भगवान परशुराम केर अवतरण दिवस पर भव्य शोभा यात्रा निकालि भेल पूजा अर्चना

सुभाषचंद्र झा, सहरसा। 4 मई 2022, मैथिली जिन्दाबाद!!

भगवान परशुराम केर अवतरण दिवस पर भव्य शोभा यात्रा निकालि भेल पूजा अर्चना

भगवान परशुराम केर पावन जन्मोत्सव पर मुख्य अतिथि डॉ० तारानंद सादा, विमल कांत झा, अक्षय झा, मुकेश झा, अक्षय चौधरी, संरक्षक मंडल केर मधुकांत झा, संजय मिश्रा, महासभा संयोजक राकेश बंटी केर द्वारा सम्मलित रूप स पुष्पांजलि अर्पित कय शोभायात्राक शुभारम्भ कयल गेल।अक्षय तृतीया केर पावन अवसर पर अवतरित होमय वाला चिरंजीवी भगवान परशुराम केर जन्मोत्सव पर ब्राह्मण महासभा केर तत्वावधान एवं आजाद युवा विचार मंच केर संयोजन मे भोरे 8 बजे स 10 तक समस्त जीव केर कल्याणार्थ संजय मिश्रा, विमलकांत झा, शैलेश कुमार झा, सुदीप कुमार सुमन, अखिलेश झा द्वारा पं० कैलाश मिश्र एवं पं० भगवान झा केर उपस्थिति मे भगवान परशुराम केर बीज मंत्र एवं महामृत्युंजय मंत्र स हवन यज्ञ कयल गेल। तत्पश्चात रोहित झा, अमित कन्हैया, संजीव कुमार झा, रौशन झा आजाद, प्रणब प्रेम एवं खुशी भारद्वाज केर संयोजन मे सैकड़ों युवा द्वारा शोभायात्रा मतस्यगंधा स निकालल गेल।

शोभायात्रा केर मुख्य अतिथि डॉ० तारानंद सादा भगवान परशुराम केर पुष्पांजलि अर्पित करैत शोभायात्राक शुभारंभ करैत कहलनि जे भगवान परशुराम शस्त्र आर शास्त्र दुनू केर धारक आर उपासक छलाह।जमदग्नि एवं रेणुका पुत्र परशुराम इक्कीस बेर एहि धरती से पापी अत्याचारी आर दुराचारी के उन्मूलन कयलनि। भगवान राम हो या भगवान कृष्ण हरेक युग मे सत्य केर साथ चलबाक संदेश देलनि। हमरा सबके हुनकर आदर्श केर अपना अंदर आत्मसात कय आई सर्व समाज केर उत्थान हेतु आगू अयबाक जरूरत अछि।हम समाज केर धैर्य एवं संयम केर संग एकजुटता स एकटा नव दिशा देबाक होयत ।शोभायात्रा केर संबोधित करैत विमलकांत झा, अक्षय झा, मुकेश झा, अक्षय चौधरी, मुखीया दिपक मिश्रा, मुखिया बौवा खाँ अप्पन संबोधन मे भगवान परशुराम केर चरित्र स सीख लेबाक बात कहलनि।

शोभायात्रा यात्रा केर स्वागत मे शहर केर विभिन्न जगह पर शर्बत एवं ठंडा पानि केर व्यवस्था आयोजित छल।ओतहि राजा मुखिया केर संयोजन मे मत्यगंधा परिसर स भरि रास्ता पानि केर व्यवस्था सब श्रध्दालु लेल कयल गेल। शोभा यात्रा मे मृत्युंजय झा, मुकुंद माधव मिश्रा,तुलाकांत ठाकुर हिमांशु कुमार अखिलेश झा,हितेश झा ,अंकु मिश्रा,शीशिर झा,राजा झा,आनंद झा,अनीष झा,सुमन शांडिल्य, नितिश मिश्रा, सावन,मानस,कुंदन झा,पिंटू ठाकुर, आलोक राय, सज्जन कुमार झा, कन्हैया कांत मिश्रा, निक्कू मिश्रा, सत्यम कुमार, भूषण झा, शिशिर कुमार झा, हितेष कुमार बौवा सहित अन्यान्य युवक मौजूद छलाह।