
आइ बरियाही मे आयोजित रैली मे युवा एकताक दीपनारायण ठाकुर, राहुल बनगाँव, रोशन कुँअर, शाहनवाज आ रणवीर यादव सहित स्थानिय जनमानस मे सँ अनेको वक्ता सभाकेँ संबोधित करैत सहरसा मे एम्स केर माँग पूरा करबाक लेल पटना आ दिल्ली धरि घेराव करबाक जरुरत होयत तऽ ताहि लेल सब कियो तैयार हेबाक बात कहलनि। विदित हो जे सहरसा मे एम्स केर स्थापना लेल युवा एकता पिछला एक महीना सँ निरन्तर प्रयास मे लागल अछि। हलाँकि एहि आन्दोलन मे राज्यक सोझाँ कोनो ज्ञापन पत्र आदि सौंपल जाइत अछि वा नहि, एहि माँग प्रति कैल जा रहल अभियानक संज्ञान राज्य सरकार लैत अछि वा नहि, एहि सब दिशा मे आन्दोलनकारीक प्रवक्ता चुप्पी सधने अछि जे एहि आन्दोलनक एकटा कमजोर पक्ष मानल जा सकैत अछि। मुदा क्रान्तिक नवधारा सहरसा सँ बहत एकरा कियो नहि रोकि सकैत अछि ई जानकारी हिनका लोकनिक प्रतिबद्धता सँ जगजाहिर भऽ रहल अछि।