहराक अध्यक्षता मे एतय भेल एक बैसार मे श्री अमरनाथ श्राइन बोर्ड (एसएएसबी) केर मुख्य कार्यकारी अधिकारी (सीईओ) पीके त्रिपाठी बतेलनि जे कुल 2,04,508 श्रद्धालु अग्रिम पंजीकरण करौने छथि और 22,104 जन पवित्र गुफा मे प्राकृतिक रूप सँ बर्फ सँ बनल शिवलिंग केर दर्शन हेतु मुख्य दुइ मार्ग बालटाल तथा पहलगाम-पंजतरणी सँ हेलिकॉप्टर केर टिकट खरीदलनि अछि।
राज्यपाल और एसएएसबी केर अध्यक्ष वोहरा यात्राक लेल व्यवस्था आदिक स्थिति केर समीक्षा हेतु ई बैसार बजौलनि।
*मैथिली जिन्दाबाद केर प्रबंध संपादक अमर नाथ झा सेहो एहि यात्रा पर आइ दिल्ली सँ प्रस्थान करता। विदित अछि जे ओ हरेक वर्ष अमर नाथ बाबा केर दर्शन लेल पहुँचैत छथि। हुनकर एहि यात्रा उपरान्त मैथिली जिन्दाबाद पर विशेष यात्रा संस्मरण केर प्रकाशन संभव होयत। समस्त तीर्थयात्री लेल शुभकामना!!